इब्रानी10
1जे व्यवस्था परमेश्वर मूसाक माध्यमस' देने छल, ओ अपने ओहि अद्भुत वस्तुसबमेस' एगो नहि अछि जे परमेश्वर अपन लोकसबके देथिन। एहिलेल, ई मात्र ओहि अद्भुत वस्तुसब दिस इशारा करैत अछि। एहिलेल, भलेहि जे लोक परमेश्वरके स्वरुप भ' जाए छी ओ सदिखन अपन भेटीसब प्रतिवर्ष चढ़बैत अछि, मुदा एहन करए से ओ कखनो जे ओ नहि बनि पाओत जे परमेश्वर ओकरा शुद्ध चाहैत छथि।2मानिलिअ जे ओहि भेटसब जे सांचोमे ओहि लोकसबके शुद्ध क' देलनि जे परमेश्वरक आराधना करैत अछि। ओहि विषयमे', ओकर विवेक कखनो पापसब लेल दोषी महसूस नहि करत, आओर ओ भेटीसब चढ़एनाइ बंद क' देत।3मुदा ओ भेटसब बलिदान कएनाइ बंद नहि भेल अछि तएं ई बलिदानसब लोकसबके प्रतिवर्ष ओकर पापसबके स्मरण करबैत अछि।4ओ भेटसब एना एहिलेल क' सकैत अछि, किएकत कोनो मनुष्यस' बलिदान कएल गेल बैल आ बकराके लेहू लोकसबके पापसबके दूर नहि क' सकैत अछि।5एहि कारणे जखन मसीह संसारमे अएलथि, त' ओ परमेश्वरस' कहलनि, “अहाँ नहि चाहैत छी जे लोक भेटीसब चढ़ब। एकर अतिरिक्त, अहाँ हमरालेल एगो मनुष्य देहके तैयार कएलहुं। 6अहाँ ओहि होमबलिसबके आनन्द नहि उठएलक जे लोक अपन पापसबके दूर करबाक लेल चढ़बैत अछि।7एहिलेल, मसीह परमेश्वरस' कहलथि, ‘हम आओत छी! जे केओ हमरा विषयमे पवित्र पुस्तकके खण्डमे लिखने अछि। यौ हमर परमेश्वर, हम ओहे करब, जे अहाँ चाहैत छी जे हम करी।’”8मसीह जे परमेश्वरस' जे बातसब पहिने कहलनि ओ ई अछि: “ओ भेटसब जे लोक चढ़बैत अछि वा ओ होमबलि जे लोक अपन पापसबके दूर करबाक लेल चढ़बैत अछि, अहाँ ओ नहि चाहैत आ नहि अहाँ ओकर आनन्द लैत अछि।” ओ भेटसब आ बलिदान ओहे अछि जेकरा इजराएली लोक परमेश्वरके चढ़बैत अछि जेना ओ मूसाके माध्यमस' देल गेल व्यवस्थामे' मंगने रहथि।9फेरु, मसीह दोसर बेर ई कहलनि: “हम एतहि छी! हम ओहे करब, जे अहाँ चाहैत छी जे हम करी।” पहिन बेरमे ओ जाहि सम्बन्धमे कहने छल ओकरा ओ मेटा देलनि जाहिस दोसर बेरमे' ओ जाहि विषयमे' बजने छल ओकरा स्थापित क' सकए।10जे परमेश्वर चाहैत छल ओ ई अछि: यीशु मसीह जे अपन देहक' खाली एकबेर भेट स्वरुप चढ़ओलनि, आ ओहि भेट स', परमेश्वर जे हमरा अपनालेल पवित्र कएलनि। 11आब सब पार्थिव मुख्य पुजारीसबके परमेश्वरक आराधना सेवा करैत समय सब दिन ठाढ़ भ' क' एके जकां बहुते भेटीसब चढ़ब पड़ैत अछि। ई भेटसब लोकसबके पापसबके दूर नहि क सकत। 12एहिके विपरीत, मसीह जे एकेगो चढ़ौना चढ़एलथि जे पापसबके दूर करएमे सदिखन प्रभावशाली अछि। फेरु, ओ परमेश्वर पिताके संगे रहलेल रही गेलाह, जत ओ सिंहासनपर बैसिक' शासन करए छथि।13एहि समय, ओ इहे अछि जखनधरि जे परमेश्वर हुनकर सब दुश्मनसबके हराक अहाँके पांवदान नहि बना देथि। 14मसीह ओतए एहिलेल अछि, किएकत ओ एकेगो भेट चढ़एने अछि, जिनकास' ओ ओहि लोकसबके, जेकरा परमेश्वर अपनालेल पवित्र करैत अछि, सदिखन ओहिना बनबैत अछि जेना परमेश्वर ओकरा बनब चाहैत अछि।15परमेश्वरक आत्मा जे हमरापर एहि बातक गवाही दैत कहैत छथि जे ई सत्य अछि। जे बात ओ सबस पहिने ओहि शब्दसबमे गवाही देने छल जेकरा हम पहिनहि कहि देने ओ ई अछि:16“ई ओहि प्रकारक प्रतिज्ञा अछि जे हम ओकरासंगे भविष्यमे बन्हबए। जे हम, प्रभु कहैत छी ओ ई छी: हम ओकरा अपन व्यवस्था मनएबाक लेल आ ओकरा बुझबाक लेल निपुण बनाबए।”17फेरु परमेश्वरक आत्मा जे दोसर बेर शब्दसबमे ई बात कहने रहथि जे हम पहिनहि कहि देने छी: “हम हुनका ओकरेस' कएल गेल पापी आ अनाज्ञाकारी काजसबके लेल फेरु कहियो दण्ड नहि देब।” 18जखन परमेश्वर लोकसबके ओकरास' कएल गेल पापी आ अनाज्ञाकारी काजसबके लेल क्षमा करए छथि, त' कोनो जे व्यक्ति पापसबके दूर करबाक लेल फेरु बलिदान नहि चढ़बैत।19एहिलेल फेरु, हे संगी विश्वासीसब, हम एहि बातक लेल पुरापुरी आश्वस्त भ' सकए छी जे यीशुके मृत्युके कारण, हमरालेल स्वर्गीय परम पवित्र स्थानमे' जएबाक लेल एगो रस्ता अछि।20यीशु जे हमरासबके लेल पर्दा अर्थात् अपन शरीरक माध्यमस' एकटा नव आ जीवित रस्ता खोलने छथि।21एहिके अतिरिक्त, मसीह एहन शासकीय मुख्य पुजारी छथि जे हमरासबके लेल अर्थात् परमेश्वरके घर परिवारक लेल काज करैत छथि।22किएकत ओ बात सत्य अछि, एहिलेल हमसब परमेश्वर लग जएबाक चाही, आ अन्तरात्मामे पूर्ण भरोसास' हुनकर सेवा करैत आ ओहिपर आब एहि बातक सम्पूर्ण रुपस' विश्वास करैत जएबाक चाही जे ओ हमरासबके मन भितर आ शरीरके बाहरस' शुद्ध कएने छथि जाहिस जे खराब काज हमसब जे कएने छी ओकरा विषयमे' हम दोषी महसूस नहि करी। 23जे परमेश्वर हमरास' एहि बातक प्रतिज्ञा जे अछि, ओ ओकरा करबनि जे ओ कहने अछि। एहिलेल, जेकर विषयमे' हम कहए छी जे हम परमेश्वरके विश्वासयोग्यताके अपेक्षा करैत छी त' हमरा ओकरापर पूर्ण रीतिस' विश्वास करबाक चाही।24एकर अतिरिक्त, हमरा एक-दोसरके विषयमे' विचार करबाक चाही, विशेष क' क' एहि बातमे' जे एक-दोसरके आन लोकसबस' प्रेम करबाक आ ठीक काज करबाक लेल कोनो उत्साहित करी।25भलेहि किछु लोक सदिखन एकठाम जमा नहि होअए, मुदा हमसब परमेश्वरक आराधना करएलेल आ एक-दोसरके उत्साहित करबाक लेल सदिखन एके संगे एकट्ठा भ' क' एना क' सकैत छी। किएकत हम जनैत छी जे यीशु तुरन्ते घुरिक आबि रहल अछि, एहिलेल हमरा ओहि काजसबके करबाक लेल बेसी आतुर रहबाक चाही।26हमरा एहि काजसबके एहिलेल करबाक चाही, किएकत एकबेर ओ सत्य सन्देशके जे मसीहक विषयमे अछि पुरापुरी बुझि लेलाके बाद, जखन जे हम जानि बुझिक आ आदति अनुसार पाप करैत अछि, त' केओ जे व्यक्ति एहन भेटी नहि चढ़ा सकत जे हमरा पापसबके दूर दिए।27मुदा दण्डके एकटा निश्चित आशा, आ भयानक जलनके आगि बांकी अछि जे विरोधीसबके भस्म क देतनि। 28इजराएली लोक एहन कोनो जे लोकके मारि दैत छल जे परमेश्वरस' मूसाक माध्यमस' देल गेल व्यवस्थाके पालन कएनाइ पूर्णरुपस' बंद क दैत छल, जखनधरि जे कमस' कम दू वा तीन गवाह एहि बातक पुष्टि नहि क' दिए जे ओहि लोकके एना कएने अछि। ओ ओहि लोकपर दया नहि करए छल। 29मुदा आब ओहि लोकसबपर सोंचू जे परमेश्वरक पुत्रके लज्जित करैत अछि। ओ ओकर लेहूके' संगे एहन व्यवहार करैत अछि जे बुझू जे ओ साधारण लेहू होए, भलेहि परमेश्वर ओहि लेहूके उपयोगस' अपन करारके बन्हबाक लेल आ ओकरासबके अपनालेल पवित्र करबाक लेल कएलनि। ओसब परमेश्वरक आत्माके अपवित्र मानलक आ मजाक करैत अछि, जे दयाके काज करैत छथि। परमेश्वर न्यायपूर्वक हुनकासबके ओहिस' बेसी दण्ड देथिन जतेक ओ एहन कोनो व्यक्तिके देलनि अछि। जे मूसाके द्वारा परमेश्वरके द्वारा देल गेल व्यवस्थाके पालन कएनाइ पूर्णरुपस' छोड़ि देने छथि। 30हमरासबके ई बात सत्य अछि, किएकत' हमरासबके परमेश्वरस' भेट भेल अछि, जे कहलथिन, “हमरासबके जखन ओसब हमरा विरुद्ध काज करत त' हमहीं न्याय करब। आ हम ओहिना करब जेना हुनकासबहक हकदार छथि।” आगु ओ इहो कहलनि, “हम प्रभु, ई निर्णय करब जे हमर लोक दोषी अछि वा निर्दोष।” 31एकमात्र जीवित परमेश्वरके हाथमे पड़नाइ भयानक बात अछि!32दोसर दिस हम चाहैत छी जे अहाँसब एहि बातपर सोंचू जे जखन अहाँसबके पहिन बेर सुसमाचारक विषयमे पता चलल तखन अहाँके केहन लागल। ओहि समयमे अहाँ परमेश्वरपर भरोसा करैत रहलहुं जखन की अहाँ जे किछु कष्ट सहलहुं ताहिमे सेहो दृढ़तापूर्वक ठाढ़ रहलहुं।33कहियो कहियो लोकसब सार्वजनिकरुपस अहाँसबके अपमान कएलक आ अहाँसबके आहत कएलक। आन मामिलामे अहाँसब दोसर लोकसबसंगे सहभागी भेलिऐ जेकरा सेहो एहने अनुभव भेल छल।34आओर विशेषरुपस अहाँ जहलमे बैसल लोकक प्रति सहानुभूतिके कारणे काज कएलहुं। संगहि जखन लोक अहाँक सम्पत्ति छिन लेलक तखनो अहाँ आनन्दित भेली। अहाँ ई एहिलेल कएलहुं जे अहाँ ई बुझि गेलहुं जे परमेश्वर अहाँक लेल किछु पैघ आ स्थायी किछु रखैत छथि।35तएं भरोसा राखू जे परमेश्वर जे प्रतिज्ञा कएने छथि से पूरा करताह। जे एहि तरहें आत्म-विश्वास रखैत छथि हुनका परमेश्वर बहुत पुरस्कृत करैत छथि।36जेना की अहाँसब देख रहल छी, अहाँसबके परमेश्वरपर भरोसा करैत रहबाक आवश्यकता अछि। एहि तरहें एकबेर जखन अहाँ परमेश्वरक इच्छा करब तखन अहाँके ओ भेटत जे ओ अहाँके देबाक वचन देने छथि।37एकटा प्रवक्ता ई बात शास्त्रमे लिखने छथि, “जे आबएबला छथि, ओ बहुत जल्दी आबि जएताह। बेसी काल प्रतीक्षा नहि करताह।38संगहि, जे सब हमर धार्मिक सेवा करैत छथि, ओसब जीवित रहैत काल हमरापर भरोसा करताह। मुदा मानि लिअ जे ओसब हमरापर भरोसा करब छोड़ि दैत छथि। तखन, हमर मन ओकरासबस' हमर प्राण प्रसन्न नहि रहत।” 39मुदा, हमसब ओहि लोकमे नहि छी जे परमेश्वरपर भरोसा छोड़ि दैत छथि, जिनका ओ नाश क' देताह। बल्कि हमहीं सब छी जे परमेश्वरपर भरोसा करैत छी, तएं ओ हमरासबके प्राणके बचबैत छथि।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.