इब्रानी2

1एहि कारणे, अपनासबके लेल सुनने सत्यपर ध्यान देनाइ बेसी आवश्यक अछि, जाहिस' अपनासब हुनकास' दूर नहि भ' जाइक।2किएकत' स्वर्गदूतसब द्वारा अपनासबके पूर्वजसबके कहल गेल सन्देश सांच ठहरल आ सबटा अपराध आ अनाज्ञाकारीताके न्यायपूर्वक दण्ड भेटलनि।3त' हम बड़का उद्धारस' कोना बंचिक' निकलि सकब? जाहि उद्धारके सबस' पहिने प्रभुद्वारा बाजल जाएलेल चुनल गेलनि, ओकरा हमरोपर सुनएबला सबद्वारा पुष्टि कएल गेल छल;4परमेश्वरो हुनकासंगे चेन्हसबके, आ आश्चर्यजनक काजसबके, आ अपन इच्छा अनुसार पवित्र आत्माके वरदानसब बाटके चलते एकर गवाही दैत छथि।5ओ ओहि आबएबला दुनियांके जेकर हम लिख रहल छी, स्वर्गदूतसबके अधीन नहि कएलनि।6बदलामे, केओ धर्मशास्त्रमे एकठाम परमेश्वरके गवाही दैत कहलनि, “मनुष्यके अछि, जे अहाँ ओकर ध्यान रखैत छी, वा मनुष्यक पुत्रके अछि, जे अहाँ ओकरा रक्षा करैत छी?7अहाँ ओकरा स्वर्गदूतसबके तुलनामे कनिक कम कएलिएन्हि; अपने ओकरा महिमा आ आदरक मुकुट पहिरएलिएनि।8अहाँसब वस्तुसबके ओकर लात तर' क' देलिऐ।” किएकत' सब वस्तुसबके ओकरा अधीन क' क', ओ किछुओ एहन नहि छोड़लक जे ओकर अधीन नहि रहए। मुदा एखन धरि हमसब वस्तुसबके ओकर अधीन नहि देखैत छी ,9मुदा हम यीशुके देखैत छी, जे स्वर्गदूतसबके तुलनामे किछुए कम कएल गेलथि, आ जिनका मृत्युके दुख सहलाक कारणे महिमा आ आदरक मुकुट पहिराओल गेलनि, जाहिस' परमेश्वरक अनुग्रहस' सब लोकक लेल मृत्युके स्वाद लेलनि।10किएकत' परमेश्वरके कारण सब वस्तुसब अस्तित्वमे अछि, आ हुनके माध्यमस' सब वस्तुसब अस्तित्वमे अछि, हुनकालेल इएह उचित अछि जे बहुत रास हुनक पुत्रसबके महिमामे लाबथि, जे कष्‍ट भोगबाक हुनक उद्धारक मूल अगुवा यीशुके सिद्ध करए।11किएकत' पवित्र करएबला आ पवित्र कएल जाएबला दुनू एकहि पिता परमेश्वरस' उत्पन्न भेल अछि। एहि कारणे, ओ हुनका भाइ कहएस' नहि लजाइत अछि,12आ यीशु परमेश्वरके कहैत छथि जे, “हम अहाँक नाम अपन भाइसबके सुनाएब, विश्वासीसबके मण्डलीके बीचमे हम अहाँके नामके घोषणा करब आ स्तुति भजन गाएब।” 13आ फेरु कहैत छथि जे, “हम परमेश्वर पर विश्वास रखबनि।” आ फेरु कहैत छथि जे, “हमरा आ ओहि सन्तानसबके देखू जेकरा परमेश्वर हमरा देने छथि।” 14तएं, जखन ई छोटका बच्चा मासु आ लेहूके भागी होइत अछि, त' ओहो ओहि वस्तुसबके भागी भेल, जाहिस' अपन मृत्युके द्वारा ओ ओकरा, अर्थात् शैतानके मारि दिअ, जे मृत्युके शक्ति रखैत अछि। 15आ ओहि सबहे लोकके छुटकारा दिऔ जे अपन जीवनभरि मृत्युके भय स' दासत्वमे फंसल छल।16किएकत' निश्चिते यीशु स्वर्गदूतसबके नहि सम्हारतथि, मुदा ओ अब्राहमके सन्तानके सम्हारैत छथि। 17जाहिस' ओकर ई जिम्मेवारी बनैत छल, जे ओ सबटा बातसबमे अपन भाइसब जकां भ' जाए, जाहिस' ओ लोकसबके पापसबके प्रायश्चित करएलेल परमेश्वरस' जोड़ल बातसबके सम्बन्धमे एकटा कृपालु आ विश्वासयोग्य मुख्य पुजारी बनि सकथि।18किएकत' यीशु अपने परीक्षामे पड़िक' दुख उठएलनि, एहिस' ओ ओकरो सहायताक' सकैत छथि जेकर परीक्षा होइत अछि।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67