James2

1यौ भाइसब, लोकसबके बाहरी रुप अनुसार पक्षपात व्यवहार करैत महिमामयी प्रभु यीशु मसीहपर विश्वास नहि राखू। 2किएकत' यदि एकटा पुरुष शोभनीय पहिराबामे सोनाके औंठी पहिरने अहाँके सभाघरमे अबैत अछि, आ फाटल-पुरान वस्त्र पहिरने एगो कंगाल लोक सेहो अबैत अछि,3आ अहाँ ओहि उत्कृष्ट वस्त्र पहिरने लोकके देखक' कहैत छिऐ, “अपने एत' नीकस' बैसल जाओ”, आ ओहि कंगालस' अहाँ कहैत छिऐ, “तों ओमहर ठाढ़ रह” वा “हमर पांवदानलग बैसि!”4अहाँसब अपना बीचमे भेदभाव आ दुष्ट मनसाय पर आधारित न्याय करबाक दोषी छी।5हे यौ भाइसब, सुनू, की परमेश्वर जे एहि संसारमे रहनिहार गरीब कंगालके विश्वासमे धनीक होअए' आ ओहि राज्यके अधिकारी होबएलेल नहि चुनलनि जेकर प्रतिज्ञा ओ ओकरास' कएने अछि जे हुनकास' प्रेम करैत अछि?6मुदा अहाँ जे ओहि कंगालके अपमान कएलिऐ! की धनवान अहाँपर प्रबल नहि होएत अछि आ जे अहाँसबके अदालतमे घिसिआक' नहि ल' जाएत?7की, ओ ओहि देल गेल नीक नामके निन्दा नहि करए जेकरास' अहाँ बजाओल गेल रही?8तथापि यदि, अहाँ ओहि राज व्यवस्थाके पवित्र शास्त्रमे पाओल गेल अनुसार पूरा करैत छी, जं अहाँ अपन पड़ोसीस' अपने जकां प्रेम रखैत छी, त' ई नीक करैत छी। 9मुदा यदि अहाँ पक्षपात करैत छी, त' अहाँ पाप क' रहल छी, आ व्यवस्थाके द्वारा स' अपराधी ठहराओल गेल छी। 10किएकत' जे केओ सब व्यवस्थाके पालन करए मुदा एकेगो बातमे ठेंस खाएत' ओसब बातमे दोषी ठहरैत अछि।11एहिलेल जे परमेश्वर ई कहलनि, “व्यभिचार नहि करब”, ओएह परमेश्वर इहो कहलनि, “हत्या नहि करब।” एहिलेल, यदि, अहाँ व्यभिचार त' नहि करैत छी मुदा हत्या करैत छी, त' अहाँ व्यवस्थाके अपराधी बनि गेल छी। 12जहिना बाजी ओहिना करु, ओहि लोकक जकां जिनकर न्याय स्वतन्त्रताक व्यवस्थाके माध्यमस' कएल जाएबला अछि।13किएकत' परमेश्वर जहिया न्याय करथिन त' ओकरासबपर कृपा नहि करतथि जे दोसर पर कृपा नहि देखओने छल। कृपा न्यायके विरोधमे दाबी करैत अछि।14हे यौ भाइ, एहिस' की लाभ होएत, की यदि केओ कहए जे हमरा विश्वास त छल, मुदा ओ कर्म नहि क' सकली? विश्वास ओकर उद्धार करएमे सक्षम नहि अछि, छै नहि?15यदि कोनो भाइ वा बहिन वस्त्र आ प्रतिदिनके भोजनके अभावमे होअए,16आ अहाँसबमेस' केओ ओकरास' कहबनि जे, “शान्तिस' जाउ, अपना शरीरके तरोताजा राखू आ सन्तुष्ट रहू,” अहाँ ओकरा अंगके लेल आवश्यक वस्तु नहि देलिऐ, त' की लाभ होएतै?17तहिना विश्वासोमे कर्म नहि होअए होए, त' ओ मरल अछि।18केओ जे तर्क करैत कहत, “अहाँ विश्वास करैत छी, आ हम कर्म करैत छी।” अहाँ अपन विश्वास हमरा कर्म बिना देखाउ; आ हम अपन विश्वास काज स' अहाँके देखाएब।19अहाँके विश्वास अछि जे एकेगो परमेश्वरे छथि; अहाँ नीक करैत छी; दुष्टात्मा सेहो विश्वास करैत अछि, आ ओ थरथराइत अछि। 20मुदा हे मूर्ख लोक, की अहाँ ई बुझए' चाहैत छी, जे कर्म बिना विश्वास व्यर्थ अछि?21की अपनासबके पूर्वज अब्राहम काजस' धर्मी नहि ठहराओल गेल रहथि जखन ओ अपन बेटा इसहाकके वेदीपर चढ़एने छलथि? 22अहाँ देखैत छिऐ जे विश्वास ओकर काज संगे मिलक' काज क' रहल छल आ काजके चलते विश्वास सिद्ध भेल रहैक।23आ ई पवित्र शास्त्र पूरा भेल जे कहैत अछि जे अब्राहम परमेश्वरपर विश्वास कएलथि, आ ई हुनकालेल धार्मिकता गनल गेल छल, आ ओकरा परमेश्वरक मित्र कहल गेल छल। 24अहाँ देखैत छिऐ जे एगो मनुष्य मात्र विश्वासके चलते नहि बल्कि काजके चलते धर्मी ठहराओल गेल छथि।25एहि तरहें राहाब वेश्या सेहो की काजस' धर्मी नहि ठहराओल गेल छल, जखन ओ स्वर्गदूतसबके सेवा कएने छलीह आ ओकरा दोसरे बाट द' क' विदा कएने रहए? 26एहिलेल जहिना आत्मा बिना देह मरल अछि, तहिना विश्वासो कर्म बिना मरल अछि।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67