Genesis49
1याकूब अपन सब बेटाके बजाक' कहलनि।2“हमरालग जमा भ' जाउ, जाहिस' हम अहाँसबके कहि सकब जे भविष्यमे की होएत। हमर बेटासब आउ आ हमर बात सुनू। हम अहाँके बाबु याकूब छी।3रूबेन, अहाँ हमर जेठ बेटा छी। अहाँके जन्म तहिया भेल जहिया हम जवान आ बलशाली रही। जखन हम नमहर आदमी भेलहुं त' अहाँ हमर पहिन बच्चा छलहुं। अहाँ हमर बांकी सब बेटास' बेसी गौरवशाली आ मजगूत छी।4मुदा अहाँ समुद्रक लहरि जकां अस्थिर रही। तएं आब अहाँ हमर सबस' महत्वपूर्ण बेटा नहि रहब, कारण अहाँ हमर पलंगपर चढ़ि गेलहुं आ हमर रखैल संग सुतलहुं। ताहिस' हमरा, अहाँक बाबुके बहुत लाज भेल।5 शिमोन आ लेवी, अहाँ दुनू भाइ दुनूगोटे अपराधी जकां काज कएलहुं। अहाँ अपन तरुआरिके उपयोग हिंसक काज करएलेल करैत छी।6 हे हमर अन्तस्करण, ओकर सल्लाहमे नहि आउ; ओकरेसबके सभामे नहि मिलू; किएक त' हमर मनके ओहिके लेल बेसी आदर अछि; किएक त' ओसब पित्तस' लोकसबके मारि देलक, आ ओसब मात्र मस्ती करएलेल बैलके ढोड़हीके नस काटि देलकऐ।7परमेश्वर कहैत छथि, ‘हम ओकरासबके एहिलेल सराप देबनि जे ओसब बहुत क्रोधित भेल, जखन ओसब बहुत क्रोधित भेल त' ओसब बहुत क्रूरता कएलक। हम ओकरा याकूबमे बांटि देब आ ओकर वंशजके इजराएल देशमे छिड़िया देबै।’8यहूदा, अहाँके जेठ आ छोट भाइसब अहाँके स्तुति करत। ओसब अहाँके समक्ष प्रणाम करत, कारण अहाँ अपन शत्रुसबके नीक जकां पराजीत क' देब।9यहूदा एकटा शेरके बच्चा जकां छी जे अपन मारल जानबरसबके खा क' तृप्त भ' क' अपन मादमे वापस आबि गेल छी। ओ शेर जकां अछि जे भोजन कएलाक बाद पड़ल रहैत अछि आ तनैत अछि; एकरा परेशान करबाक साहस केओ नहि करैत अछि।10 यहूदाके वंशजमेस' एकटा शासक सदिखन रहत। प्रत्येक एकटा राजदंड पकड़ने रहत जे ओकरा राजाके रुपमे अधिकार अछि। जाधरि बहुते जातिके लोकसब ओकरा अधीनमे कर नहि दैत अछि आ ई नहि देखबैत अछि जे ओसब एकर आज्ञा मानैत अछि, ताधरि ओना करत।11एकर वंश बहुत बेसी अंगूर उत्पादन करत। फलस्वरुप, अंगूरवारीके पता खाएलेल अपन गदहाके बच्चा अंगूरवारीमे बान्हमे आपत्ति नहि होएतै। दाखरस भरमार होबएके कारण ओसब अपन कपड़ा दाखरसेमे धोएत; ओसब अपन वस्त्र दाखरसमे धोएत जे लेहू जकां लाल होएत।12बेसी दाखरस पिलाक कारण ओकरासबके आंखि लाल भेल रहत, मुदा गायसबके दूध बेसी पिलाक कारण ओकर दांत एकदम उज्जर भ' जाएत।13जबूलून, अहाँके वंशज समुद्रक कातमे रहत जत' जहाजके सुरक्षित बंदरगाह होएत। ओकरासबके भूमि उत्तर दिस सिदोन शहर धरि पसरल होएत।14इस्साकार, अहाँके वंशज दूटा भेंड़के हेंड़के बीचमे पड़ल मजगूत गदहा जकां होएत। एतेक थाकल जे उठि नहि सकए!15ओसब देखत जे ओकर विश्राम स्थल नीक अछि आ देश ओकरासबके बहुत नीक लगैत छनि। मुदा भारी बोझ उठाबएलेल पिठ मोड़िक' दोसरके काज करएलेल मजबूर भ' जाएत।16दान, भलेहि अहाँके गोत्र छोट होएत, मुदा अहाँके अगुवासब अपन लोकपर ओहिना राज करत जेना इजराएलके आन गोत्रक अगुवा अपन लोकपर शासन करत।17दानके वंशज सड़कके कातमे भेल सांप जकां, रास्तापर पड़ल बिखाह सांप जकां होएत। ओसब ओहि दने जाएबला घोड़ाके एड़ी डंसत, जाहिस' घोड़ासब पछिला टांग पर ठाढ़ भेलास' ओहिपर सवारसब पाछु खसि पड़त।”18तखन याकूब प्रार्थना कएलनि, “यहोवा, हम अहाँके प्रतीक्षामे छी जे अहाँ हमरा अपन शत्रुसबस' बचाउ।”19तखन याकूब अपन बेटासबके कहैत रहलनि जे भविष्यमे की होएत। ओ बजलाह, “गाद, अहाँके गोत्रपर डाकूके समूह आक्रमण करत, मुदा अहाँके गोत्र ओकरा रेबारिक' आक्रमण क' देत।20आशेर, अहाँके वंशजसब नीक स्वादबला भोजन करत; ओसब एहन भोजन उपजाओत जे राजासबके खाएलेल सेहो बेसी स्वादिष्ट होएत।21नप्ताली, अहाँके वंशज मुक्त भेल, दौड़ैत मृग होएत जेकर बच्चा सुन्दर अछि।22यूसुफ, अहाँके बहुते वंशज होएत। ओकरासबके बच्चा ओतबे होएत जतेक पानिक झरना ल' भेल अंगूरक फल जकां होएत, जेकर डाढ़ि देबालपर लतरल रहैत अछि।23ओकर शत्रु ओकरासबपर कठोरतास' आक्रमण करत आ धनुषस' ओकरासबपर तीर चलाओत आ ओकरासबके रेबारत।24मुदा याकूबके चट्टान, ओहि चरबाहके नामके कारण, हमर पराक्रमी परमेश्वरक सामर्थ्यके कारण, ओसब अपन धनुषके स्थिर आ बांहि मजगूत राखत।25परमेश्वर, जिनकर हम आराधना करैत छी, ओहे अहाँके वंशजके सहायता करथि। सर्वशक्तिमान् परमेश्वर आकाशस' वर्षा पठाक' आ जमीनक निचास' पानि द' क' आशीर्वाद दैथि। ओ ओकरासबके बहुते सन्तान देत आ पालन करत।26हम चाहैत छी जे परमेश्वर अहाँसबके आशीर्वादसब दैथि से महान होइक। अनन्त पहाड़स' जे आशीर्वाद भेटैत अछि, ओहिस' पैघ अछि। यूसुफ, हम प्रार्थना करैत छी जे ई आशीर्वाद अहाँके देल जाए, कारण अहाँ अपन भाइसबके अगुवा छी।27बिन्यामीन, अहाँके वंशज भूखल नढ़िया जकां होएत। भोरमे ओसब अपन शत्रुके ओहिना मारत जेना नढ़िया अपन शिकार मारिक खालैत अछि, आ सांझमे ओसब अपन शत्रुस' जे लूटिपाटि कएने छल, तेकरा अपन योद्धासबमे बांटत।”28ओ बारह बेटा इजराएलके बारह गोत्रके पूर्वज अछि। इएह बात ओकरासबके बाबु ओकरासबके आशीर्वाद दैत समय, ओकरा प्रत्येकके लेल उचित शब्द कहैत आशीर्वाद देलनि।29तब याकूब अपन बेटासबके कहलनि, “हम लगले मरि जाएब आ अपन पूर्वजसबसंगे मिलए चलि जाएब जे पहिनहि मरि गेल छथि। हमर लाश ओतए दफनाएब जत' हमर पूर्वजसब दफन भेल छथि, ओहि गुफामे जे खेतमे अछि आ जे हित्ती एप्रोन स' किनल गेल रहैक।30कनान देशमे मम्रे स' पूर्वमे मकपेलाक खेत रहैक। अब्राहम एकरा हित्ती एप्रोन स' किनलथि जे एहिके दफन स्थलके रुपमे उपयोग कएल जाए।31ओसब अब्राहम आ हुनक पत्नी साराके ओतहि दफना देलनि। ओतहि ओसब हमर बाबु इसहाक आ हुनकर पत्नी रिबकाके दफना देलनि। आ ओतहि हम अपन पत्नी लिआके दफना देलहुं।32ओ खेत आ ओहिमे भेल गुफा हित्ती किनल गेल छल। तएं हम चाहैत छी जे अहाँ हमरा ओतहि दफना देब।”33 जखन याकूब अपन बेटासबके ई आज्ञा देब समाप्त कएलनि तब अपन चौकीपर गोर पसारि अपन अन्तिम सांस लेलनि आ हुनकर मृत्यु भ' गेलै।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.