इब्रानी6

1हमरासबके आगु बढ़िक' आओर अधिक सिखाबएके चाही जाहिस' हम परिपक्व भ' जाइ। हमरासबके मसीहके विषयमे मात्र सब शिक्षाके शुरुवाती बातसबके छोड़िक' महत्वपूर्णे बातसबपर ध्यान केन्द्रित नहि करैत रहबाक चाही हमसब परिपक्वतामे आगु बढ़ी। दोसर शब्दमे कहि त' मृत्यु दिस ल', हमरासबके फेरुस' एहि विषयमे सिखाबएके आवश्यकता जाएबला क्रम सबस पश्चाताप आ परमेश्वरपर विश्वासके बातके नओ फेरु नहि अछि जे बेकारके कामसबके कएनाइ कोनो बंद करी वा परमेश्वरपर कोनो भरोसा करी।2लोकसबके बपतिस्मा देबाक विभिन्न तरीकासबके विषयमे, दोसरोके विषयमे, दोसरके सहायता करबाक लेल ओकरापर हाथ रखबाक विषयमे, जे मरि गेल छथि ओ फेरुस' कोनो जीवित होएत एहि विषयमे वा एहि सम्बन्धमे जे परमेश्वर एहि बातके अनन्त न्याय कोनो करताह जे लोक दोषी अछि वा निर्दोष अछि, हमरासबके फेरुस' नहि सिखाबएके चाही।3एहि समयमे, जाधरि परमेश्वर चाहैत छथि जे हम एना करी, हम वास्तवमे आओर बेसी सिखब जाहिस' हम परिपक्व भ' जाइ।4किएकत' हम अहाँसबके एकटा एहन बातके विषयमे बतबैत छी जे घटित नहि भ' सकत। ओहि लोकसबके विषयमे विचार करु जे सब कहियो शुभ सन्देशके विषयमे सुनने छल। ओ ओहि बातके अनुभव कएलनि जे परमेश्वर अपन लोकसबके स्वर्गस' दैत छथि, आ ओसब परमेश्वरक आत्माके भागिदार छी।5परमेश्वर जे बातसब कहैत छथि ओ कतेक सत्य अछि एकर ओसब अनुभव कएलनि, आ ओ पहिनहिस' ओहि सामर्थी बातसबके अनुभव करब आरम्भ क' देने अछि जे परमेश्वर ओहि समय करत जखन ओ संसारके फेरुस' नव करताह।6एहि सम्बन्धमे विचार करु जे की होएत यदि ई सबलोक शुभ सन्देशपर विश्वास करब छोड़ि दिअए। ओहि मामिलामे, ओ एहन नहि करए' सकत जे फेरुस' ओकरा पश्चाताप करए आ विश्वास करए। एहन एहिलेल अछि किएकत' ओ जे कएलनि ओ स्वार्थी भ' क' परमेश्वर पुत्रके क्रूसपर चढ़ाब' आ अपमानित करए जेहन अछि।7एत एकर एकटा उदाहरण अछि, परमेश्वर कोनो एहन जमीनके आशीष दैत छथि जत एकबेर वर्षा भेलापर, एहन फसलसब जनमए जेकर लोक उपयोग करैत अछि।8ओना त' जखन कोनो खेतमे कांटकुश उपजैत अछि, त' ओकरा केकरो मदति नहि भेटैत अछि, आ परमेश्वर लगले ओकरा सराप देथिन। अन्तमे, कांटकुश झाड़-पातसबके जराबएलेल कोनो गोटे ओहिमे आगि लगा देत। 9यौ संगी-विश्वासीसब, जेकरास' हम प्रेम करैत छी, भलेहि हम अहाँके एहि रीतिए चेतावनी देने छी, तथापि हमरा निश्चित अछि जे अहाँ हमरा कहलास' बेसी दृढ़तास' विश्वास क' रहल छी। असलमे, हमरा एहि बातके निश्चय अछि जे परमेश्वर अहाँके उद्धार क' देने छथि।10किएकत' परमेश्वर अधर्मी नहि छथि आ ओ सदैव न्यायपूर्वक कार्य करैत छथि, तएं ओ एहि बातके अनदेखी नहि करताह जे अहाँ हुनकालेल काज करैत छी आ अहाँ दोसरस' कोना प्रेम करैत छी। अहाँ ई साबित क' देने छिऐ जे अहाँसब परमेश्वरके सेवा करएलेल ई काम करैत छी, विशेष क' क' जखन अहाँसब हुनकर नामके लेल परमेश्वरक पवित्र लोकसबके सहायता कएने रहिऐ आ अखिनो क' रहल छिऐ।11हम बड़ उत्सुक छी जे अहाँके मरए धरि, अहाँसब लगनस' एहि पूर्ण भरोसा पर ध्यान लगएने रही जे परमेश्वर अहाँके ओएह देताह जेकर अहाँ विश्वासक संग अपेक्षा करैत छिऐ।12एहि तरहें अहाँ आलसी नहि मानल जाएब। बल्कि, अहाँ ओएह करब जे दोसरो विश्वासीसब कएलनि जे परमेश्वर हुनकास' प्रतिज्ञा कएने रहथि ओकरा ओ एहिलेल प्राप्त कएलनि, किएकत' ओ हुनकापर भरोसा कएलनि आ धैर्य ध' क' प्रतीक्षा कएलनि।13जखन परमेश्वर कहलनि ओ अब्राहमके लेल किछु करताह, त' ओ स्वयं एकर वचन देलनि। ओ एहन एहिलेल कएलनि किएकत' प्रत्येक दोसर व्यक्ति जे एकर आश्वासन द' सकैत छल ओ परमेश्वरस' कम सामर्थी रहए। 14ओ अब्राहमस' जे प्रतिज्ञा कएने रहए ओ इएह रहए, “हम निश्चितरुपस' अहाँके आशीष देब, आ हम अवश्य अहाँके वंशके बहुते बढ़ा देब 15किएकत' परमेश्वर जे अब्राहमसंगे प्रतिज्ञा कएने छलथि ओ अर्थात् एकटा पुत्र ओकरा देलनि।”16आब, लोकसबसंगे कोनो एहनो व्यक्ति छथि जे हुनकाद्वारा कएल गेल प्रतिज्ञाके आश्वासनोस' बेसी सामर्थी छथि। असलमे, जकां कोनो व्यक्ति एहि रीतिस' प्रतिज्ञा करैत आश्वासन दैत छथि, त' ई बात निश्चितरुपस' ओहि निष्कर्षपर पहुंचैत अछि जेकरा विषयमे लोक बहस क' रहल होइत अछि। 17एहि रीतिए, परमेश्वर ओहि लोकसबपर जे हुनक प्रतिज्ञासबके प्राप्त करत बड़ स्पष्टरुपस ई बात प्रदर्शित करए चाहैत छल जे ओ जे करबाक मनसाय रखैत अछि ओकरा ओ नहि बदलत। तएं, ओ जे प्रतिज्ञा कएने रहथि ओकर ओ आश्वासनो देलनि जेना मनुष्य करैत अछि।18एहिलेल, परमेश्वर प्रतिज्ञा क शपथो खएलथि, आ ओ एहि बातसबमेस' केकरो विषयमे झूठ नहि बाजत आ ने ओकरा बदलत। हमरालेल एहन ओ कएलनि, जे हमरासबहक उद्धार करए लेल हुनकापर भरोसा कएने छिएन्हि। एहि रीतिए, ओ हमरासबके आत्म-विश्वासस' ओहि वस्तुक अपेक्षा करैत रहबाक लेल प्रोत्साहित करैत छथि जेकरा ओ हमरासबके देब' लेल तैयार छथि। 19जखन विश्वासक संग ओहि वस्तुक आशा करैत छी जे परमेश्वर हमरा देताह, त' ई एहन अछि जे मानू एकटा लंगर जकां हमरासबके आत्माके दृढ़स' पकड़ने छी जाहिस' हम परमेश्वरपर भरोसा करएस' नहि डगमगाएब। एकर अतिरिक्त, जखन हम विश्वासक संग ओहि वस्तुक आशा करैत छी जे परमेश्वर हमरा देताह, त' ई एहन एहि जे मानू हम स्वर्गीय पवित्र स्थानके भितर भागमे पर्दाके पाछु चलि गेल छी, आ पहिनहि एकरा प्राप्त क चुकल छी। 20ई ओएह स्थान अछि जत यीशु हमरालेल परमेश्वरक सेवा करए आ हमरालेल मार्ग खोलएलेल गेल रहथि। जेना मलकीसेदेक एकटा मुख्य पुजारी रहथि, ओहि रीतिस एकटा शासकीय मुख्य पुजारी बनलाक बाद जे सदैव परमेश्वरक सेवा करए लेल ओ ओतए गेल छथि।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67