इब्रानी11
1जखन लोक परमेश्वरपर भरोसा करैत अछि तखन एहन कएलास' ई सुनिश्चित भ' जाइत अछि जे ओसब ओहि बातक प्राप्ति करत जे ओसब आत्म-विश्वासस' अपेक्षा करैत अछि। जखन लोक परमेश्वरपर भरोसा करैत अछि, एहन कएलास' ओ ओहि वस्तुसबके विषयमे निश्चित भ' जाइत अछि जे ओ नहि देख सकैत अछि।2असलमे इजराएलक बूढ़-पुरानसब परमेश्वरपर भरोसा करबाक कारणे अपन विश्वासके कारण हुनकासबके विषयमे नीक गवाही देल गेलनि।3कारण हमसब परमेश्वरपर भरोसा करैत छी, तएं हमसब ई बुझति छी जे जे किछु अछि जे परमेश्वरद्वारा एहि संसारके स्थापित कएल वचन अछि। त फेरु जे वस्तु देखैत छी से आन किछुस नहि अबैत अछि जे हमसब देख सकैत छी। 4परमेश्वरपर भरोसा करबाक कारणे आदमके पुत्र हाबिल अपन जेठ भाइ कैन स' बेसी स्वीकार बलि परमेश्वरके चढ़ओलनि। परमेश्वरपर भरोसा कएलक कारण परमेश्वर हुनका जे किछु चढ़बैत छलाह ताहिके लेल स्वीकार कएलनि आ ओकरा विषयमे गवाही देलनि जे ओ धर्मी अछि। हाबिल मरलाके बाद हमसब ओकरासबके परमेश्वरपर भरोसा करएबाक लेल तरीका सिख सकैत छी।5हनोक परमेश्वरपर भरोसा करबाक कारणे परमेश्वर हुनका स्वर्गमे ल' गेलाह आ एहि तरहें ओ कहियो नहि मरि गेलाह। जेना मूसा लिखने छथि, “केकरो पता नहि भेटल अछि। ई एहिलेल भेल जे परमेश्वर हुनका स्वर्गमे ल' गेल छलाह।” आब परमेश्वर, हनोकके स्वर्गमे लजाए स' पहिने, गवाही देने छलाह जे हनोक हुनका प्रसन्न कएने छलनि। 6असलमे लोक तखने परमेश्वरके प्रसन्न क' सकैत अछि जखन ओ हुनकापर भरोसा करत। एकर कारण अछि जे जे परमेश्वरके लग अबैत छथि हुनका ई मानए पड़तनि जे ओ वास्तविक छथि आ जे हुनकर सेवा आ आराधना करए चाहैत छथि हुनका पुरस्कृत करताह।7परमेश्वरपर भरोसा करबाक कारणे नूह परमेश्वरक आदर कएलनि ओकरापर विश्वासक' क' जखन परमेश्वर हुनका ओहि बातक प्रगट कएलनि जे ओ एखन धरि अनुभव नहि क' सकलाह। तएं नूह अपन परिवारके परमेश्वरद्वारा पठाओल गेल जलप्रलयस' उद्धार करएलेल एकटा जहाज बनौलनि। नूह परमेश्वरपर भरोसा करैत छलाह एहि तरहें, ओ ई सिद्ध कएलनि जे संसारके दोषी बनौलक। एकर अतिरिक्त नूह एगो एहन व्यक्ति बनी गेल जेकरा परमेश्वर धर्मी मानलकै, किएकत नूह ओकरापर भरोसा करौलनि। 8अब्राहम परमेश्वरपर भरोसा करबाक कारणे परमेश्वर हुनकास' बात करबाक काल जे कहने छलाह से कएलनि। ओ अपन घर छोड़ि ओहि स्थानपर यात्रा कएलनि जत परमेश्वर जल्दिए अपन नव घर बना लेताह। जखन ओ अपन घरस' बाहर निकललाह तखन हुनका ईहो नहि बुझल छलनि जे ई नवका घर कत होएत। 9परमेश्वरपर भरोसा करबाक कारणे अब्राहम ओहि देशमे रहैत छलाह जे परमेश्वर हुनका देबाक करार कएने छलाह, मुदा ओ एखन धरि हुनकर देश नहि छल। भलेहि परमेश्वर तीनू गोटेस' वचन देने छलाह जे ओ हुनकासबके ई देश देथिन, तइयो ओ अपन पुत्र इसहाक आ पोता याकूबके संग अस्थायी तम्बूमे रहैत छलाह।10अब्राहम ओहिना जिऐत छलाह किएकत' ओ ओहि सुरक्षित आ स्थायी स्वर्गीय नगरमे रहबाक आशामे छलाह जे परमेश्वर नओ बनौनिहार छथि।11विश्वास करबाक कारणे अब्राहम एतेक बूढ़ छल जे ओ सामान्यत अपन पत्नी सारा द्वारा सन्तान उत्पन्न करबाक शक्ति नहि छल। ई एहिलेल भेल जे कारण ओ ई मानि लेने छल जे परमेश्वर जे प्रतिज्ञा कहैत छथि से अवश्य पूरा करैत छथि। 12एहिलेल अब्राहम बहुत बूढ़ रहितो हुनकर बहुत रास वंश अर्थात् इजराएली छलनि। जेना परमेश्वर वचन देने छलाह, इजराएली आकाशमे तरेगन जकां आ समुद्रक कातमे बालुके कण जकां बेसी अछि। 13ओसब अपन मृत्युके समय धरि परमेश्वरपर भरोसा कएने छलाह। जखनधरि ओसब जीवित रहलाह, हुनकासबके ओ अनुभव नहि भेलनि जे परमेश्वर हुनकासबके देबाक करार कएने छलाह, मुदा हुनकासबके बुझल छलनि जे परमेश्वर जल्दिए ओ काज करताह जे ओहि करार कएने छलाह। ओ सबलोकके ई प्रगट कएलनि जे ओसब सचमुच एहि संसारक नहि छथि। 14वास्तवमे, जे सब लोक एहि संसारमे नहि रहबाक बात करैत छथि, से सब स्पष्टरुपस' ई प्रगट करैत छथि जे ओसब अपन देशमे रहए चाहैत छथि।15मुदा मानि लिअ जे ई सब निष्ठावान लोकसब जे देश छोड़ि गेल छल, ओकरा अपन बनाबए चाहैत अछि। ओहि स्थितिमे ओसब ओतए वापस जा सकैत छल मुदा नहि।16मुदा हुनकासबहक विषयमे जे सत्य अछि से ई जे ओसब स्वर्गमे जेहन पैघ देशके इच्छा करैत छलाह। एहि कारणे जखन दोसर लोक परमेश्वरके जे हुनकापर भरोसा कएने छलाह हुनकर परमेश्वरक रुपमे वर्णित करैत छथि तखन ई परमेश्वरके सम्मान करैत अछि। अहाँ कहि सकैत छी जे ई बात सत्य अछि किएकत परमेश्वर हुनकासबलेल जिअएलेल शहर बनौने छथि। 17परमेश्वरपर भरोसा कएलाक कारणे जखन परमेश्वर हुनका परखलाह त' अब्राहम अपन पुत्र इसहाकके बलिदानक रुपमे चढ़ओलनि। असलमे, जे आदमी परमेश्वर बहुत वंशके प्रतिज्ञा कएने छलाह, ओ अपन आ ओकर पत्नी साराके एकमात्र सन्तान बलिदानके रुपमे चढ़ाबएबला छल। 18वास्तवमे, परमेश्वर अब्राहमके पहिनेस' कहि देने छलाह, “हम अहाँके देबाक प्रतिज्ञा कएने छी अनेक वंश अहाँक पुत्र इसहाकस' आओत।”19अब्राहम एहि तरहें काज कएलनि कारण हुनकालेल ई दृष्टान्त छलनि जे परमेश्वर मृत लोकसबके फेरुस' जीवित क' सकैत छथि। असलमे, कहल जा सकैत अछि जे अब्राहम इसहाकके मरलमेस' वापस क' लेलनि।20इसहाक परमेश्वरक भरोसा रहबाक कारणे इसहाक अपन पुत्र याकूब आ एसावके आशीष देलनि आ हुनकासबमेस' एक-एकटाक की होएत से घोषणा कएलनि। 21परमेश्वरपर भरोसा करबाक कारणे याकूब अपन पुत्र यूसुफके दुनू पुत्रके आशीर्वाद देलथिन जखन ओ मरएबला छलाह। अपन लाठीपर झुकि ओ परमेश्वरक स्तुति कएलनि। 22किएकत' ओ परमेश्वरपर भरोसा कएने छलाह, जखन ओ मरएबला छलाह, तखन यूसुफ एहि बातक विषयमे कहलनि जे इजराएलीसब कोना मिस्रस' निकलत। एतबे नहि, ओ हुनकासबके आदेश सेहो देलनि जे जखन ओसब विदा होथि तखन हुनकर हड्डी अपन संग ल' जाथि। 23परमेश्वरपर भरोसा करबाक कारणे मूसाक माय-बाबू मूसाक जन्मक बाद 13 सप्ताह धरि नुकाक' रखलनि। ओसब बिना डेराएल मिस्रके राजाक इजराएलक पुत्र सबहक हत्या क विषयमे आज्ञाक अवहेलना कएलक। ओसब ई एहिलेल कएलक जे ओसब ई बुझि सकैत छल जे मूसा नीक बच्चा अछि। 24किएकत' ओ परमेश्वरपर भरोसा करैत छलाह, त' मूसा जखन पैघ भेलाह त' हुनका अस्वीकारक' देलनि, कारण ओ मिस्रके राजा फरओके एकटा बेटीके पुत्रक रुपमे जिऐत छलाह। 25ओ किछु समयक लेल पापमे आनन्द लेबाक बदलामे ई अनुभव करबाक निर्णय लेलनि जे लोक परमेश्वरक लोकसबके संग कोना दुर्व्यवहार कएलक।26ओ अनुमान लगौलनि जे मसीहक कारणे लोकसब हुनका जे अपमान क' रहल छल, से मिस्रमे देशके सब अनमोल धनस' बेसी मूल्यवान अछि। ओ एहि तरहें सोंचैत छलाह, कारण ओ अपन ध्यान एहि बातपर केन्द्रित कएने छलाह जे परमेश्वर हुनका कोना पुरस्कृत करताह। 27मूसा परमेश्वरपर भरोसा करबाक कारणे ओ मिस्र छोड़ि गेलाह। राजा क्रोधमे की करताह ताहिस' हुनका कोनो डर नहि छलनि। ओ ओहिना काज कएलनि कारण ओ परमेश्वरपर एतेक पूर्ण भरोसा कएने छलाह जेना ओ अदृश्य परमेश्वरके देख सकैत छलाह। 28परमेश्वरपर भरोसा करबाक कारणे मूसा इजराएलीसबके फसहके पर्वके मनाबए लेल आ ओकरासबहक दरबाजापर मेमना सबहक लेहू लगाबए लेल प्रेरित कएलनि। ओसब एहन कएलक जे जे आत्मिक प्राणी मिस्रके जेठ पुत्रके मारैत अछि, ओकर पहिन बेटाके नहि मारि सकए। 29परमेश्वरपर भरोसा करबाक कारणे इजराएलीसब लाल सागर स' एना गुजरल जेना ओसब कठोर जमीनपर चलैत होए। तखन जखन मिस्रवासीसब खेहारबाक करबाक प्रयास कएलक, जखन परमेश्वर बाट झांपि देने छलाह तखन ओसब पानिमे डुबि गेलाह। 30इजराएलीसब परमेश्वरपर भरोसा करैत छलाह, तएं एक सप्ताह धरि इजराएलीसब यरीहो शहरके चारुकात चक्कर लगलाक बाद ओ यरीहोक देवालके तोड़ि देलनि। 31राहाब, वेश्या परमेश्वरपर भरोसा करैत रहबाक कारणे ओ जासूससब यहोशू द्वारा पठाओल गेलसबके मेल-मिलाप रखलनि। किएकत' ओ ई काज कएलक, एहिलेल इजराएलीसब ओकरा नहि मारलक जखन ओसब यरीहोमे रहनिहारसबके, अर्थात् सब लोकके मारि देलक जे परमेश्वरक आज्ञाक पालन नहि कएलक।32आब हम एहि विषयमे आओर किछु नहि कहि सकैत छी। सांचोमे, हमरालग समय नहि अछि जे हम अहाँसबके गिदोन, बाराक, शिमशोन, यिप्ताह, दाऊद, शमूएल आ आन प्रवक्तासबके विषयमे कहब।33ई लोकसब परमेश्वरपर भरोसा करबाक कारणे किछु लोक परदेशी सेनासबके पराजीत क देलक। दोसर लोक धार्मिकतास' राज कएलक। परमेश्वर जे वचन देने छलाह से दोसरोके भेटलनि। दोसरोके सिंहके खाएस बचा लेल गेल।34दोसर लोकसब आगिके जरएबास' रोकि देलक। दोसर लोक तखन बंचि गेल जखन केओ हिंसक हमला कएलक। दोसर कमजोर भेलापर शक्तिशाली भ' गेल। दोसर लोक अपन दुश्मनके विरुद्ध प्रबल युद्ध कएलक। दोसर देशके सैनिक गढ़के पूर्णरुपें पराजीत क देलक।35किछु स्त्रीसब पुनरुत्थानक द्वारा अपन मृत्युके फेरुस जीवित पाबि लेलनि, मुदा दोसर लोकसबके यातना देल गेलनि, हुनकासबके छुटकारा नहि देल गेलनि, जाहिस' हुनकासबके उत्तम पुनरुत्थान भेटि गेल।36एकर अतिरिक्त दोसर लोकसब जखन ओकर उपहास करैत छल वा पिठपर कोड़ा मारैत छल तखन दोसर लोकसबके कष्ट होइत छलनि। कखनोकाल शासक लोकनि जहलमे सेहो राखि दैत छलाह।37लोकसब एहि विश्वासी लोकसबके पत्थल फेकक' वा आधा काटिक' मारि देलक। लोक हुनकासबके परमेश्वरक आज्ञा नहि मानबाक लेल प्रलोभित करैत छल। लोक तरुआरिस' मारि देलक। ई विश्वासी लोक बकरीके चमड़ा खाल पहिरक' घुमैत रहलाह। हुनकासबके खाएबला किछु नहि छलनि आ लोक हुनकासबके यातना आ दुर्व्यवहार करैत छल।38ई संसार ओहि लोकक योग्य नहि छल आ ओसब जंगल आ पहाड़ आ धरतीक गुफा आ खधियामे घुमैत रहलाह।39यद्यपि परमेश्वर एहि सबलोकके एहिलेल गवाही देलनि जे ओसब हुनकापर भरोसा कएने छलाह, मुदा ओसब एखन धरि हुनकासबके ओ नहि देने छथि जे ओ हुनकासबके देबाक करार कएने छलाह।40बल्कि परमेश्वर पहिनेस' तैयार भ' गेल छथि जे हमरासबके किछु पैघ वस्तु द' सकथि जे हुनकासबके जिऐत काल जे किछु भेटल छलनि ताहिस बेसी। ओहि तरहें जखन हम आ ओसब एकसंग रहब तखने हमसब ओ बनब जे परमेश्वर चाहैत छथि।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.