इब्रानी3
1यौ पवित्र भाइसब, अहाँसब जे स्वर्गके बजाहटिके भागिदार छी, हमरासबके स्वीकार करएबला प्रेरित आ मुख्य पुजारी, यीशुपर ध्यानपूर्वक विचार करियौ।2जे परमेश्वरके लोकसबके मदति क' क' अपन नियुक्ती करएबला प्रति विश्वासयोग्य रहलथि, जेना मूसाके घरानिमे रहथि।3किएकत' हुनका मूसास' बेसी महिमाक योग्य मानल गेल छन्हि, जेना की घरोस' बढ़िक' ओकरा बनाबएबलाके सम्मान होइत अछि।4किएकत' सबहे घरके केओ नहि केओ बनबैत अछि, मुदा जे सब वस्तुसबके बनौलनि ओ परमेश्वरे छथि।5आ मूसा अपन सबहे घरानिमे सेवक जकां विश्वासयोग्य रहलथि, जाहिस' भविष्यमे बाजल जाएबला बातसबके गवाही देथि। 6मुदा मसीह, पुत्र जकां ओकर घरक अधिकारी छथि आ हुनक घर हम छिएन्हि जं हम विश्वासके थम्हने रही आ आशापर गर्व करी।7तएं, जेना पवित्र आत्मा कहैत अछि, “आइके दिन, जं अहाँ ओकर शब्द सुनू,8त' अपन मनके कठोर नहि करब जेना जंगलमे परीक्षाके दिन, क्रोध दिआब' बेर अहाँसबके पूर्वजसब कएने रहैक। 9जत अहाँक पूर्वजसब जांच क' क' हमरा परखलनि, आ चालीस वर्ष ओसब हमर काज देखलनि।10तएं, हम ओहि पिढ़ी पर बहुत क्रोधित भेलीह, आ हम कहली, ‘ओ अपन मनमे सदिखन भटकैत रहैत अछि, आ ओसब हमर मार्गके नहि पहचानि लेलक।’11तखन हम अपन क्रोधमे शपथ खएलहुं, ‘ओ हमर विश्राममे कहियो प्रवेश नहि करए पाओत!’” 12हे संगी-विश्वासीसब, एहि बातपर ध्यान दिऔ! एहि बातके सुनिश्चित करु जे अहाँमेस' केओगोटे एहन अधलाह आ अविश्वासी ढंगस' सोंच-विचार नहि करु जे अहाँके एकहि जीवित परमेश्वरके प्रति विश्वासघाती बना दिअ।13बल्कि, अहाँके सबदिन, जेकरा हम “आइके दिन” कहैत छिऐ, एक-दोसरके परमेश्वर प्रति इमानदार रहबाक लेल प्रोत्साहित करबाक अछि। एहि प्रकारस', अहाँमेस' केओगोटे पाप नहि करत आ एहि तरहें स्वयंके धोखा नहि देत, जाहिस' अहाँ परमेश्वरक आज्ञा मानबाक लेल असमर्थ नहि भ' जाइ।14अहाँके एक-दोसरके एहिलेल प्रोत्साहित करबाक अछि, किएकत' हम मसीहके संगे सब बातमे भागिदार छी। भरोसा कएने दिनस' अपनासब लग भेल भरोसाके हमसब अन्तधरि मजगूतीस पकड़बै त' अपनासब मसीहसंगे सहभागी भेल छी।15शास्त्र इएह कहैत अछि जे अहाँके एक-दोसरके प्रोत्साहित करबाक अछि, जखन पवित्र आत्मा ई कहए जे “आइके दिन, जखन अहाँ परमेश्वरके बात करैत सुनू, त' हठ क' हुनकर अनाज्ञाकारीता नहि करब। अहाँक पूर्वजसब सेहो इएह कएने रहथि, जखन ओसब परमेश्वरक विरुद्ध विद्रोह कएने रहथि।”16आब अहाँ जनैत छी जे जाहि लोकसबके मूसा मिस्र देशस' निकालने रहए ओ सबके सब इजराएलीए लोकसब छल, जे सब परमेश्वरके बात करैत सुनलाक बादो हुनकर विरुद्ध हिंसा कएने रहथि।17अहाँ जनैत छी जे ओ परमेश्वरे के लोक रहए, जे सब अधलाह काज कएलक, आ जेकरास' परमेश्वर 40 वर्ष धरि तमसाएल रहलथि। आ ओकर लास जंगलेमे पड़ल रहए। 18अहाँ जनैत छी जे ओ परमेश्वरे के लोके छल, जे सब हुनकर आज्ञा नहि मानलक, आ जेकरालेल ओसब गम्भीर भ' क' एहि बातके घोषणा कएलनि जे हुनकर विश्राममे कहियो हिस्सा नहि ल' पओताह। 19तएं, हम ई कहि सकैत छी जे ओसब विश्रामके देशमे पहुंचए सक्षम नहि भेलनि किएकत' ओसब हुनकापर विश्वास नहि कएने रहथि।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.