इब्रानी13

1अपन संगी विश्वासीसबस' भातृ-स्नेह करएमे मजगूत बनल रहू।2एहि बातके सुनिश्चित करु जे अहाँ दोसर लोकसबके स्वागत क' रहल छी। अहाँक एना एहिलेल करबाक चाही किएकत दोसरके स्वागत करएबला किछु लोकसब जे सांचोमे स्वर्गदूतसबके स्वागत कएने छल, तइयो ओ ई नहि बुझति छल जे ओ आत्मिक लोक अछि। 3जे लोक जहलमे' अछि ओकर मदति जरुर करु। अहाँके ओकर मदति ओहिना करबाक अछि जेना अहाँ चाहए छी जे दोसर लोक अहाँके मदति करी जखन अहाँ ओकरासंगे जहलमे छी। संगे जे, ओहि लोकसबके मदति कएनाइ नहि बिसरु जेकरा संगे दोसर लोक खराब व्यवहार करैत अछि। अहाँके एना एहिलेल करबाक चाही किएकत अहूं जे एहन शरीरमे छी जे दुखित भ' सकए छी।4विवाह सबगोटेके बीचमे सम्मानके बात होएबाक चाही, आ विवाह क बिछाओन पवित्र होएबाक चाही, किएकत' परमेश्वर व्यभिचारीसबके आ परस्त्रीगामीसबके न्याय करतथि।5धनके लोभ करएस' अहाँके सदिखन बचबाक चाही। अहाँ लग जे किछु अछि ओहिमे खुशी रहबाक चलते अहाँ एनाक' सकए छी। अहाँके एहि तरहें' एहिलेल व्यवहार करबाक चाही, किएकत परमेश्वर अहाँमेस सबगोटे स' ई प्रतिज्ञा कएने छथि, “हम अहाँके ठीके नहि त्यागब। हं, हम सदिखन अहाँके संगे रहब।” 6किएकत परमेश्वर एना कहैत अछि, एहिलेल हम साहसपूर्वक ई शब्द कहैत छी “ओ प्रभु परमेश्वर छी जे हमरा सम्हारैत अछि। एहिलेल, हम केकरो से नहि डेराइत छी। केओ हमरा चोट पहुंचाब लेल किछु नहि करी सकत।” 7ओहि लोकसबपर ध्यान दू जे अहाँ अहाँके समूहक प्रभारी अछि। हमर मतलब ओहि लोकसबस' अछि जे सब अहाँके ओ कहलनि जे परमेश्वर कएने अछि। ओहि नीक बातक जांच करु जे ओकर व्यवहारके कारणे घटित भेल। जाहि तरहें ओसब परमेश्वरपर विश्वास कएलनि अहाँके हुनकर अनुकरण करबाक चाही।8यीशु मसीह आइ काल्हि आ सदा-सर्वदा एक समान छथि। 9दोसर लोकसबके अहाँसबके अनेको प्रकारके एहन बात सिखएके चलते व्यवहारमे भटकि नहि जाउ जे सुसमाचारस' मेल नहि खाइत अछि। अहाँसबके ओसब जे बातसब सिखाओल जाइत अछि, तेकरा अस्वीकार करबाक चाही, किएकत' परमेश्वरके कृपा मात्र हमरासबके हृदयके मजगूत बनबैत अछि। भोजन हमसब खाइत छी से नहि क' सकैत अछि। असलमे जे लोक एहन काज करैत छथि जेना खान-पान एहन क' सकैत अछि हुनका कोनो फायदा नहि होइत छनि।10हमरासबके यीशुक बलिदान स' लाभ भेटैत अछि, जे पवित्र तम्बूमे पुजारी सबहक चलते वेदीपर चढ़ाएल गेल बलिदान स' बहुत बेसी अछि। वास्तवमे, ओ सेवा करएबलासबके यीशुक बलिदानमे कोनो अधिकार नहि छथि।11परम पवित्र स्थानपर राजकीय मुख्य पुजारी ओहि पशुसबके लेहू चढ़बैत छलाह। ओ ई कएलनि पाप दूर करबाक लेल। तखन केओ एहि जानबरसबके मरल शरीरके ओहि ठामस' दूर ल' जाइत छल जत इजराएलीसब रहैत छल आ ओकरासबके पूरा तरहें छावनीके बाहर जरा दैत छल।12एहिलेल यीशु सेहो ओहि ठामस' दूर जाक मरि गेलाह जत लोकसब रहैत छल यरूशलेम नगरमे। ओ ई एहिलेल कएलनि जे परमेश्वरक लोकके अपन लेहू चढ़ाक' अपनालेल पवित्र क' सकथि।13तएं अपनासबके ओकरासबके अपमान अपना उपर लैत छावनीके बाहर हुनकालग चली। 14किएकत' हमरासबके ई एहिलेल करबाक चाही जे, एत पृथ्वीपर, हमसब एहन नगरमे नहि रहैत छी जे अनन्तकालधरि चलत। बल्कि, हमसब ओहि शहरमे जिअए चाहैत छी जे परमेश्वर जल्दिए हमरासबके देथिन।15यीशुद्वारा अपनासबके सहायता करबाक लेल अपनासबके बेर-बेर परमेश्वरक स्तुति करबाक चाही जेना हमसब हुनकालेल बलिदान द' रहल छी। हम ई तखन करैत छी जखन हम कहैत छी जे हम यीशुके नाममे विश्वास करैत छी। 16संगहि, हमरासबके ई सुनिश्चित करबाक आवश्यकता अछि जे हमरासब लग जे किछु अछि, ओहिमेस' किछु द' क' दोसरक मदति करी। ई करब परमेश्वरके प्रसन्न करएबला बलिदान देब जकां अछि।17जे लोक अहाँसबहक समूहके प्रभारी छथि आ ओ जनैत छथि जे परमेश्वर हुनकासबके अहाँसबलेल जिम्मेवार मानैत छथि, आ तएं ओसब सदिखन अहाँसबहक प्राणके देखभाल करएमे ध्यान दैत छथि। एहिलेल अहाँसबके आदरपूर्वक ओसब जे अहाँसब करी जे हुनकासबहक इच्छा अछि से अहाँसबके मानि लेबाक चाही। एहि तरहें ओसब दुखक बदला हंसी-खुशीस' अहाँक समूहक नेतृत्व क' सकैत छथि। सचमुच, जं' ओसब दुखमे नेतृत्व करितथि त' अहाँक कोनो फायदा नहि होएत। 18कृपया परमेश्वरस' प्रार्थना करु जे ओ हमरा आओर हमरासंग रहनिहार सबहक सहायता करथि। हम ई एहिलेल कहि रहल छी जे हमरासबके अन्तरात्मामे पक्का विश्वास अछि जे हमसब दोषी नहि छी। असलमे हमसब सदिखन समुचित व्यवहार करबाक इच्छा रखैत रहलहुं अछि।19हम अहाँसबस' आओर आग्रह करैत छी जे अहाँसब परमेश्वरस' प्रार्थना करु जे ओ हमरा जल्दिए अहाँसबलग वापस पठा दितथि।20परमेश्वर छथि जे अपन लोकसबके शान्ति प्रदान करैत छथि। ओ हमरासबहक प्रभु यीशुके मरलमेस' जिआ देलनि। यीशु एकटा पराक्रमी भेंड़ाके चरबाह जकां छथि जे हमरासबके, हुनकर भेंड़ासबके नेतृत्व करैत छथि। परमेश्वर हुनका फेरुस' जीवित कएलनि किएकत' यीशु अपन लेहूके उपयोग एकटा नव करार स्थापित करबाक लेल प्रयोग कएलनि जे अनन्तकालधरि चलत। 21हमसब प्रार्थना करैत छी जे परमेश्वर अहाँसबके नीक वरदान प्रदान करथि। एहि तरहें, अहाँ ओ काज क' सकैत छी जे ओ चाहैत छथि। वास्तवमे, ओ हमरा सिनी क' यीशु मसीहके माध्यमस ओ काम करएमे सक्षम करए छै जे हुनका खुश करए छै। तएं हमसब सदिखन परमेश्वर प्रशंसा करी! हम इएह आशा करए छी। आमीन!22हम अहाँसबके छोट-छोट पत्र पठौने छी। एहिलेल संगी-विश्वासीसब, हम आग्रह करैत छी जे कृपया अहाँसबके प्रोत्साहित करबाक लेल जे किछु कहलहुं ताहिपर ध्यानस विचार करु।23हम चाहैत छी जे अहाँसब ई जानि लिअ जे ओ अधिकारीसब हमरासबके संगी तिमुथियुसके जहलस' मुक्त क' देने अछि। जं ओ जल्दीस' एत पहुंच जएताह त' हमसब एकठाम आबि अहाँसबस' भेट करब।24जे सब अपन समूहक प्रभारी छथि, हुनकासबके नमस्कार करु। संगहि, परमेश्वर सब पवित्र लोकके नमस्कार करु। जे इटली देशके विश्वासीसब छथि ओसब अहाँके नमस्कार करैत छथि।25हम प्रार्थना करैत छी जे परमेश्वर अहाँसबपर अनुग्रह करथि।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67