Genesis5

1 ई आदम स' आएल लोकसबके सूची अछि। जहिया परमेश्वर मनुष्यके बनौलनि त' ओकरा बहुते तरीकामे अपने जकां बनौलनि।2ओ एकटा पुरुष आ एकटा स्त्रीके सृष्टि कएलनि। ओ ओकरासबके आशीष देलनि, आ जाहि दिन ओ ओकरासबके सृष्टि कएलनि, ओकरा “मनुष्य जाति” कहलनि।3जं आदम एक सय तीस वर्षके भेल, त' ओ अपने जेहन बेटाके बाप बनि गेलथि। ओ ओहि बेटाके नाम शेत रखलक।4 शेतक जन्मके बाद, आदम आठ सय वर्ष आओर जीवित रहलथि, आ ओहि समयमे ओ आओर बेटा-बेटीसबके पिता बनल।5आदम कुल 930 वर्ष जीवित रहलथि, तखन ओ मरि गेलाह।6जखन शेत 105 वर्षक भेल त' ओ एनोशक पिता भेलनि।7एनोशके जन्मके बाद शेत 807 वर्ष आओर जिअल, आओर बेटा-बेटीसबके पिता बनल।8शेत कुल 912 वर्ष जीवित रहलाह, तखन ओ मरि गेलाह।9जखन एनोश नब्बे वर्षक भेलाह त' ओ केनान पिता भेलनि।10केनानक जन्मके बाद एनोश 815 वर्ष आओर जिअल आ आओर बेटा-बेटीसबके पिता बनल।11एनोश कुल 905 वर्ष जीवित रहलाह, तखन ओ मरि गेलाह।12 जखन केनान सत्तरि वर्षक भेल तखन ओ महललेलके पिता भेलनि।13महललेलक जन्मके बाद केनान 840 वर्ष आओर जीवित रहलाह आ आओर बेटा-बेटीसबके पिता भेलाह।14केनान कुल मिलाक 910 वर्ष जीवित रहलाह, तखन ओ मरि गेलाह।15जखन महललेल पैंसठ वर्षक भेलाह तखन ओ येरेदके पिता भेलनि।16येरेदक जन्मके बाद महललेल 830 वर्ष आओर जीवित रहल आ आओर बेटा-बेटीसबके पिता बनल।17महललेल कुल मिला क 895 वर्ष जीवित रहलाह, तखन ओ मरि गेलाह।18जं येरेद 162 वर्षक छलाह तखन ओ हनोकके पिता भेलनि।19हनोकक जन्मके आठ सय वर्ष बाद येरेद, आओर बेटा-बेटीसबके पिता बनल।20येरेद कुल मिलाक 962 वर्ष जीविक' ओ मरि गेलाह।21हनोक जखन पैंसठ वर्षक भेलाह तखन ओ मतूशेलहक पिता भेलनि।22हनोक मतूशेलहके जन्मके बाद तीन सय वर्षधरि परमेश्वरके साथ घनिष्ट संगतिमे रहल, आ ओ आओर बेटा-बेटीसबके पिता बनल।23हनोक 365 वर्ष जीवित रहलाह।24 परमेश्वरके साथ घनिष्ट संगतिमे छलनि, आ ओ एकदिन गायब भ' गेलनि, किएक त' परमेश्वर हुनका अपनासंगे रहएलेल ल' गेलथि।25जखन मतूशेलह 187 वर्षक भेलाह, त' ओ लेमेकके पिता भेलनि।26मतूशेलह लेमेकके जन्मके 782 साल बाद जीवित रहल, ओ आओर बेटा-बेटीसबके पिता बनलनि।27मतूशेलह कुल मिलाक 969 वर्ष जीवित रहलाह, आ तब ओ मरि गेलनि।28जखन लेमेक 182 वर्षक भेल त' ओ एकटा बेटाके बाप भेलनि,29जेकर नाम ओ नूह रखलनि, कारण जेना ओ कहने रहथि, “यहोवा सराप देने जमीनस' अन्न उपजाबएलेल जे मेहनति क' रहल छी, ताहिस' ओ हमरासबके मुक्ति देताह।”30नूहक जन्मके 595 वर्ष बाद लेमेक जीबित रहल आओर बेटा-बेटीसबके पिता बनल।31 लेमेक कुल मिलाक 777 साल जीवित रहल, आ तब ओ मरि गेलाह।32 जखन नूह पांच सय वर्षक भेलाह तखन ओ बेटासबके पिता भेलनि जेकर नाम ओ शेम, हाम आ येपेत रखलनि।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67