इब्रानी4
1एहिलेल, जं हुनकर विश्राममे प्रवेश करबाक प्रतिज्ञा एखन धरि अछि, त' अपनासबके डेराए चाही; एना नहि होइक, जे अहाँसबमेस' केओ नहि परमेश्वरके विश्राममे जाइ सकी।2हमरासबके एहि बातके एहिलेल सुनिश्चित करबाक चाही, किएकत' हमसब ओहिना सुसमाचार सुनली जेना ओसब सुनने रहनि। किएकत' ओ ओहि लोकसबमेस' नहि छल जे सब सुनलहा बातपर विश्वास कएने छल, एहिलेल जे किछु मिस्र देशस' निकालल लोकसब सुनलक ओहिस' ओकरा कोनो सहयोग नहि भेटल।3एहन एहिलेल अछि किएकत' खाली हम शुभ सन्देशपर विश्वास करएबला लोकसब परमेश्वरके विश्राममे हिस्सा लैत अछि, मुदा जे विश्वास नहि करैत अछि ओ ओहिमे हिस्सा नहि ल' पबैत अछि। जेना की पवित्र आत्मा कहैत अछि, “फेरु, किएकत' ओ ओकरास' तमसाएल रहथि, एहिलेल ओ गम्भीर भ' क' एहि बातक घोषणा कएलनि, ‘ओ हमर विश्राममे कहियो हिस्सा नहि ल' पाओत!’” भलेहि परमेश्वर संसारके रचना कएलाक बाद काज कएनाइ बंद क' क' विश्राम कएलनि, तथापि परमेश्वर एना कहलनि।4शास्त्रमे परमेश्वर बजने छथि जे परमेश्वर विश्राम कएलनि, एहि बातके अहाँ एहिलेल जनैत छिऐ किएकत' पवित्र आत्मा सप्ताहक सातम दिनके विषयमे कतहु किछु कहने छथि। ओ कहैत छथि जे, “फेरु, जखन सप्ताहक सातम दिन भेल, त' परमेश्वर सब वस्तुसबके बनएबाक काज पूरा क' क' विश्राम कएलनि।”5मुदा फेरुस' एहि बातपर ध्यान दिऔ जे इजराएली पूर्वजक विषयमे ओहि शब्दसबमे परमेश्वर की कहैत छथि जेकरा हम पहिनहि कहि देने रही जे “हमर विश्राममे ओ कहियो हिस्सा नहि ल' सकत!”6एहिलेल फेरु, जे इजराएली पूर्वजसब जे पहिनेके समयमे सुसमाचार सुनने रहए, ओसब परमेश्वरक आज्ञाके नहि मानलक, आ एहिलेल परमेश्वरके विश्राममे ओसब हिस्सा नहि लेलक। ओना, परमेश्वर एखनहु किछु लोकक लेल चाहैत छथि जे ओ ओकर विश्राममे भाग लेथि।7ओएह कारणस' पवित्र आत्मा एकबेर फेरु एकटा समय निर्धारीत कएने छथि, जखन हम परमेश्वरके विश्राममे हिस्सा ल' सकैत छी। ओ ओएह समय अछि जेकरा हम “आइके दिन” कहैत छिऐ। ओ एहन तखन कएलनि जखन ओ इजराएली पूर्वजक अनाज्ञाकारीताके बहुत समयक बाद दाऊदके माध्यमस' बात कएने छलथि। जेना हम पहिनहि कहि देने छी ओ कहलनि जे “आइके दिन, जखन अहाँ परमेश्वरके अहाँस' बात करैत सुनली, त' हठ क' हुनक अनाज्ञाकारीता नहि करब।” 8एहिलेल, पवित्र आत्मा एकटा दोसर दिनके सन्दर्भित करैत अछि, जखन परमेश्वरके लोक हुनकर विश्राममे भाग ल' सकैत अछि जे ओहि दिनक उपरान्त अबैत अछि, जखन यहोशू इजराएली पूर्वजसबके ल' क' ओहि देशमे गेल छल जेकर प्रतिज्ञा परमेश्वर ओकरास' कएने रहथि। एकर मतलब ई अछि जे जखन यहोशू एना कएलनि त' ओ परमेश्वरके विश्राममे भाग लिअमे ओकर मदति नहि कएने रहथि। 9एहिलेल, जेना अहाँ देख सकैत छी, जे परमेश्वरके लोक एखनो परमेश्वरके विश्राममे भाग ल' सकैत अछि, जाहि तरहें यहूदीसबहक विश्राम-दिनमे लोक विश्राम करैत अछि।10असलमे, जे सब परमेश्वरके विश्राममे भाग लैत छथि, ओ ओहि काजके पूरा क' क' विश्राम करैत अछि जेकरा ओ क' रहल छथि। 11तएं हमरासबके ओहि विश्राममे भाग लेबाक लेल प्रयत्न करबाक चाही। एना नहि होअए, जे केओ हुनकर आज्ञा नहि मानलापर खसि पड़ए। 12किएकत' परमेश्वरक वचन जीवित आ फलदायी अछि आ कोनो दूधारी तरुआरि स' बहुत तेज अछि। प्राण आ आत्माके जोड़-जोड़ आ हड्डीके भितरका गुद्दीमे छेदिक' ओकरा अलग-अलग क' दैत अछि आ मनके विचार आ भावनाके जांच करैत अछि। 13परमेश्वर सब व्यक्ति आ वस्तुके विषयमे सबकिछु जनैत छथि। जं ओ ओकर जांच करए चाहथि त' हुनकर बनाओल कोनो वस्तु नुकाएल नहि रहि सकत। जिनका विषयमे हम बतिआ रहल छी ओ ओहे छथि।14एहिलेल, एकटा शक्तिशाली मुख्य पुजारी हमरासबके लेल परमेश्वरके उपस्थितिमे काज करैत छथि, जे स्वर्गस' भ' क' गेल छथि। ओ परमेश्वरके पुत्र, यीशु छथि। एहि कारणे, जाहि बातपर विश्वास करबाक बात हम कहि रहल छी ओहिपर हमरासबके विश्वास करैत रहबाक चाही।15किएकत' हमरासबहक एहन मुख्य पुजारीक नहि छथि जे हमरासबहक कमजोरी पर सहानुभूति नहि राखि सकैत छथि। मुदा ओहो हमरासब जकां सब बातपर जांचल गेल छलाह, तइयो ओ पाप नहि कएलक आ निर्दोष पाओल गेलाह।16तएं फेरु, हमरासबके हिम्मत बान्हिक' परमेश्वरक लग जएबाक चाही, जे अनुग्रहस' आसनस' शासन करैत छथि। एहि तरहें, जखन हमरासबके हुनकर मदतिक बेगरता होएत त' ओ हमरासब प्रति दयालु आ कृपालु भ' क' काज करथिन।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.