Genesis9
1तखन परमेश्वर नूह आ हुनकर बेटासबके आशीष देलनि। ओ ओकरासबके कहलनि, “हम चाहैत छी जे अहाँसबके बहुते सन्तान होअए जे सौंसे धरतीपर भरि जाइक।2पृथ्वीपर सबटा नमहर जानबर, चिड़ै-चुनमुन, जमीनपर चलएवला सब प्राणी आ सब माछ, अहाँके डर मानत। हम ओकरासबके अहाँके अधिकारमे द' देने छी।3 पहिने हम अहाँसबके भोजनक लेल हरियर गाछ खएबाक अनुमति देने छलहुं, मुदा आब अहाँसबके जे किछु जीवित आ जमीनपर घिसिआक चलबला जानवरसे खा' सकैत छी।4 मुदा अहाँसब एहन माउस नहि खाएब जाहिमे लेहू रहले होइक, किएक त' ओकर लेहूमे जीवन होइत अछि।5मनुष्यके मारएबला केकरो, हम दण्डित करब — जे ओसब यहोवा प्रति उतरदायी होइक चाहे ओ जानबर होइक वा मनुष्य। हम चाहैत छी जे हत्याराके अपन अपराधकलेल ओकरा अपने जान द' क' बदला देब' पड़त। कोनो आदमीके कोनो जानवरो मारि दैक, ओहि जानबरके मारि देल जाए किएक त ओ कोनो आदमीके जान लेने अछि।6 एहि लोकसबके हम, परमेश्वर अपनेसन बनएलहुं। तएं हम एहिपर अड़ल छी जे जं केओ कोनो आदमीके हत्या करत त' ओहि व्यक्तिके मारि देबाक चाही। जे केओ केकरो लेहू बहबैत अछि तेकरा स्वयंके अपन लेहू बहाबए पड़त।7अहाँके हम कहैत छी जे अहाँसब बहुते सन्तान उत्पन्न करु, जाहिस' ओसब आ ओकर वंशजसब समस्त पृथ्वीपर रहए।”8परमेश्वर नूह आ हुनकर पुत्रसबके इहो कहलनि,9“ध्यानस' सुनू। आब हम अहाँसबहक संग आ अहाँक वंशजसबहक संग एकटा करार बान्हि रहल छी,10 आ अहाँसबहक संग जे जीव अछि, जे चिड़ै-चुनमुन, पालतू जानबर आ सब जंगली जानबर सहित-पृथ्वी पर जे जीवजन्तु सब अहाँक संग जहाजमे स' निकलल अछि।11ई करार हम अहाँसबहक संग बान्हि रहल छी जे हम फेरु कहियो जलप्रलयस' सब जीवजन्तुके नाश नहि करब आ पृथ्वीपर आन सबकिछुके जलप्रलयस' नाश नहि करब।”12तखन परमेश्वर ओकरा कहलनि, “अहाँ आ सब जीवजन्तुके संग जे करार बान्हि रहल छी, तेकरा हम अनन्तकालधरि पालन करब आश्वासन देत से चेन्ह ई अछि:13एहि समय हम आकाशमे मेघ-धनुष राखब। ई अहाँके संग आ पृथ्वीपर रहल सबके संग हमर करारक चेन्ह होएत।14जं हम मेघस' वर्षा कराएब आ आकाशमे मेघ-धनुष देखाइत त,15ओ हमर ओहि करारके मोन पाड़त जे हम अहाँसबहक संग आ सब जीव-जन्तुक संग कएने छी, हमर प्रतिज्ञा अछि जे आब ओहन बाढ़ि कहियो नहि होएत जे सब जीवित प्राणीके नाशकरए।16जखन-कखनो आकाशमे मेघ-धनुष होएत तखन हम, परमेश्वर ओकरा देखब, आ हम ओहि करारके स्मरण करब जे हम पृथ्वीपर सब जीवित प्राणीक संग कएने छी, एकटा एहन प्रतिज्ञा जे हम सदाके लेल पालन करब।”17तखन परमेश्वर नूहके कहलनि, “मेघ-धनुष ओहि करारके चेन्ह होएत जे हम धरतीपर सब जीव-जन्तुक संग कएने छी।”18जहाजस' निकलल नूहके बेटासब शेम, हाम आ येपेत रहए। बादमे हाम कनानके पिता बनलाह।19पृथ्वीपर सबलोक नूहके एहि तीनू बेटाके वंशज अछि।20नूह खेतीपाती करए लगलाह। अंगूरक गाछ रोपलनि।21 ओसब अंगूरक खेती कएलाक बाद ओ ओहिस' दाखमद्य बनौलनि। एकदिन जं ओ बेसी दाखमद्य पीबि लेलक त' ओकरा नशा चढ़ि गेलै, आ ओ अपन पालमे नंगटे सुति रहल।22कनानके पिता हाम, अपन बाबुके पालमे नंगटे सुतल देखलक। त' ओ बाहर निकलिक' जे देखलक से अपन दुनू भैयाके कहि देलक।23तखन शेम आ येपेत एकटा नमहर वस्त्र ल' क' पिठपर राखिक' पछमुड़ीए चलिक' ओहि पालमे गेल। ओसब अपन बाबुके नंगटे देहके वस्त्रस' झांपि देलक। ओकरासबके मुंह ओकर बाबुस विपरीत दिशामे छल, तएं हुनका नंगटे नहि देखलनि।24जखन नूह जागि गेलाह आ फेरु होशमे अएलाह त' हुनका जानकारी भेलनि जे हुनकर छोटका बेटा हाम, हुनकासंग कतेक खराब व्यवहार कएने रहए।25ओ कहलनि, “हम हामक बेटा कनान आ ओकर वंशजके सराप द' रहल छी। ओ अपन काका सबके दास जकां होतैक।26हम यहोवाके स्तुति करैत छी, जिनकर शेम आराधना करैत छथि। कनानके वंशज शेमक वंशजके दास होअए।27मुदा परमेश्वर येपेतक इलाका नमहर बनाबथि। ओ येपेतक वंशजके शेमक वंशजसंगे शान्तिमे राखथि। कनानके वंशज हुनकासबहक दास बनए।”28जलप्रलयके बाद नूह 350 साल आओर जीवित रहलथि।29 950 वर्षके उमेरमे नूहक मृत्यु भ' गेलनि।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.