इब्रानी9

1रहल बात पहिन वचनबद्धताके जे परमेश्वर इजराएलके संग कएने छलाह, त' ओहिमे लोकके पृथ्वीपर एकटा पवित्र स्थानमे परमेश्वरके आराधना सेवा एकटा विशिष्ट नियमस' करबाक आवश्यकता छल।2इजराएलीसब जे पवित्र स्थान बनौलनि से पवित्र तम्बू छल जाहिमे दूटा भाग छल। ओ बाहरी भागके पवित्र स्थान कहलनि। एहिमे ओसब डिबियासब लेल एकटा दिहैट आ एकटा टेबुल बनौलनि जाहिपर ओ रोटी राखि देलनि। 3भितरका भागके पर्दा ओहिपार छल। ओ एहि आन्तरिक भागके सबस पवित्र स्थान कहलनि। 4ओसब दोसर भागमे धूप-वेदी आ पवित्र सन्दूकके राखि देलनि आ दुनू वस्तुके सोनास' पूरा तरहें झांपि देलनि। पवित्र-सन्दूकमे ओसब मन्नास' भरल सोनाके बर्तन रखलनि, जे ओएह भोजन छल जे परमेश्वर इजराएलीसबके जंगलमे रहैत काल दैत छलाह। ओसब ओहिमे हारूनके लाठी सेहो धएलनि, जाहिमेस' परमेश्वर पता निकालि देने रहथि। ओसब ओहिमे पत्थलक पाटीसब सेहो राखि देलनि जाहिपर मूसा परमेश्वरक संग कएल गेल करारके सबस' महत्वपूर्ण भाग दस आज्ञा लिखने रहथि। 5पवित्र सन्दूकके उपर प्रायश्चितके ढकनापर महिमामय आत्मिक दूटा करूब के प्रतिमा पांखिबला रखलनि। ई प्रतिमा सबद्वारा पवित्र सन्दूकके ढकनापर छांह पड़ैत छल, ओना, एखन एहि प्रत्येक वस्तुपर ध्यानपूर्वक चर्चा करबाक सही समय नहि अछि। 6ओहि सब वस्तुसबके अपन अपन स्थानमे सजाक' पुजारीसब प्रतिदिन पवित्र तम्बूक बाहर परमेश्वरक सेवा करबाक लेल निकालैत छलाह। 7दोसर दिस सालमे एकदिन मात्र वर्तमान मुख्य पुजारी पवित्र तम्बूक भितर जाइत छल। हुनका एकटा बलिदान कएल जानबरके लेहू अपना संग लेबए पड़ैत छन्हि, जेकरा ओ गलतीस' अपन पाप आ बांकी इजराएली सबहक पाप दूर करबाक लेल परमेश्वरके अर्पित करैत अछि। 8परम पवित्र स्थानमे पुजारीसब जे काजसब करैत छथि पवित्र आत्मा ई प्रगट करैत छथि जे परमेश्वर ओहि समयमे नहि कहलनि जे, जखन ओ लोकसबके कहलनि जे पार्थिव लोकसबके पहिनुका भागके प्रयोग करबाक इच्छा रखैत छथि।9पार्थिव तम्बूक ई पहिन भाग दृष्टान्तके रुपमे अपनासबके ओहि वर्तमान समयके वर्णन करैत अछि जाहिमे इजराएलीसब रहैत छलथि। ओहि समयमे पुजारीसब एहन भेटी चढ़बैत छलाह, आ विवेक अनुसार आराधना करएबलासबके सिद्ध करए सक्षम नहि भ' रहल अछि।10ओसब एहन नियमक पालन सेहो करैत छलाह जे मात्र शारीरिक विषयमे छल, जाहिमे की खनाइ पिनाइ आ बेसी काल पानिमे कोना नहाएल जा' सकैत अछि। परमेश्वर हुनकासबके ई नियम सबहक पालन करबाक लेल देलनि जाधरि ओ अपन लोकसबके संग नव करारके आदेश नहि देथि।11एहिके विपरीत, जखन मसीह मुख्य पुजारीक रुपमे सेवा करए लगलाह, तखन ओ हमरासबके ओ नीक वस्तु देलनि जे एखन हमरासबलग अछि। ओ स्वर्गीय पवित्र तम्बूस' भ' क' गेलनि जे पार्थिव तम्बूस' नीक काज करैत अछि। ई पवित्र तम्बू मनुष्यद्वारा नहि, बल्कि परमेश्वरद्वारा बनाओल गेल अछि, आ ई सृजल गेल पृथ्वीपर सेहो नहि अछि।12तखन ओ परम पवित्र स्थानमे एकबेर मात्र गेलाह त' बलि चढ़ाएल गेल बच्छा आ बकराके लेहू नहि चढ़ओलनि जेना लेवीके वंश पुजारीसब करैत छथि। बल्कि ओ अपन लेहू चढ़ा देलनि आ अपना लोकके अपन पापस' अनन्तके लेल उद्धार देलनि।13आब ओ पुजारीसब कोनो व्यक्तिद्वारा बलि देल गेल बैल आ बकराके' लेहू चढ़बैत छथि आ अशुद्ध लोकसबपर जे गाय जराओल गेल छल, तेकरा छिटैत छथि। जखन पुजारी ईसब काज करैत छथि, ओ वास्तवमे कोनो व्यक्तिके बाहरी भागके शुद्ध करैत छथि। 14ओना ई बात सत्य अछि, त' मसीह अपन लेहूस' जे काज करैत छथि, से लोकसबके आओर शुद्ध करैत अछि! ओ स्वयंके परमेश्वरक सेवाके लेल हुनका समक्ष एकटा सिद्ध बलिदानक रुपमे अर्पित कएलनि, आ जे आत्मा अनन्तकालधरि जीवित अछि, हुनका एना करबामे सक्षम बना देलनि। अहाँ जे किछु करैत छी आ किछु पूरा नहि होइत अछि, ओकरा हटबैत, अहाँसबहक विवेकके शुद्ध करैत छथि, आ अहाँके ओ काज करबामे सक्षम बना दैत छथि जे एकमात्र सत्य परमेश्वरके इच्छा अछि।15किएकत' मसीह लोकक भितर शुद्ध करैत छथि, तएं परमेश्वर हुनकाद्वारा एकटा नव करारके मध्यस्थ कएलनि अछि। ओहि तरहें परमेश्वर अपन चुनल लोकसबके ओसब किछु दैत छथि जे ओ वचनबद्धता कएने छलाह जे हुनकासबके सदाके लेल भेटतनि। ई एहिलेल भ' सकैत अछि जे यीशु अपन लोकके ओहि गलतीस' उद्धार करबाक लेल मरला जखन ओसब ओहि करारके नहि पूरा कएलनि जे परमेश्वर इजराएलक संग कएने छलाह।16आब जखन केओ वसीयत करैत अछि जे एक प्रकारक वचनबद्धता अछि, तखन ओ वसीयत लागू होबएस' पहिने ओहि व्यक्तिके मरए पड़तैक।17असलमे सब करार मात्र मृतकके कारणे मान्य होइत अछि आ सामर्थ्यमे अबैत अछि। एकर कारण अछि जे करार ताधरि लागू नहि होइत अछि जाधरि ओकरा बनाबएबला व्यक्ति जीवित नहि रहैत अछि।18तहिना जखन परमेश्वर इजराएलीसबस' करार कएलनि तखन ओ सबस' जानबरके लेहू प्रयोग करबाक अपेक्षा कएलनि।19वास्तवमे मूसा इजराएलीसबके अपन नियममे जे किछु आज्ञा देने छलाह, तेकरा कहलाक बाद ओ एकटा कटोरा उठएलनि जे केकरोद्वारा बलिदान कएल गेल बच्छा आ बकराके लेहूस' भरल छल। तखन ओ पानि, लाल रंगके वस्त्र आ जूफाक गाछक किछु भागके उपयोग क' ओहि लेहूके ओहि पुस्तकपर जाहिमे परमेश्वरक आज्ञासब किछु लिखने छलाह आ समस्त इजराएलीपर छिट देलनि। 20तखन मूसा लोकसबके ओ लेहू छिटबाक आदेश दैत एना कहलनि, “ई लेहू एहि बातक प्रतीक अछि जे परमेश्वर अहाँसबसंगे जे करार पालन करएलेल कएने छलाह, से आब लागू भ' गेल अछि।” 21तहिना मूसा पवित्र तम्बूपर आ सबकिछुपर, जे पुजारीसबद्वारा परमेश्वरक सेवामे प्रयोग कएल गेल छल, ताहिपर लेहू छिट देलनि। 22संगहि, परमेश्वर मूसाक नियममे आज्ञा देने छथि जे पुजारीसबके सब बेर जखन लोकसबके शुद्ध करैत छथि, तखन लेहू प्रयोग करबाक चाही। असलमे परमेश्वर कोनो व्यक्तिके ताधरि क्षमा नहि करैत छथि जाधरि कोनो पुजारी ओहि जानबरके लेहू नहि चढ़ा दैत छथि जेकरा कोनो व्यक्ति बलि देने अछि। 23त' फेरु पुजारीसबके स्वर्गीय परम पवित्र स्थानक अनुकरणक लेल शुद्ध करए पशु बलि चढ़ाबए पड़तनि। तहिना यीशुके स्वर्गीय पवित्र स्थानके शुद्ध करबाक लेल आओर पैघ बलिदान देब पड़तनि।24जखन ओ बलिदान देलनि, मसीह सर्वोच्च स्वर्गमे चलि गेलाह, जत ओ एहि समयमे हमरासबहक सहायता करबाक लेल परमेश्वरक समक्ष स्वयंके प्रगट कएलनि अछि। ओ ओहि परम पवित्र स्थानमे नहि गेलाह जे मनुष्य बनौने छल, जे वास्तविक परम पवित्र स्थानक नमूना अछि।25ततबे नहि, मसीह मात्र एके बेर बलिदानक रुपमे चढ़ाबए लेल स्वर्गमे चलि गेलाह। पार्थिव मुख्य पुजारी ई काज नहि करैत छथि। सब साल ओसब परम पवित्र स्थानपर जाइत छथि आ ओहि जानबरके लेहू चढ़बैत छथि जेकरा कोनो व्यक्ति बलि देने छथि।26जं' यीशुके' एक स' बेसी बेर स्वयंके अर्पित करबाक आवश्यकता होइत छल, परमेश्वर सब वस्तुक सृष्टि कएलाक बाद हुनका कतेको बेर मरबाक आवश्यकता होइतनि। मुदा जे सत्य छै यीशुके विषयमे ओ ई छै, ई अन्तिम युगमे, ओ पापके शक्तिहीन बनाबए लेल एकबेर स्वयंके बलिदानके रुपमे अर्पित कएलनि।27प्रत्येक मनुष्य एकबेर मात्र मरत, आ ओहि समय परमेश्वर निर्णय लेताह जे ओ दोषी अछि आ की निर्दोष। 28तहिना मसीह बहुते लोकक पाप दूर करबाक लेल मात्र एकबेर स्वयंके बलिदानके रुपमे चढ़ा देलनि। तखन, ओ फेरुस' पृथ्वीपर आओत जे पापके हटएबाक नहि, बल्कि अपन लोकके उद्धार करबाक लेल जे लगनस' हुनकर प्रतीक्षामे रहैत अछि। 

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67