James1
1याकूब, परमेश्वरके आ प्रभु यीशु मसीहक दास, बारहो गोत्रसब जे छिड़िआएल छी, आनन्दित रहू!2हे यौ हमर भाइ बहिनसब, जखन अहाँसब प्रकारके परीक्षासबमे पड़ी, त' एकरा आनन्दे बुझू,3ई जनैत जे अहाँक विश्वास परखल गेलास' धैर्य उत्पन्न होएत अछि।4मुदा धैर्यके अपन सबटा काज करए' दिऔ, जाहिस' अहाँ कोनो बातके बिना कमी-घटीके परिपक्व आ सम्पूर्ण भ' जाउ।5आ जं अहाँसबमेस' किनको ज्ञानके कमी होअए त' ओ परमेश्वरस' मांगू, जे सबके उदारतास' दैत छथि आ उलहनो नहि दैत छथि, आ ई ओकरा देल जाएत।6मुदा ओ बिना कोनो बातके सन्देह कएने बिना विश्वासपूर्वक प्रार्थनामे मांगथि, किएकत' जे व्यक्ति सन्देह करत ओ हवा द्वारा चलएबला आ उपर-नीचा करएबला समुद्रक लहरि जकां भ' गेल अछि।7तएं एहन लोक ई नहि बुझए जे ओकरा प्रभुस' किछु भेटतनि,8घचपचिया लोक, अपन सबहे बाटमे धुकचुकाइत अछि।9आब संगी-विश्वासी जे गरीब अछि ओसब अपन प्रशंसापर गर्व करए,10मुदा धनवान संगी विश्वासीसब अपन दीनतापर, किएकत' ओ घासक फूल जकां मुरझा जाएत।11किएकत' सूर्य अपन गर्मीके संगे उगैत अछि, आ घासके सुखा दैत छथि, आ ओकर फूल झरि जाइत अछि आ ओकर रुपक सुन्दरता समाप्त भ' जाइत अछि। ओहिना धनीको अपन दैनिक जीवनके व्यवहारमे मुरझा जाएत। 12धन्य अछि ओ मनुष्य जे परीक्षामे अडिग रहैत अछि। किएकत, ग्रहणयोग्य भेलापर, ओकरा जीवनक ओ मुकुट भेटतनि, जेकर प्रतिज्ञा ओ ओहि लोकसबस' कएने छथि जे हुनकास' प्रेम रखैत अछि।13केओ, जिनकर परीक्षा भ' रहल होअए ई त' ओ ई नहि कहए, जे हमर परीक्षा परमेश्वरद्वारा कएल गेल अछि, किएकत' परमेश्वर बेजायस' अनजान छथि, आ ओ अपनेस' किनको परीक्षा नहि लैत छथि।14मुदा लोकसब अपने खराब इच्छास' परीक्षामे पड़िक', घिसिआइत अछि आ बहकि जाएत अछि।15फेरु खराब इच्छा, गभिनाक', पापके जनमबैत अछि, आ पाप बढ़िक', मृत्युके जन्म दैत अछि।16हे हमर प्रिय भाइ बहिनसब, पथभ्रष्ट नहि होउ।17सबटा नीक उपहार आ सबहे उत्तम दान उपरे स' अछि जे परमेश्वर पिता दिसस' नीचा अबैत अछि, जिनकामे कोनो परिवर्तन वा बदलावक चेन्ह नहि अछि।18अपन इच्छास', ओ परमेश्वर अपनासबके सत्य वचनस' जन्म देलनि, जाहिस' हमसब हुनकर सृष्टि कएल गेलमे पहिन फल जकां होअए।19यौ हमर प्रिय संगी-विश्वासी भाइ बहिनसब, जानि लिअ जे सब लोकसब सुनएलेल तत्पर, बाजएमे धीरे, आ पीतायमे मधिम होएबाक चाही।20किएकत' मनुष्यके क्रोध परमेश्वर चाहने धार्मिकताके उत्पन्न नहि करैत अछि।21एहिलेल सबटा मलिनता आ बहुत रास दुष्टता सबके दूरक' क', ओहि अहाँसबके हृदयमे परमेश्वर बोएने वचनके विनम्रतास' स्वीकारि लिअ, जे अहाँक प्राणके उद्धार करएमे सक्षम अछि।22मुदा वचनके पालन करएबला बनू, आ खाली सुनएबला नहि, जे स्वयंके बहकबैत अछि।23किएकत' जे केओ वचनके सुनिक', पालन नहि करैत होअए, त' ओ ओहि लोकसनके अछि जे ऐनामे देखए ओ देखए जे ओ ओएह अछि।24एना जेना ओ स्वयंके ओहिमे देख' लेलनि आ चलि गेल आ तुरन्ते बिसरि गेल जे ओ केहन छल।25मुदा जे लोक स्वतन्त्रताक सिद्ध व्यवस्थापर ध्यान देलनि आ एहन क्रम जारी रहल, एकरा सुनिक' बिसरा जाएबला नहि, मुदा ओहि काजके करएबला भेलथि, एहन लोक अपना काजमे आशीषित होएत।26जं केओ अपनाके भक्त मानथि, आ अपन जिउपर लगाम नहि लगबै, मुदा अपन मनके धोखा दिए, त' ओहि व्यक्तिक भक्ति व्यर्थ अछि। 27परमेश्वर आ पिताक सम्मुख पूर्ण शुद्ध आ निर्मल भक्ति इएह अछि जे अपनासब अनाथ आ विधवासबके क्लेशमे ओकर सुधि लेब, आ स्वयंके संसारके अशुद्धतास' अलग राखब।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.