Genesis48

1एकर किछुए समय बाद केओ यूसुफके कहलकनि, “अहाँक पिता बेमार छथि।” यूसुफ ई बात सुनिते अपन दुनू बेटा मनश्शे आ इफ्राइमके अपन बाबुस' भेट करएबाक लेल ल' गेलनि।2जखन केओ याकूबके कहलकनि, “देखू, अहाँक बेटा यूसुफ अहाँके देखएलेल आएल छथि!” याकूब, जेकरा इजराएल सेहो कहल जाइत छल, पलंगस' उठिक' बैसि गेलनि, भलेहि ओकरालेल ई काम कएल कठिन रहैक।3मुदा याकूब यूसुफके कहलनि, “जखन हम कनान देशके लूजमे रही त' सर्वशक्तिमान परमेश्वर हमरा दर्शन देलथिन। ओ हमरा आशीष देलथिन।4ओ हमरा कहलथि, ‘हम अहाँके बहुते सन्तानक पिता बनएमे सक्षम बनाबए' जा' रहल छी। अहाँके बहुते वंशज होएत, आ ओसब कतेको लोकके समूह बनि जाइत। आ हम ई भूमि अहाँक वंशजके सदाके लेल द' देब।’5आब हम ई बुझब जे अहाँके दुनू बेटा जे हमरा एत' आबएस' पहिने एत' मिस्रमे जनमल छल, से हमरे होएत। इफ्राइम आ मनश्शे हमर बेटा होएत आ ओसब हमर सम्पत्तिक उत्तराधिकारी बनत, ठीक ओहिना जेना हमर बेटा रूबेन आ शिमोन आ आओर सबके होतैक।6बादमे जं अहाँके आओर बालबच्चा होइक से अहाँके होएत, ओ हमर पोता-पोती कहाओत। ओहि देशमे अधीन कएने जमीनमेस' जे किछु विरासतमे ओकर भैयासबके भेटतैक त' ओहि इलाकामे ओकरो हिस्साके रुपमे ओहि जमीनमेस' किछु भेटतैक।7बहुत साल पहिने जखन हम पद्दानस' घुरैत रही त' दुखक बात जे अहाँके माय राहेल कनान देशमे मरि गेलीह, जबकी हमसब तखनो यात्रे करैत रही, जे एप्राता नगर, जे आब बेतलेहम कहल जाइत अछि ओहिस' बेसी दूर नहि रहैक। तएं हम ओकर लाश ओतहि एफ्रात दिसके रस्ता कातमे दफना देलिऐ।”8याकूब यूसुफके बेटासबके देखि पुछलनि, “ई बौआसबके अछि?”9यूसुफ अपन बाबुके उत्तर देलनि, “ईसब ओएह बेटासब अछि जेकरा परमेश्वर हमरा एत' मिस्रमे देने छथि।” याकूब कहलक, “ओकरासबके हमरालग आबए दिऔ जाहिस' हम ओकरासबके आशीष द' सकी।”10याकूब बहुत बूढ़ भेलास' हुनका साफ नहि देखाइत छलनि। तएं ओ नीक जकां नहि देखि सकलनि। तखन यूसुफ अपन बेटासबके अपन बाबुके लग अनलनि आ याकूब ओकरासबके चुम्मा ल' क' पजिया लेलनि।11याकूब यूसुफके कहलनि, “हमरा आशे नहि रहए छल जे हम फेरु अहाँके मुंह देखब, मुदा ई देखू! परमेश्वर हमरा अहाँके देखबाक अनुमति देने छथि, आ अहाँक बौआसबके सेहो देखबाक अनुमति देने छथि!”12यूसुफ याकूबके ठेहुन परस' बौआसबके उतारि लेलनि। तखन ओ जमीनपर लोटिक' प्रणाम कएलनि।13तखन यूसुफ दुनू बेटाके पकड़िक', इफ्राइमके अपन दहिनाकात याकूबके बामा कात आ मनश्शेके अपन बामा कात आ याकूबके दहिनाकात राखि याकूबके लगमे अनलनि।14मुदा जे यूसुफ चाहैत छलनि से याकूब नहि कएलनि। छोट बेटा रहैक तइयो, ओ अपन दहिना हाथ बढ़ाक' इफ्राइम माथपर राखि देलकनि। मनश्शे जेठ बेटा होइतो, ओ अपन हाथ बढ़ाक' मनश्शेके माथपर बामा हाथ राखि देलकनि।15 तखन ओ यूसुफ हुकर बेटासबके आशीष दैत कहलनि, “हमर बाबा अब्राहम आ हमर बाबु इसहाक अपन जीवन परमेश्वरके इच्छा अनुसार चलैत रहलनि, आ आइधरि परमेश्वर हमरा अगुवाइ करैत छथि आ हमर देखभाल करैत छथि जेना चरबाह अपन भेंड़ अगुवाइ करैत अछि आ ओकर देखभाल करैत अछि।16 ओ जाहि स्वर्गदूतके पठौलनि, ओ हमरा कोनो प्रकारक हानिस' बचौलथि। हम प्रार्थना करैत छी जे परमेश्वर एहि बौआसबके आशीष दैथि। हम प्रार्थना करैत छी लोकसब हम आ हमर पूर्वज अब्राहम आ इसहाकके विषयमे सोंचए जे परमेश्वर हुनकासबके लेल करैत छथि। हम प्रार्थना करैत छी जे ओकरासबके बहुते वंशज होथि जे पूरा धरतीपर भरि जाइक।”17यूसुफ जखन देखलक जे हुकर पिता मनश्शेके माथपर नहि, बल्कि इफ्राइम माथपर अपन दहिना हाथ राखि देने छथि, तखन ओकरा नहि नीक लगलनि। तएं ओ अपन बाबुके हाथ पकड़िक' एफ्राइमके माथस' मनश्शेके माथपर लाबि देलकनि।18यूसुफ हुनका कहलनि, “बाबु यौ, ई बात ठीक नहि अछि! जेकरापर अहाँ बामा हाथ राखि देलहुं से हमर जेठ बेटा अछि। ओकर माथपर दहिना हाथ राखि दिऔ।”19मुदा हुनकर बाबु नहि मानलनि, “हम ई बात जनैत छी, यौ हमर बेटा। हम की क' रहल छी से हमरा बुझल अछि। मनश्शेके वंशज सेहो एकटा लोकक समूह बनि जाएत, आ ओसब महत्वपूर्ण भ' जाएत। मुदा ओकर छोट भायके वंशज ओकर सोंचस' नमहर भ' जाएत। ओकर वंशज अनेक जाति बनि जाएत।”20ओहि दिन ओ दुनूगोटेके आशीष द' क' कहलनि, “इजराएलमे लोकसब जखन लोकसबके आशीष देत त' ओसब अहाँसबके नाम लेत। ओसब कहत, ‘हमसब प्रार्थना करैत छी जे परमेश्वर अहाँके ओहिना मदति करथि जेना ओ इफ्राइम आ मनश्शेके मदति कएने छलथि।’” एहि तरहे याकूब कहलनि जे इफ्राइम मनश्शेस' बेसी महत्वपूर्ण भ' जाएत।21तखन याकूब यूसुफके कहलनि, “हम मरएबला छी। मुदा हमरा बुझल अछि जे परमेश्वर अहाँके मदति करथिन। कोनो दिन ओ अहाँके वंशजके अपन पूर्वजके भूमिमे ल' जाएत।22 हम शेकेम क्षेत्रके उब्जाउ पहाड़ी अहाँसबके देब जे अहाँसबके भैया सबस' उपर ठाढ़ छी। हम अपन तरुआरि आ तीर धनुषस' लड़िक ओहि भूमिके एमोरीसबस' कब्जा कएने छी।”

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67