इब्रानी7
1आब हम मलकीसेदेकके विषयमे आओर बताएब। ओ शालेम नगरके राजा रहनि, आ एकटा मुख्य पुजारीके रुपमे सबस' सर्वोच्च परमेश्वरक सेवा कएलनि। जखन अब्राहम अपन किछु शत्रुसबके पराजीत कएलाक बाद घर जा' रहल छलथि, त' मलकीसेदेक ओकरास' भेटि क' क' ओकरा आशीष देलनि। 2तखन अब्राहम अपन शत्रुसबके पराजीत करैत काल जे किछु लुटने रहथि ओकर दसम अंश मलकीसेदेकके द' देलनि। इब्रानी भाषामे “मलकीसेदेक” नामक अर्थ “धार्मिकताके राजा” होइत अछि। “शालेम नगरक शासक” एहि उपाधिक अर्थ “शान्तिपूर्ण शासक” होइत अछि, ओना “शालेम” क' ध्वनि ओहने अछि जे “शान्तिपूर्ण” के लेल इब्रानी भाषाके शब्दके अछि।3जखन मूसा मलकीसेदेकके विषयमे लिखलनि, त' ओ हुनक पिता, हुनक माय, हुनक आओर पूर्वजसब कहिया जीवन पएलक, वा ओ कहिया मरल एकरो विषयमे किछु नहि कहलनि। तएं, मूसा ओकर वर्णन एना कएलनि जे मानू ओ परमेश्वरक पुत्रके समान होथि आ एना मानू जे ओ सर्वदा एकटा मुख्य पुजारीक रुपमे सेवा करैत होथि।4सबहे इजराएलीसबके पूर्वज, अब्राहम मलकीसेदेकके ओहिसबस' मूल्यवान वस्तुसबके दसम अंश देलनि जे ओ अपन शत्रुसबके पराजीत करैत काल लुटने रहथि, एहिस' अहाँ कहि सकैत छिऐ जे मलकीसेदेक आदमी कतेक महत्वपूर्ण छल।5मूसाक व्यवस्थामे, ओहि इजराएली लोकसबस' परमेश्वर बात कएलनि जे लेवीके कुलक भाग रहथि आ जे मुख्य पुजारीसबके रुपमे सेवा कएल करथि। ओ हुनकासबके आज्ञा देलनि जे, जे किछु हुनक सम्बन्धी बांकी इजराएलीसब, कमएने वा उपजएने छथि, ओ ओकरास' ओकर दसम अंश लिअए। एहि तथ्यक अतिरिक्त जे सब इजराएली अब्राहमके वंश छथि, परमेश्वर ई आज्ञा देलनि। 6आब ई मनुष्य मलकीसेदेक त' लेवीके कुलक भाग नहि रहए। तेकरबादो, जे अब्राहम अपन शत्रुसबके पराजीत करैत काल लुटने रहए ओकर दसम अंश ओकरा भेटल। एकर अतिरिक्त, ओ अब्राहमके आशीष देलनि, जे ओएह मनुष्य छथि जेकरा परमेश्वर प्रतिज्ञा कएने रहथि जे ओ ओकरा कतेको वंश देथिन।7आब सबकेओ एहि बातस' सहमत होएत जे अधिक महत्वपूर्ण लोक कम महत्वपूर्ण लोकसबके आशीष दैत छथि। तएं, ओ अब्राहमके आशीष देलनि, किएकत' मलकीसेदेक अब्राहमस' अधिक महत्वपूर्ण रहथि।8मूसाक व्यवस्थामे एहि विषयमे बुझएमे अबैत अछि जे मुख्य पुजारी सबहक ओकर दसम अंश कोना भेटैत अछि जे बांकी इजराएली लोक कमाइत वा उपजबैत अछि, मुदा ईसब मुख्य पुजारी त' पूर्ण समर्पित अछि। मलकीसेदेकके विषयमे जे गवाही अछि, ओहिस' हमरासबके ई बुझएमे अबैत अछि जे अब्राहम अपने शत्रुसबस' जे किछु लुटि लेने छल ओकर दसम अंशो ओकरा भेटल, आ ओ जीवित सेहो रहल।9असलमे, एक प्रकारस', जखन अब्राहम ओकरा दसम अंश देने रहथि, त' लेवी आ ओकर कुलक मुख्य पुजारीसब सेहो जे किछु ओकरासंगे छल ओकर दसम अंश मलकीसेदेकके देने छलथि। ई सत्य अछि, भलेहि ओ ओएह लोक अछि जे ओहिमेस' दसम अंश प्राप्त करैत अछि जे इजराएलीसबके संगे अछि।10जे हम कहलिएनि ओकर अर्थ एहिलेल बनैत अछि किएकत' लेवीके ओहि समय धरि जन्म नहि भेल रहनि आ एक रीतिए, ओ तहिया अपन पूर्वज अब्राहमके शरीर भितरे रहथि, जखन ओ आओर मलकीसेदेक एक-दोसरस' भेटल रहथि। 11आब परमेश्वर जे व्यवस्था इजराएलीसबके देलनि, ओ लेवीके वंशमेस' मुख्य पुजारीके रुपमे सेवा कएलापर आधारित छल। तएं, ई मानि लिअ जे ई एहि पुजारीसबके परमेश्वरक सेवा करए लेल जे कएलनि ओकरे माध्यमस' ओसब ओएह बनि सकैत अछि जे परमेश्वर ओकरा बनब' चाहैत छलथि। ओहि सम्बन्धमे, जाहि रीतिस' हारून मुख्य पुजारी रहथि ओहिके अतिरिक्त, परमेश्वर कहियो कोनो आन मुख्य पुजारीके ओहन सेवा करएलेल नियुक्त नहि कएने होएत जाहि रीतिस' मलकीसेदेक एकटा मुख्य पुजारी रहथि। ओना त', एहि प्रकारक मुख्य पुजारीके परमेश्वरे नियुक्त कएने रहथि।12अहाँ कहि सकैत छिऐ जे परमेश्वरक व्यवस्था एहि बातपर आधारित छल जे लेवीके वंश मुख्य पुजारीके रुपमे सेवा करए, किएकत' जखन लोकसबके मुख्य पुजारीसबके रुपमे सेवा करबाक तरीका बदलत त' व्यवस्थोके बदलबाक चाही।13अहाँ कहि सकैत छी जे परमेश्वर लोकसबके मुख्य पुजारीसबके रुपमे सेवा करबाक तरीकेके बदलि देने छथि, किएकत' जाहि प्रभु यीशुके परमेश्वर मुख्य पुजारी कहलनि, ओ लेवीके वंशसबमेस' नहि छथि, बल्कि, लेवीके भाइसबमेस' एकटाके वंश अछि। एहि मनुष्यक कोनो वंश मुख्य पुजारीके वेदी लग भागी नहि कएलनि अछि।14असलमे, हमसब जनैत छी जे हमर प्रभु यीशु लेवीके भाइ यहूदाक वंश छथि, आ मूसा मुख्य पुजारीसबके रुपमे सेवा करएबला यहूदाके वंशसबके विषयमे किछुओ नहि लिखलनि। 15एकर अतिरिक्त, अहाँ आओर स्पष्टरुपस' ई कहि सकैत छी परमेश्वर लोकसबके मुख्य पुजारीसबके रुपमे सेवा करबाक तरीकाके बदलि देने छथि, किएकत' परमेश्वर एकटा अलगे प्रकारक मुख्य पुजारी अर्थात् यीशुके नियुक्त कएने छथि, जे मलकीसेदेक जकां परमेश्वरके सेवा करैत छथि।16ओ एकटा मुख्य पुजारीके रुपमे सेवा एहिलेल करैत अछि किएकत' कोनो बात ओकरा जीवित रहएस' नहि रोकि सकैत अछि, जे ओकरा एकटा सामर्थी मुख्य पुजारी बनबैत अछि। एहि प्रकारक मुख्य पुजारीके रुपमे, ओ एहि बातपर निर्भर नहि अछि जे परमेश्वर मूसाक व्यवस्थामे एहि विषयमे की आज्ञा देने रहथि जे की मानवीय मुख्य पुजारी लेवीके वंश कोना छथि।17अहाँ गवाही द' सकैत छी जे शास्त्रमे हुनका विषयमे ई बात सत्य एहिलेल अछि, किएकत' परमेश्वर पिता हुनकास' कहने रहथि, “जाहि रीतिए मलकीसेदेक एकटा मुख्य पुजारी रहथि, ओहि तरहें अहूं सदाके लेल मुख्य पुजारी पदमे रहब।”18एकर अर्थ ई छै जे परमेश्वर मुख्य पुजारीक विषयमे जे आज्ञा पहिने देने रहथि ओकरा ओ फिर्ता ल' लेने छथि। ओ एना एहिलेल कएलनि किएकत' काम करबाक ई तरीका प्रभावहीन छल।19आ ई तरीका प्रभावहीन एहिलेल छल, किएकत' परमेश्वर पहिनहि जे व्यवस्था देने रहथि ओकरा कएनेस' लोक ओ नहि बनल जे परमेश्वर ओकरा बनब' चाहैत छलाह। आब एकर अर्थ इहो अछि जे परमेश्वर हमरा आत्म-विश्वासस' अपेक्षा करबाक लेल किछु नीक प्रदान कएने छथि। जखन हम आत्म-विश्वासस' ओकर अपेक्षा करैत छी, त' हम परमेश्वरके लग जाइत छी।20आब परमेश्वर लेवीके किछु वंशसबके मुख्य पुजारी बनबैत काल जे कहलनि, ओकर सपत नहि देने रहथि। ओना, यीशुके मुख्य पुजारी बनबैत काल ओ जे कहलनि, ओ ओकरा सपत देने छलथि। जे परमेश्वर ओकरास' कहने छलथि, “प्रभु जे कहने छथि ओ ओकर सपत देने छथि, आ ओ किछु पछतावा नहि करत, ‘तों सदाके लेल मुख्य पुजारी पदमे रहब!’” तएं, जेना यीशु एकटा महान मुख्य पुजारीके रुपमे एहिलेल कार्य करैत छथि किएकत' परमेश्वर ओहि बातके आश्वासन देने छलथि जे ओ तहिया कहने रहथि जखन ओ हुनका मुख्य पुजारी ठहरओने रहथि ,22ओहिना एकटा उत्तम प्रतिज्ञा सेहो अछि, जेकर आश्वासन यीशु दैत छथि।23एकरबादो, लेवीके वंशमेस', सबहेके मृत्यु भ' गेलनि आ एहिलेल ओ मुख्य पुजारीके रुपमे सेवा करबाक जारी नहि राखि सकल। ओहि कारणस' लेवीके एहन कतेको वंश भेल अछि जे सब मुख्य पुजारीक रुपमे सेवा कएने अछि।24ओना, यीशु कहियो नहि मरताह। एहि कारणस', ओ ओएह सर्वदा एकटा मुख्य पुजारीके रुपमे सेवा करताह।25किएकत' ओ सदैव एकटा मुख्य पुजारीके रुपमे सेवा करैत छथि, तएं ओ एहन कोनो व्यक्तिके सब तरहें बचाबि सकैत अछि, जे हुनकाद्वारा कएल गेल काज सबके कारणे, परमेश्वरके लग जाइत अछि। ओ एना एहिलेल क' सकैत अछि किएकत' ओ सदैव जीवित रहत आ कहियो नहि मरत आ एहि तरहें ओ परमेश्वरस' हुनक सहायता करबाक लेल सदैव विनतीक' सकैत अछि। 26ओ यीशु एकदम ओहि प्रकारक शासकीय मुख्य पुजारी छथि जेकर हमरासबके आवश्यकता अछि। ओ परमेश्वरके आदर करैत छथि, ओ पापी नहि अछि, आ ओ एहन काम नहि करैत छथि जे हुनका अशुद्ध करैत छन्हि। ओ ओहि लोकसबमेस' जे पवित्र अछि, आ ओ आब सर्वोच्च स्वर्गमे निवास करैत छथि।27आब लेवीके प्रत्येक वंशके, जे शासकीय मुख्य पुजारीके रुपमे सेवा करैत छथि, प्रतिदिन परमेश्वरके बलिदान चढ़ब' पड़ैत अछि। सबस' पहिने, ओ अपने स्वयंके पापसबके दूर करबाक लेल एकटा बलिदान चढ़बैत अछि, आ ओकर बाद ओ बांकी इजराएलीसबके पापसबके दूर करबाक लेल एकटा बलिदान चढ़बैत अछि। ओना, यीशु एकहि बेरमे स्वयंके बलिदानके रुपमे चढ़ाक' सब लोकक पापसबके दूरक' देलनि, तएं हुनका कोनो बलिदान चढ़एबाक आवश्यकता नहि छन्हि। 28अन्तमे, परमेश्वर मूसाके माध्यमस' व्यवस्था देने छलथि जे किछु लोक मुख्य पुजारीके रुपमे सेवा करथि, मुदा ई मुख्य पुजारी पूर्ण नहि होएबाक कारणे मरि जाइत अछि। एकर विपरीत, जखन परमेश्वर ओहि बातक सपत देलनि जे ओ कहने रहथि, जेकरा ओ मूसाके माध्यमस' ओहि बातसबके आज्ञा देलाके बाद कएलनि, त' ओ अपन पुत्रक सबस' प्रभावी मुख्य पुजारीके रुपमे सदा-सर्वदा सेवा करएमे सक्षम बनौलनि।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.