James5

1हे धनीक लोकसब, आब आउ, आ अपन आबएबला भयावह कष्ट दुखसबके लेल अहाँसब विलाप करु आ कानू।2अहाँके धन-सम्पत्ति सड़ि गेल अछि आ अहाँके कपड़ाके कीड़ा-मकोरा खा गेल अछि।3अहाँके सोना-चानीमे कदइ लागि गेल अछि, आ ओकरापर लागल जंग अहाँके विरुद्धमे गवाहीके लेल होएत आ ओ आगिक जकां अहाँक मासु खा जाएत। अहाँ जे न्यायके दिनके लेल जमा कएने छी।4देखू, जे मजदूरसब अहाँके खेतसबके कटने अछि, ओकर बोनि जे अहाँ रोकिलेने छी, चिचिआ रहल अछि, आ फसल काटएबला लोकके पुकार सर्वशक्तिमान प्रभुके कानमे पैसि गेल अछि। 5अहाँ जे पृथ्वीपर ऐश-आराम स' जीवन व्यतीत कएने छी आ आत्म-मुग्धता स' जीवन बितएने छी। अहाँ जे अपना हृदयके वध दिनके लेल मोट क' लेने छी।6अहाँ जे धर्मीसबके दोषी बतएने छी आ ओकरा मारि देने छी। ओ अहाँके विरोध नहि करैत अछि।7एहिलेल, हे भाइसब, प्रभुक आगमन धरि धैर्यस' प्रतीक्षा करु। देखू, जेना किसान पृथ्वीक बहुमूल्य फलक आशामे, ओकरालेल ओहि समय धरि धैर्यस' प्रतीक्षा करैत रहैत अछि जखनधरि जे समयस' पहिने वा विलम्बस' ओकरा प्राप्त नहि करए। 8अहूंके जे धैर्यस' प्रतीक्षा करबाक अछि। अपना हृदयके मजगूत करु, किएकत' प्रभुके आगमन लग आबि गेल अछि।9हे भाइसब, एक-दोसरके विरुद्धमे शिकायत नहि करु, जाएस' अहूं पर दोष नहि लगाओल जाए। देखू परमेश्वर जे न्यायाधीश दुआरिपर ठाढ़ छथि आ जल्दिए प्रगट होएबला छथि।10हे भाइसब, जे प्रवक्तासब जे प्रभुक नामस' बात कएलनि, ओकर दुख सहबाक आ धैर्य धरबाक एगो आदर्श बुझू।11देखू, जे सब सहि लेने अछि हम ओकरा धन्य कहैत छी। अहाँ जे अय्यूबके सहनशीलताके विषयमे त' सुननहि छी, आ प्रभु कोनाक' ओकरालेल अन्तमे जुटएलथि से देखने छी, प्रभु बहुत कृपालु आ दयावान अछि। 12मुदा सबस' पहिने, हे हमर भाइसब, सपत नहि खाउ, नहि स्वर्गके नहि पृथ्वीके, नहि कोनो आओर प्रण करु। मुदा अहाँके “हं” “हं”, होइक, आ “नहि”, “नहि” होइक, जाहिस' अहाँ परमेश्वरद्वारा न्याय नहि कएल जाएब।13की अहाँक बीचमेस' कोनो लोक दुखसब सहि रहल अछि? त' ओ प्रार्थना करए। जे कोनो लोक आनन्दित छी? त' ओ स्तुतिके भजन गाउ।14जे अहाँक बीचमे केओ रोगी अछि? त' ओ मण्डलीके देख-रेख कएनिहारसबके बजाबए, आ ओसब प्रभुक नामस' जैतूनके तेल ल क' ओकरा अभिषेक करैत होअए ओकरालेल प्रार्थना करए।15आ विश्वासक प्रार्थना रोगीके चंगा क देथिन आ प्रभु ओकरा ओकर रोगस' बचा लेथिन। आ यदि ओ पापो कएने होएत, त' ओहो ओकर माफ कएल जाएत।16एहिलेल, एक-दोसरके सामने अपन पापक स्वीकार क' लिअ आ एक-दोसरके लेल प्रार्थना करु जाएस' अहाँ ठीक भ' जाए। धर्मीजनके शक्तिशाली प्रार्थना बेसी सामर्थी होएत अछि।17एलियाह सेहो हमरे जकां साधारण मनुष्य छल, आ ओ पानि नहि होअएलेल प्रार्थना कएलनि, आ तीन वर्ष आ छओ मासधरि भूमिपर वर्षा नहि भेल। 18आ ओ फेरुस' प्रार्थना कएलक, आ आकाशस' वर्षा भेल आ भूमि अपन फल उपजएलक। 19हे यौ हमर भाइसब, यदि अहाँमेस' केओ सत्यके बाटस' भटैक जाए आ केओ ओकरा वापस क' लए,20त' ओ ई बुझिलए जे जं केओ कोनो पापीके ओकर मार्गस' घुमाक' लाबए, त' ओ ओहि पापीके प्राणके मृत्युस' बचाओत आ कतेको पापके झांपि देत। 

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67