Genesis50
1यूसुफ अपन बाबुके मुंहपर खसि पड़लनि आ ओ हुनका चुम्मा लेलनि आ कानए लगलनि।2यूसुफ अपन सेवकसबके आज्ञा देलनि जे हुनक बाबुके मरल शरीरके दफनाबएलेल तैयार करए आ शवमे लेप लगबैक।3याकूबके मरल शरीरमे मसल्लासबके लेप लगाबए चालीस दिन लागि गेल, किएक त' ओतबे समयके आवश्यकता कोनो लाशमे मसल्ला लगाबमे लगैत रहैक। याकूबके मृत्युके कारण सारा मिस्रके लोक सत्तरि दिन धरि कनैत रहल।4शोकक समय समाप्त भेल त' यूसुफ राजाके अधिकारीसबके कहलनि, “जं अहाँसब हमरास' प्रसन्न छी त' ई सन्देश राजालग पहुंचा दिऔ।5‘जहिया हमर बाबु मरएबला रहथि त' ओ हमरा प्रतिज्ञा करबौने रहनि जे हम हुनकर शरीरके कनान देशमे, ओहि कबरमे दफनाएब जे ओ स्वयं तैयार कएने रहथि। तएं कृपया हमरा कनान जाक' अपन बाबुके लाश गाड़ब। आ तब हम घुरब।’”6ओसब राजाके सन्देश देलाके बाद ओ उत्तर देलथिन, “यूसुफके कहि दिऔ जे, जाए, अपन बाबुके लाशके गाड़ि दिऔ, जेना अहाँ करएलेल किरिया खएने रही।”7तखन यूसुफ अपन बाबुके लाश गाड़बाकलेल कनान गेलनि। राजाके सब अधिकारी, आ राजाके सब सल्लाहकार आ मिस्रके सब बुजुर्ग हुनकासंग गेलनि।8हुनकर परिवारके छोट-छोट बच्चासब आ ओकर भेंड़-बकरी आ ओकर मालजालके हेंड़ गोशेन प्रदेशमे रहलै। मुदा यूसुफके बांकी सब परिवार आ हुनक भैयासब आ हुनक बाबुके परिवार हुनकासंग गेलनि।9रथ आ घोड़ापर सबार लोकसब सेहो संग लागि गेलनि। कठियारीसबके एकटा विशाल समूह छल।10ओसब यरदन नदीके पूर्व दिस जाक' आताद पहुंचलनि। ओत' एकटा खरिहान रहैक जत' लोकसब गहूम उड़बैत रहैक आ दौनी करैत रहैक। ओत' ओसब बहुत दिन धरि याकूबके लेल जोर-जोरस' शोक करैत रहलै। यूसुफ सात दिनधरि अपन बाबूकेलेल शोक कएलनि।11आतादके रहनिहार कनानी लोकसब हुनकासबके एना शोक करैत देख कहलकनि, “मिस्रके लोकसबके लेल ई एकटा दुखद शोक स्थल अछि!” तएं ओसब यरदन पारके ओहि स्थानके नाम आबेल-मिस्रैम रखलक, जे इब्रानी ओहि शब्द जकां लगैत अछि जेकर अर्थ होइत अछि “मिस्रवासीके शोक”।12तखन याकूबके बेटासब अपन बाबुके आज्ञा अनुसार कएलक।13ओसब यरदन नदीपार क याकूबके लाशके कनान देशमे ल' गेल। ओसब ओहिके मम्रे शहरके पूर्वमे मकपेलाके खेतमे गुफामे दफना देलक। ओ ओहे खेत रहैक जे अब्राहम एप्रोन स' किनने छलनि, जे एकटा हित्ती स' के रहैक, जे ओहिके दफन स्थलक रुपमे उपयोग कएल जाए।14यूसुफ अपन पिताके दफना देलाके बाद, यूसुफ आ हुनकर भाइसब आ हुनकासंग कनानमे आएल लोकसब मिस्र घुरिगेल।15याकूबके मृत्युके बाद यूसुफके भैयासब चिन्तित भ' गेलनि। ओकरासबके बुझा गेलनि जे की भ' सकैत अछि। ओसब कहलकनि, “जं यूसुफ हमरासब प्रति घृणा ल' क' चलैत होथि आ हमरासबस' बदला लेबए चाहैत होथि, हमसब कतेको वर्ष पहिने हुनकासंग कएल गेल सबटा दुष्कर्मके बदला लेत, तब की होएत?”16तखन ओसब यूसुफके ई बात कहबाकलेल केकरो पठौलनि, “हमरासबहक बाबु मरएस' पहिने ओ हमरासबके ई बात कहने छलथि।17‘यूसुफस' कहबनि, जे अपन भैयासबके अहाँसंगे जे अधलाह काज कएने रहैक, ताहिके लेल क्षमा दैक, किएक त' ओसब अहाँक संग जे कएलनि से बहुत गलत रहैक।’ तएं अहाँके बाबुके परमेश्वरके हमसब दास छी, अहाँसंग हमसब जे कएलहुं ताहिके लेल हमरासबके माफ क' दिअ से माफी मंगैत छी।” यूसुफ ओकरासबके सन्देश पाबिक' कानए लगलनि।18तखन हुनकर भैयासब आबिक' यूसुफके सामने जमीनपर लोटि गेलनि आ एकगोटे कहलनि, “कृपया सुनू। हमसब अहाँके दासे रहब।”19मुदा यूसुफ ओकरासबके उत्तर देलनि, “नहि डेराउ! परमेश्वर छथि जे लोकके सजाय दैत छथि; की हम परमेश्वर छी?20रहल अहाँसबके बात त', हं, अहाँसब हमरासंगे बहुत अधलाह काज करए चाहैत छलहुं। मुदा परमेश्वर एहिस' किछु नीक होए देलथिन! ओ कतेको लोकके भूखे मरएस' बचाबए चाहैत छलथि, आ सेहे भेबो कएल! आइ ओसब जीवित अछि!21तएं हम फेरु कहैत छी जे, नहि डेराउ! हम ई ध्यान राखब जे अहाँ आ अहाँक धियापुतासबके पर्याप्त भोजन भेटए।” एहि तरहे ओ ओकरासबके समझा बुझाक' ओकरासबके आश्वस्त कएलनि।22यूसुफ एक सय दस वर्षके उमेर धरि अपन बाबुके परिवारसंगे मिस्रमे रहलनि।23ओ एतेक दिन जीवित रहलनि जे इफ्राइमके बेटाबेटी आ पोता-पोती सबके देख सकलनि। यूसुफके पोता माकीरके सन्तान, जे मनश्शेके बेटा रहैक, यूसुफके मरएस' पहिने जनमल भेल रहए, आ ओसब हुनक वंशजके रुपमे चिन्हल गेल।24एकदिन यूसुफ अपन भैयासबके कहलनि, “हम मरएबला छी। मुदा परमेश्वर अहाँसबके सहायता अवश्य करताह। कोनो दिन ओ अहाँसबके वंशजके एहि देशस' बाहर ल' क' कनान ल' जएताह, जे देश ओ अब्राहम, इसहाक आ याकूबके देबाक गम्भीरतास' शपथ देने छलथि।”25 तखन यूसुफ कहलनि, “जखन परमेश्वर अहाँके ई काज करएमे सक्षम करथि त' अहाँ हमर शरीरके एत' स' कनान ल' जाएब।” ओ अपन भैयासबके गम्भीरतास' एना करएके किरिया खिअएलनि।26यूसुफ एक सय दस वर्षके उमेरमे मिस्रमे मरि गेलनि। हुनकर लाशके मसल्लासबके लेप लगाक' ओतहि एकटा बकसामे राखल गेल।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.