Genesis4
1आदमके अपन पत्नी हव्वाक संग सहवास भेलाके बाद, ओकर पत्नी गर्भवती भेलीह आ एकटा बेटाके जन्म देलीह जेकर नाम ओ कैन रखलीह, जेकर अर्थ होइत अछि “जनमाएब” किएक त', ओ कहलीह, “यहोवाके मदति स' हम एकटा बेटा जन्म देलहुं।”2किछु समयके बाद ओ एकटा आओर बेटाके जन्म देलीह आ ओकर नाम हाबिल रखलीह। ओ लड़िका सब नमहर भेलाक बाद, हाबिल भेंड़बकरीसबके हेंड़के चरबाहि करैत छल आ कैन किसान बनि गेल।3एकदिन एहन भेल जे कैन अपन उपजामे स' किछु फसल काटिक' ओकरा यहोवाके समक्ष चढ़ौना ल' क' आएल।4आ हाबिल अपन भेंड़के हेंड़मेस' किछु पहिन जन्मल मेमनाके मारिक' चढ़ौना ल' क' ओ यहोवाके चर्बीबला भाग देलक, जे सबस' नीक हिस्सा छल। परमेश्वर हाबिल आ ओकर चढ़ौना स' प्रसन्न भेलथि।5मुदा कैन आ ओकर चढ़ौना स' ओ प्रसन्न नहि भेलथि। तएं कैन बहुत तमसा गेल, आ ओकर मुंह लटकि गेल।6यहोवा कैनके कहलनि, “तोरा क्रोध नहि करबाक चाही! तोरा एना मुंह नहि लटकएबाक चाही!7 यदि तों जे ठीक करबे, त' हम तोरा स्वीकार करब। मुदा जं तों ठीक काज नहि करबे, त' जे अधलाह तों करए चाहबे से तोरा खा' लेतौ, जेना शेर तोरा दरबज्जाके बाहर पर तोरा आक्रमण करबाक लेल धपाएल छौ। तोहर पाप करबाक इच्छापर तों काबू करए चाहैत छे, मुदा तोरा ओकरा काबू राखए पड़तौ।”8 एकदिन कैन अपन भाइ हाबिलके कहलक, “हमरासंग खेतमे चलू।” तएं दुनूगोटे संगे चलि गेल। जखन ओसब चौरिएमे रहए तखने अनचोकेमे कैन अपन भाइ हाबिलपर आक्रमण क' क' ओकरा मारि देलक।9यहोवाके कैनक काज बुझल छलनि, मुदा तइयो ओ कैनके कहलनि, “की तोरा बुझल छौ जे तोहर भाइ हाबिल कत' छौ?” कैन उत्तर देलक, “नहि, हमरा नहि बुझल अछि। हमर काज भायके पहरा देबाक नहि अछि!”10परमेश्वर कहलनि, “तों जे कएले से भयावह छै! तोहर भाइके लेहूस' जे जमीनमे भिजल अछि से तोरा दोषी ठहरबैत छौ। 11तों अपन भायके मारि देलही, आ, आब जं जमीन तोहर छोट भायके लेहूस' भिजल अछि, जमीन दिसस' तों सरापित छे आ एहिपर फसल उपजाबएके तोहर प्रयास असफल भ' जएतौ।12जं तों फसल रोपबाक लेल जमीन जोतबे त' जमीनस' तोरा बहुत कम उपज होएत। तों पृथ्वीपर निरन्तर बौआएब, आ स्थायी रुपस' रहबाक लेल कोनो स्थान नहि भेटतौ।”13कैन यहोवाके उत्तर देलक, “अहाँ हमरा सहन करएस' बेसी सजाय द' रहल छी।14अहाँ हमरा ओहि जमीनस' भगाबएबला छी जे हम जोतैत आबि रहल छी, आब हम अहाँके सोझा नहि आबि सकब। संगहि, हम धरतीपर निरन्तर घुमैत रहब जाहिमे स्थायी रुपस' रहबाक कोनो स्थान नहि अछि, आ जे हमरा देखत से मारि देत।”15मुदा यहोवा ओकरा कहलनि, “नहि, एहन नहि होएतै। हम तोरापर एकटा चेन्ह लगा देबौ जे तोरा देखबलाके चेता देत जे जं ओ तोरा मारएबलाके हम कठोर सजाय देबै। हम ओहि व्यक्तिके सात गुना बेसी कठोर सजाय देबै जतेक हम तोरा सजाय द' रहल छीयौ।” तखन परमेश्वर कैन पर एकटा निशान लगा देलनि।16तखन कैन यहोवाके छोड़ि नोद नामक देशमे रहए लागल, जेकर अर्थ होइत अछि “बौआएब”, जे अदन स' पूर्वमे छल। 17किछु समयक बाद कैन अपन पत्नीसंगे सुतल, आ ओ गर्भवती भेलीह आ एकटा बेटाके जन्म देलीह, जेकर नाम ओ हनोक रखलक। तखन कैन एकटा नगर बनाबए लागल, आ ओ अपन बेटाके नामस' ओहि शहरके नाम “हनोक” रखलक।18हनोक नमहर भेल आ विवाह कएलक आ ओकरा इराद नामके एकटा बेटा भेल। इराद जखन नमहर भेल तखन ओकरो एकटा बेटा भेल जेकर नाम ओ महूयाएल रखलक। महूयाएल नमहर भेल आ एकटा बेटा ओकरो भेल जेकर नाम ओ मतूशाएल रखलक। मतूशाएल नमहर भेलापर ओकरा लेमेक नामक बेटा जन्म भेल।19जं लेमेक नमहर भेल त' ओ दूटा स्त्रीसंगे विवाह कएलक। एकटाके नाम आदा आ दोसरके नाम सिल्ला छल।20आदा याबाल नामक बेटाके जन्म देलीह। बादमे याबाल पालमे रहनिहार पहिन व्यक्ति बनल किएक त' ओ मालजालके देखभाल करएलेल एक ठामस' दोसर ठाम घुमैत रहए।21 ओकर छोटका भायके नाम यूबाल छल। ओ वीणा आ बांसुरी बनाक बजौनिहार पहिन व्यक्ति रहए।22लेमेकके दोसर पत्नी सिल्ला एकटा बेटाके जन्म देलीह, जेकर नाम ओ तूबल-कैन रखलीह। बादमे ओ पीतरि आ लोहाके चीज बनाबएके सिखलक। तूबल-कैनके छोट बहिनके नाम नामाह रहए।23एकदिन लेमेक अपन दुनू पत्नीके कहलक, “हमर दुनू पत्नी आदा आ सिल्ला, हमर बातके ध्यानस' सुनू। एकटा युवक हमरा मारिक' घाहिलक' देलक, तएं हम ओकरा मारि देलीह।24 यहोवा बहुत पहिने कहने छलथि जे, जे केओ कैनके मारत तेकरास' सात गुना बेसी सजाय देताह। तएं जं केओ लेमेकके मारबाक प्रयास करत त' ओकरा सत्तरि गुना सजाय देल जएतै।”25 आदम स' ओकर पत्नी फेरु गर्भवती भेलीह आ एकटा आओर बेटाके जन्म देलीह, जेकर नाम ओ शेत रखलीह। ओ बजलीह, “हम एकर नाम शेत एहिलेल रखैत छी किएक त' परमेश्वर हमरा हाबिलके स्थान लेबएलेल दोसर बच्चा देने छथि किएक त कैन ओकरा मारि देने रहैक।”26 शेत जखन नमहर भेल तखन ओकरो एकटा बेटा भेल जेकर नाम ओ एनोश रखलनि। ओहि समयस' लोकसब यहोवाके आराधना करए लागल।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.