Genesis47
1तखन यूसुफ भीतर जाक' फिरौनके कहलनि, “हमर पिता आ हमर भाय, ओकरासबके झुण्ड, आ हेंड़, आओर सब किछु कनान देशस' आएल अछि। ओ गोशेन प्रदेशमे अछि।”2यूसुफ अपन पांच भायके चुनलनि जे हुनकासंग राजास' बात करबाक लेल जाथि। राजास' हुनकासबके परिचय करौलनि, तखन ओ कहलनि, “हमर बाबु आ हमर भायसब कनान देशस' आएल छथि। ओसब अपन सबटा भेंड़-बकरी, मवेशी आ अपन सबकिछु आनिलेने अछि आ खनि ओसब गोशेने क्षेत्रमे अछि।”3राजा हुनक भाइसबस' पुछलथि, “अहाँसब कोन काज करैत छी?” ओसब राजाके उत्तर देलनि, “हमसब भेंड़ बकरी हेंड़के चरबाह छी, जेना हमर पूर्वज छलनि।”4ओसब राजाके इहो कहलनि, “हमसब एहि देशमे किछु समय रहबाक लेल एत' आएल छी, किएक त' कनानमे बहुत भयावह अकाल अछि, आ हमरासबके हेंड़के पशुलेल ओत' कनिको ओलार बांकी नहि अछि। तएं आब, हमरासबके गोशेन क्षेत्रमे रह' देल जाओ।”5राजा यूसुफके कहलनि, “अहाँक बाबु आ भाइसब अहाँ लग आबि गेल छथि।6ओसब मिस्र देशमे जत' चाहैत छी ओतए' रहि सकैत छथि। अपन बाबु आ अपन भायके जमीनक सबस' नीक हिस्सा दिऔ। ओसब गोशेनमे रहि सकैत छथि। आ जं अहाँके बुझल अछि जे हुनकासबमेस' किनकोमे मालजालस' काज करबाक कोनो विशेष क्षमता छनि त' हुनकासबके हमर अपन मालजालक चरबाहिके मुखिया सेहो बनाउ।”7तखन यूसुफ अपन बाबु याकूबके महलमे अनलनि आ राजास' परिचय करौलनि। याकूब परमेश्वरस' राजाके आशीष देबएलेल आग्रह कएलनि।8तखन राजा याकूबस' पुछलथि, “अपनेके कतेक वर्ष भेल?”9याकूब राजाके उत्तर देलनि, “हम एक सय तीस वर्षमे चलि रहल छी। हम अपन पूर्वज जतेक नहि जीअल छी, मुदा तइयो हमर जीवन विपत्तिस' भरल अछि।”10तखन याकूब फेरु परमेश्वरस' राजाके आशीष देबालेल कहलथि।11यूसुफ अपन बाबु आ भाइसबके मिस्रमे रहएलेल एहि तरहे सक्षम कएलनि। राजाके आज्ञाके अनुसार ओ हुनकासबके ओहि देशके सबस' नीक इलाका, गोशेनमे संपत्ति देलनि, जेकरा आब रामसेस कहल जाइत अछि।12यूसुफ अपन बाबुके समस्त परिवारके लेल भोजनक व्यवस्था सेहो कएलनि। हुनकासबके कतेक बच्चा छलनि, ओ हुनकासबके ओहि हिसाबस' रकम देलनि।13देशे भरिमे अन्न नहि उब्जैत रहैक, कारण भयंकर अकाल पड़ल रहैक। मिस्र आ कनानक लोकसब कंगाल भ' गेल रहैक, कारण ओकरासबलग खएबाक लेल पर्याप्त भोजन नहि रहैक।14मिस्र आ कनानके लोकसबके बेचल गेल अनाजके बदलामे देने सबटा रकम यूसुफके हाथमे गेलैक आ ओ ओकरा राजाक महलमे अनलनि।15मिस्र आ कनानक लोकसब अपन सबटा पाइ अनाजमे खर्च क' क' सब यूसुफ लग आबिक' कहैत रहैक, “हे हमरासबके किछु भोजन दिअ! जं अहाँ हमरासबके अनाज नहि देब त' हमसब मरि जाएब! हमसब अपन सबटा पाइ भोजन कीनएमे लगा देने छी, आ हमरासबलग पाइ नहि बचल अछि!”16यूसुफ उत्तर देलनि, “जं अहाँक सबटा पाइ खतम भ' गेल अछि, तएं हमरालग अपन मालजाल आनि दिअ। जं एना करब त' हम अहाँक मालजालके बदलामे अन्न देब।”17ओसब अपन मालजाल यूसुफ लग अनलनि। घोड़ा, बरद-बकरी, मवेशीके हेंड़ आ गदहाक बदलामे ओकरासबके भोजन देलनि।18ओ साल समाप्त भेलापर दोसर साल ओसब हुनकालग आबिक' कहलनि, “हमसब अहाँस' ई बात नहि नुका सकैत छी जे आब हमरासबलग पाइ नहि अछि आ आब हमरसबके मालजालसब अहींके भ' गेल अछि। हमरासबलग आब मालिक अहाँके आगु हमर देह आ जमीन मात्र बांकी अछि सेहो अहींके द' देब। हमरासबलग आओर किछु नहि बचल अछि।19जं अहाँ हमरासबके भोजन नहि देब त' हमसब मरि जाएब! बिआ नहि देब त' हमरासबके खेत बेकार भ' जाएत। भोजनक बदलामे हमरासब आ हमर जमीन किन लिअ। तखन हमसब राजाके गुलाम बनि जाएब, आ जमीनके मालिक ओहे भ जएतनि। हमरासबके बिआ दिअ जे हमसब बाओग करी आ फसल उपजा सकी, एनाक' हमसब मरबो नहि करब आ हमरसबहक जमीनो मरुभूमि जकां नहि बनत।”20तखन यूसुफ मिस्रीसबके सबटा खेत राजाके लेल किन लेलकनि। मिस्रके लोकसब अपन अपन जमीन हुनका बेचि देलक, कारण अकाल बहुत भयंकर छल आ ओकरासबलग भोजन किनबाक आन कोनो उपाय नहि रहैक। तएं सबटा खेत राजाके खेत बनि गेल।21एकर फलस्वरुप यूसुफ मिस्रदेशके एक शहरस' दोसर शहर धरि सबलोकके राजाके दास बना लेलनि।22मुदा ओ पुजारी सबहक जमीन नहि किनलक, किएक त' राजा दिसस' ओकरासबके नियमित रुपस' भोजन भेटैत रहैक। इएह कारण अछि जे ओसब अपन जमीन हुनका नहि बेचलनि।23यूसुफ लोकसबके कहलनि, “हमर बात सुनू! आइ हम अहाँ आ अहाँक जमीन राजाके लेल किन लेने छी। त' एत' अहाँसबके लेल बिआ अछि जाहिस' अहाँसब ओकरा जमीनमे रोपि सकैत छी।24मुदा जखन फसल काटब तखन फसलके पांचम भाग राजाके द' देबै। बांकी फसल अहाँ खेतमे रोपबाक लेल बिआ बनि सकैत आ अहाँ आ अहाँक बालबच्चा आ अहाँके घरके सबगोटे लेल भोजन बनि सकैत अछि।”25ओसब उत्तर देलनि, “अहाँ हमरासबके जान बचा लेलहुं! हमसब चाहैत छी जे मालिक अहाँ हमरासबस' प्रसन्न रहू। आ हमसब राजाके गुलाम बनब।”26तखन यूसुफ मिस्रके देशके जमीन सम्बन्धी एकटा नियम बनौलनि जे कोनो फसल काटल जाइत अछि ताहिमेस' पांचम भाग राजाके होइत। ओ कानून एखनो अछि। केवल जे भूमि पुजारीसबके रहैक से राजाके भूमि नहि बनल।27याकूब आ हुनकर परिवार मिस्रके गोशेन प्रदेशमे रहए लगलनि। ओ ओतहि सम्पत्ति जोड़लनि। ओत' ओकरासबके कतेको सन्तान जन्मलनि। एहिस' ओकरासबके आबादी बहुत बढ़ि गेल।28याकूब सतरह वर्ष मिस्रमे रहलनि। कुल मिला क ओ एक सय सैंतालिस वर्ष जीवित रहलनि।29जखन इजराएलके मृत्युके समय आबि गेलनि तखन ओ अपन बेटा यूसुफके बजाक' कहलनि, “जं अहाँ हमरास' प्रसन्न छी त' हमर जांघक बीचमे अपन हाथ राखिक' ई प्रतिज्ञा करु जे अहाँ हमरा प्रति विश्वासयोग्य रहब आ आब हम अहाँपर भरोसा क' रहल छी से करु: जं हम मरि जाएब त' हमरा एत मिस्रमे नहि दफनाएब।30बल्कि जं हम मरिजाए आ अपन मरि गेल पूर्वजसब लग चलि जाएब त' हमर लाशके मिस्रस' निकालिक' कनानमे दफना देब जत ओसब दफनाओल गेल छथि।” यूसुफ उत्तर देलथिन, “अहाँ जे कहलहुं से हम करब।”31 याकूब कहलनि, “हमरालग किरिया खाउ जे ई काज अहाँ पूरा करब!” तएं यूसुफ एहिके पूरा करबाक शपथ लेलनि। तखन याकूब अपन माथ पलंगक लगमे झुकाक' प्रणाम कएलनि जेना परमेश्वरके आराधना करैत होइक।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.