इब्रानी5
1परमेश्वर कोनो व्यक्तिके शासकीय पुजारी होएबाक लेल नियुक्त करैत छथि, त' ओ लोकक ओहि समूहमेस' परमेश्वरक सेवा करबाक लेल ओहि व्यक्तिके ओहि समूहक लेल चुनैत छथि। तखन शासकीय मुख्य पुजारी परमेश्वरके चढ़ौना वा बलिदान चढ़बैत अछि जे ओकरासबके पापके हटाबएलेल लोक दैत अछि।2आ अज्ञानी आ भुलल-भटकलसबसंग कोमल व्यवहार क' सकैत अछि, कारण ओ स्वयं कमजोरीस' घेरल अछि।3आ एहिलेल, ओकरासबके अपन पापसबके दूर करबाक लेल एकटा बलिदान चढ़ाबए, ठीक ओहिना जेना ओ बांकी लोकसबके पापके दूर करबाक लेल बलिदान चढ़ाबए बाध्य अछि। 4आ लोक स्वयं सम्माननीय शासकीय मुख्य पुजारी बनबाक निर्णय नहि ल' सकैत अछि। बल्कि, जे व्यक्ति शासकीय मुख्य पुजारी बनत हुनका परमेश्वर बजओने छथि, ठीक ओहिना जेना ओ प्रथम शासकीय मुख्य पुजारी हारूनके बजओने छलथि। 5एहिना, मसीह सेहो एकटा गौरवशाली शासकीय मुख्य पुजारी बनबाक महिमा नहि लेलनि। बल्कि, परमेश्वर पिता ओकरा शासकीय पुजारी बनबाक लेल चुनलनि जखन ओ हुनकास' कहलनि, “आइके दिनमे, हम सबगोटेके कहि देने छथि जे हम तोहर पिता छी, आ तों हमर पुत्र छे!” 6एहि रीतिस', जेना शास्त्रमे लिखल अछि जे मलकीसेदेक एकटा मुख्य पुजारी रहथि, ओहिना “अहूं सदाके लेल मुख्य पुजारी पदमे रहब।”7जखन यीशु शरीरमे रहथि आ हुनकर मरब आ फेरुस' जीवित भ' जाएस' पहिने हमरे संगे जीवन बितौने रहथि, ओहि समयमे ओ अधिकांश परमेश्वरस' सामर्थीरुपस' आ नोर बहा-बहाक' प्रार्थना कएल करथि। ओ एहन एहिलेल कएल करए जे जखन ओ मरि जाए त' परमेश्वर ओकरा बचा सकथि। ओ परमेश्वरके आदर कएलनि तएं परमेश्वरो ओकर सुनलकनि आ ओकरा फेरुस' जीवित क' देलथिन।8ओना ओ परमेश्वरके पुत्र छथि तथापि जखन हुनकासंगे दुखद घटनासब घटलनि, त' ई बात सिखलनि जे परमेश्वरक आज्ञा मानबाक की फल होइत अछि।9फेरु, परमेश्वर हुनका एहन करबामे सक्षम बना देलनि, त' ओ पुत्र बनि गेलथि जे सब ओहि व्यक्तिके सदाके लेल उद्धार करैत ओकर अपेक्षासबके पूर्ण करैत छथि। 10ओ एहन तखन कएलनि जखन परमेश्वर हुनका ओहि प्रकारक शासकीय मुख्य पुजारी नियुक्त कएलथि जाहि प्रकारक मलकीसेदेक एकटा मुख्य पुजारी रहथि। 11मलकीसेदेकके सम्बन्धमे हमरा बहुत बातसब करबाक अछि। मुदा, एकर बदलामे, अहाँ नीक जकां सुनैत आ बुझति नहि छिऐ, तएं अहाँके ई बातसब समझनाइ कठिन होएत।12अहाँके मसीहपर विश्वास कएला एतेक समय भ' गेल एहि जे अहाँके त' दोसरोसबके परमेश्वरके विषयमे सिखाबए' चाहैत छलहुं। ओना, एकर बदलामे, किछु गोटेके एखनो अहाँके ओहि सरल सिद्धान्तसबके विषयमे सिखाबए' पड़त परमेश्वर कहैत छथि। अहाँ ओहि बालक सनके छी जेकरा ठोस भोजन खाएबला सियानसब जकां बनबाक बदलामे दूध पिबएलेल बाध्य छी।13ओहन सब केओ जे धर्मी बातसब आ गलत बातसबके विषयमे बहुते कम जनैत अछि, ओ ओहि लोकसब जकां अछि जे मात्र दूधे पिबएमे सहभागी होइत अछि।14दोसर दिस, जे सब परमेश्वरके विषयमे बहुत किछु जनैत अछि ओ अन्न खाएबला सियानसब जकां अछि। एहन लोकसब सही बात आ अधलाह बातसबके चिन्हएमे आ ओकरा बीचक अन्तर छुटिआबमे बरोबरि अभ्यास कएने अछि।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.