Genesis10

1 ईसब नूहके बेटा शेम, हाम आ येपेतके वंशज अछि। जलप्रलयके बाद कतेको धियापुताके बाबु बनि गेलाह।2 येपेतके बेटा गोमेर, मागोग, मादै, यावान, तूबल, मेशेक आ तीरास रहए।3गोमेरक बेटा अशकनज, रीपत आ तोगर्मा रहए।4यावानक बेटा एलीशाह, तर्शीश, कित्तीम आ सेदानीम रहए।5 यावानक वंशजक बेटा आ ओकर परिवार टापू आ समुद्रके लगमे रहल जमीनसबमे रहैत छल। ओकर वंशजसब विभिन्न जातिसमूह बनि गेल, जेकर अपने भाषा, कुल आ क्षेत्र रहए।6हामके बेटा कूश, मिस्रइम, पूत आ कनान रहए।7कूशके बेटा सेबा, हवीला, सब्ता, रामा आ सब्तका रहए। रामाहके बेटा शेबा आ ददान रहए।8कूशके एकटा आओर बेटा निम्रोद रहए। निम्रोद पृथ्वीपर पहिन व्यक्ति रहए जे एकटा पराक्रमी योद्धा बनि गेलाह।9यहोवा देखलनि जे ओ एकटा बड़का शिकारी बनि गेल छथि। एहिलेल लोकसब नमहर शिकारीके ई फकरा कहए लागल, “अहाँ निम्रोद जेहन नमहर शिकारी छी से यहोवा देखैत छथि।”10 निम्रोद एकटा राजा बनि गेल जे शिनार देशमे राज करैत रहैक। पहिन शहरसब जाहिपर ओ शासन कएलनि से बाबेल, एरेक, अक्कद आ कलने छल।11ओतएस' ओ आओर लोकसबसंगे अश्शूर चलि गेल आ ओतहि ओसब नीनवे, रेहोबोत इर, कालह, आ रेसेन नगरसब बनौलनि।12नीनवे आ कालहके बीच रेसेन एकटा नमहर शहर छल।13हामके बेटा, मिस्र, लूदी, अनामी, लहाबी आ नप्तूही14पत्रुसी, कस्लूही आ कप्तोरी जाति समूहक पूर्वज बनल। पलिश्तीक लोकसब कस्लूके वंशज छल।15हामके छोटका बेटा कनान, सीदोनके पिता भेल, जे जेठका बेटा रहए आ हित्त ओकर छोटका बेटा रहए।16यबूसी, एमोरी, गिर्गाशीके पूर्वज छल।17हिब्बी, अर्की, सिनी,18अर्वादी, सेमारी आ हमाती जाति समूहक पूर्वज कनान रहए। बादमे कनानके वंशजसब एकटा नमहर क्षेत्रमे छिड़िया गेल।19 कनानीसबके सीमा उत्तरमे सिदोन नगरस' दक्षिणमे गरार लग गाजा धरि, आ फेरु पूर्वमे सदोम, गमोरा, अदमा आ सबोयीम नगर दिस, लाशा नगर धरि ओकरासबके जमीन रहए।20ओसब हामके वंशज रहैक। ओसब एहन जातिसमूह बनि गेल जेकर अपन कुल, अपन भाषा, आ अपन जमीन छल।21 येपेतके जेठ भाइ शेमके सेहो बेटा रहैक आ ओ एबरक सारा वंशजके पूर्वज भेल।22शेमके बेटासब एलाम, अश्शूर, अर्पक्षद, लूद आ अराम छल।23अरामके बेटासब उज, हुल, गेतेर आ मश छल।24अर्पक्षद शेलहक पिता भेल। शेलह एबरक पिता भेल।25एबरके दूटा बेटा भेलनि। ओहिमेस' एकटाके नाम पेलेग राखल गेल, जेकर अर्थ होइत अछि “विभाजन,” किएक त ओकरे समयमे पृथ्वीपर लोक विभाजित भ' क' आ सबठाम छिड़िया गेल। पेलेगके भाइ योक्तान छल।26योक्तान स' अल्मोदाद, शेलेप, हसर्मवित, येराह,27हदोरम, ऊजाल, दिक्ला,28ओबाल, अबमाएल, शेबा,29ओपीर, हवीला आ योबाबके पिता योक्तान भेलनि। ईसब योक्तानके बेटा रहए।30 जाहि क्षेत्रमे कुलसब रहए लागल से मेशा स' सपारा धरि छल जे पूर्वमे पहाड़ी देशमे अछि।31ओसब शेमक वंशज आएल अछि। ओसब एहन जातिक समूह बनिगेल जेकर अपने कुल, अपन भाषा, आ अपन जमीन छल।32ईसब कुल नूहके वंशजस' आएल छल। प्रत्येक कुलके अपन वंशावली छल आ प्रत्येक अलग-अलग लोकक समूह बनि गेल। ओ लोकक समूह बाढ़िके बाद बनल आ धरतीके चारुकात पसरि गेल।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67