इब्रानी8

1आब जे बात कहल जा रहल अछि ओकर मुख्य विषय ई अछि, जे हमरासंग एहन महा मुख्य पुजारी छथि जे स्वर्गपर महा महिमितके सिंहासनके दहिनाकात बैसल छथि ,2जे की पवित्र स्थान आ सबस' वास्तविक तम्बूक एकटा सेवक छथि, जाहिके मनुष्य नहि, प्रभु ठाढ़ कएने छल।3आब परमेश्वर स्वयं लोकके शासकीय मुख्य पुजारी बना दैत छथि जाहिस' ओ बलि चढ़ा सकथि। कारण शासकीय मुख्य पुजारीसब एना करैत छथि, यीशुके बलि चढ़ाबके सेहो आवश्यकता छलनि।4एहिलेल, जे मुख्य पुजारी पहिनेस' लेवीके वंश अछि, ओएह परमेश्वरक व्यवस्था अनुसार पृथ्वीपर बलिदान चढ़बैत अछि, एहिलेल यदि यीशु एहि समय पृथ्वीपर रहितथि त' ओ मुख्य पुजारीक' रुपमे सेवा नहि क' रहल होएतथि।5ओ मुख्य पुजारी ओएह सेवा करैत अछि जे परमेश्वर ओहि पवित्र स्थानमे चाहैत छथि जे स्वर्गीय पवित्र स्थानक नमूना अछि। अहाँ कहि सकैत छी जे ई एहिलेल सांच अछि, किएकत' परमेश्वर जे एकरा मूसापर ओहि समय प्रगट कएने छल जखन मूसा इजराएलीसबस' पवित्र तम्बूक' निर्माण करए जा' रहल छल। ओहि समय, परमेश्वर जे ओकरास' बात कएलनि जे, “एहि बातके सुनिश्चित करु जे ओहि पवित्र तम्बूक विषयमे सब किछु ओहि मूल पवित्र स्थानस' मेल खाइत होए जेकरा हम अहाँपर प्रगट कएने रही जखन सीनै पर्वतपर अहाँ हमरासंगे छली!” 6मुदा यीशुक विषयमे जे बात सत्य अछि ओ ई अछि, ओ लेवीके वंशके बरोबरिमे बड़ नीक जकां सेवा करैत अछि। ओहि तरहें, जे करार परमेश्वर अपन यीशु अपन लोकसबके संगे मध्यस्थ कएने छल, ओ ओएह करारोस' बेसी पैघ अछि, जे परमेश्वर इजराएली सबहक संगे कएने छलथि। एहन एहिलेल अछि किएकत' जखन परमेश्वर जे ई नवका व्यवस्था स्थापित कएलनि तखन ओ बड़का-बड़का बातसबके प्रतिज्ञा कएने रहथि।7आब अहाँ कहि सकैत छी, परमेश्वर जे इजराएली सबहक संग जे वचनबद्धता कएने छलथि, ओ निर्दोष एहिलेल नहि छल, किएकत' परमेश्वर जे एकटा आओर वचनबद्धताके इच्छा कएने रहथि।8अहाँ कहि सकैत छी जे पहिन वचनबद्धता एहिलेल सिद्ध नहि भ' सकल छल, किएकत' प्रभु ई घोषणा कएने रहथि जे इजराएलीसब ओहि वचनबद्धताके पालन ठीकस' नहि कएलनि जखन ओ अपन लोकसबके कहलनि, “जे हम अहाँस कहैत छी ओ ई अछि, ध्यान दिअ! जल्दिए हम इजराएलक राज्य आ यहूदाक राज्य दुनूमे रहनिहार अपन सब लोकक संग एकटा नव वचनबद्धता करब।9ओ वचनबद्धता ओहि वचनबद्धता जकां नहि होएत जे हमसब ओकर पूर्वजसबके संग ओहि समयमे कएने रही जखन हम प्रेमपूर्वक ओकरा मिस्र देशस' छोड़ने रहिऐ। जे हम, प्रभु कहैत छी ओ ई अछि, ई वचनबद्धता ओहि वचनबद्धताके समान एहिलेल नहि होएत, किएकत' ओसब ओकर पालन नहि कएलक, एहिलेल हमहीं ओकरासबके वास्ता करब छोड़ि देलहुं। 10परमेश्वर कहैत छथि जे ई ओहि प्रकारक वचनबद्धता अछि जेकरा हम अपन प्रजा, इजराएली सबहक संग जल्दिए करब। जे हम कहैत छी ओ ई अछि हम ओकरा मनमे अपन व्यवस्थाके समझएमे आ ओकर पालन करबामे सक्षम बनाएब। हम ओ प्रभु बनब जेकर ओ आराधना करत, आ ओ ओएह लोक होएत जेकर हम चिन्ता करबनि।11कोनो लोकके कखनो दोसर इजराएलीके ई निर्देश नहि देब पड़त, ‘प्रभु परमेश्वरपर विश्वास करु आ हुनकर आराधना करु।’ एना एहिलेल होएत किएकत' हमर लोकसब हमरापर विश्वास करत आ हमर आराधना करत, एकरास' कोनो फरक नहि पड़त जे ओ कतेक महत्वपूर्ण वा महत्वहीन अछि।12एहन एहिलेल होएतै किएकत' हम दया क' क' ओकराद्वारा कएल गेल अधर्मीसबके लेल ओकरा माफ क' देब। हम ओकराद्वारा कएल गेल पापसबके लेल ओकरा दोसर बेर कहियो सजाए नहि देब।”13जखन परमेश्वर एहि “नव” करार शब्दके उपयोग करथिन, त' ओकर मतलब ई अछि जे इजराएली सबहक संग कएल गेल पहिनुका वचनबद्धता आब पुरना भ' गेल अछि। एकर अतिरिक्त, जे पुरना भ' गेल अछि ओकर अस्तित्व शीघ्र समाप्त भ' जाएत। 

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67