Exodus1
1अपन अपन परिवारसब ल' क' याकूबसंगे मिस्र देशमे जाएबला इजराएलके बेटासबके नामसब ई अछि :2रूबेन, शिमोन, लेवी, यहूदा3इस्साकार, जबूलून, बिन्यामीन,4दान, नप्ताली, गाद, आ आशेर छल।5ओहि समय, यूसुफ अपन बेटासबसंगे जे पहिनहिस' मिस्रमे रहैत छल ओकरा समेत याकूबसंगे सत्तरि गोटे गेल रहए। 6किछु समयके अन्तरालमे, यूसुफ आ हुनक भाय आ भैयासब सहित ओहि पुस्ताके सबगोटे बेराबेरि मरि गेल।7मुदा याकूबके सन्तानसब बहुते धियापुतासब जनमौलक। ओकर सन्तानसबके संख्या बढ़ि गेल, आ ओसब एकदम मजगूत भ' गेल। जेकर कारण ओसब एतेक रहए जे ओसब मिस्रदेशके सबठाम रहैक।8यद्यपि, बहुत वर्षक बाद, मिस्र देशमे एकटा नव राजा राज करब शुरु कएलक। मिस्रदेशके लेल नीक बातसब जे यूसुफ कएने रहैक से ओ नहि जनैत रहए। 9ओ अपन लोकसबके कहलकनि, “देखू, इजराएलीसब संख्यामे अपनासबस' बहुते बेसी आ शक्तिशाली भ' गेल अछि।10ओकरासबपर नियत्रण रखबाक लेल अपनासबके बुद्धिस' काम निकालए पड़त! यदि एना नहि करब त' ओसब आओर बेसी बढ़ि जाएत। जखन, शत्रु अपनासबपर आक्रमण करत, त' इजराएलीसब शत्रु संग मिलक' अपनासबके विरुद्ध युद्ध करत, आ ओसब अपनासबके देशस' निकलिक' चलि जाएत।”11तएं राजा आ ओकर अधिकारीसब इजराएलीसबस' कठिन परिश्रम करबाक' बेसी दुख देब' लेल हाकिम खटा देलनि। तखन इजराएलीसब राजाके अन्न आ आओर समान भण्डार करबाक लेल पितोम आ रामसेस नामके दूटा सहर बनौलक।12मुदा जतेक ओसब इजराएलीसबसंग दमन कएलक, ओतेक इजराएलीसबके सन्तान बढ़ैत गेल, आ ओतबे ओसब भरि मिस्र पसरि गेल। तएं मिस्रीसब इजराएलीसबस' भयभीत होबए लागल।13ताहि कारणे मिस्रीसब इजराएलीसबके कठोरतास' काज कराबए लागल।14आ ओकरासबके बलजोरीस' कठिन काजसब करबाक' ओकरासबके जीवनके तीत बना देने रहैक। इजराएलीसबस' अलकतरा आ इंटासबस' घर बनबौलक आ ओकरासबस' सब प्रकारक' खेतीपातीके काज करबौलक। मिस्रीसब निर्दयी भ' क' ओकरासबस' सब प्रकारक काज करएलेल देलक।15आब ओतए दूटा इब्रानी डगरिन रहए। जेकर नाम शिप्रा आ पूआ छल। मिस्रके राजा ओहि दुनू डगरिनके कहलनि,16“जखन इब्रानी स्त्रीसब प्रसवके पत्थलपर बच्चासबके जनमबैत अछि त' तोंसब सहायता करैत छह, यदि जनमल बच्चा बेटा होए, त' ओकरा मारिए दिअह। यदि बच्चा बेटी भेलैक त' ओकरा छोड़ि दिअह।”17मुदा ओ मिस्री डगरिनसब परमेश्वरके आज्ञा अवज्ञा करएमे डेरा गेलीह। ओसब राजाद्वारा देल गेल आज्ञापालन नहि कएलक। ओसब जनमल बेटासबके जीविते रहए देलक।18एहिलेल मिस्रके राजा ओहि दुनू डगरिनके बजाक' कहलनि, “तोंसब एना किएक करैत छह? बेटासबके किएक जीविते छोड़ि दैत छहक?” 19ओहिमेस' एकगोटे डगरिन राजाके कहलीह, “इब्रानी स्त्रीसब मिस्री स्त्री जकां नहि अछि। इब्रानी स्त्रीसब बड्ड बरुआरि अछि। हमरासबके बच्चा जन्मौनीमे सहायता कर' जाएस' पहिनहि ओसब बच्चा जन्मा लैत अछि।”20एहिलेल इजराएली लोकसब बेसी आ बौकार भ' गेल। परमेश्वर ओहि डगरिनसबपर दया देखौलथि।21किएक त' डगरिनसब हुनका अवज्ञा करएस' डेरा गेल छल, परमेश्वर ओकरासबके पति आ धियापुता देलनि।22तेकरबाद राजा सबटा मिस्री लोकसबके एना कहिक' आदेश देलनि, “हिब्रूसबके भर्खर जन्मल बेटासबके नील नदीमे फेक देल जाए! बेटीसबके अहाँसब जीविते छोड़ि सकैत छी।”
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.