Genesis46

1तखन याकूब अपन सब परिवार आ सम्पत्ति ल' क' चलि गेलनि। जखन ओसब बेर्शेबा पहुंचलनि त' ओ ओहि परमेश्वरके बलिदान चढ़एलनि, जिनका हुनकर बाबु इसहाक आराधना करैत छलथि।2ओहि राति परमेश्वर याकूबके दर्शनमे बजाक' कहलनि, “याकूब! याकूब!” ओ उत्तर देलनि, “हम एतहि छी!”3परमेश्वर कहलनि, “हम परमेश्वर छी, जेकरा अहाँके बाबु आराधना करैत छलथि। मिस्रमे जाएस नहि डेराउ, कारण हम अहाँके बहुते वंशज देब, आ ओसब ओत' एकटा विशाल जाति बनि जाइत।4हम अहाँसंगे मिस्र जाएब, आ बादमे अहाँक वंशजके फेरुस' कनान ल' क' आनि देब। आ अहाँके मरकालमे यूसुफ अहाँक संग रहत।”5तखन याकूब बेर्शेबा विदा भेल आ हुनक बेटासब अपन बाबु, पत्नी आ बालबच्चासबके ओहि कठही गड़ी पर' बैसा लेलक जे राजा ओकरासबके यात्रा करबाक लेल पठौने रहथि।6एहि तरहे याकूब आ ओकर समस्त परिवार मिस्र चलि गेलनि। ओसब सबटा मालजाल आ सारा सम्पत्ति जे कनानमे कमएने रहए तेकरा अपनासंगे ल' गेल।7याकूब अपन बेटा, बेटी, पोता-पोतीसब सहित अपन स-परिवारक संग मिस्र गेलनि।8याकूबके परिवारक ओहि सदस्यसबके सूची अछि जे हुनकासंग मिस्र गेलै: याकूबके जेठ बेटा रूबेन।9रूबेनके बेटा हनोक, पल्लू, हेस्रोन आ कर्मी।10शिमोन आ ओकर बेटा यमूएल, यामीन, ओहद, याकीन, सोहर आ शाऊल, जे कनानी स्त्रीस' जन्मल बेटा छल।11लेवी आ ओकर बेटा गेर्शोन, कहात आ मरारी।12यहूदा आ ओकर बेटासब शेला, पेरेस आ जेरह ओकर आओर बेटासब एर आ ओनान कनाने देशमे मरि गेल रहए। पेरेसके दूटा बेटा हेस्रोन आ हामूल।13इस्साकार आ ओकर बेटा तोला, पुआह, याशूब आ शिम्रोन।14जबूलून आ ओकर बेटा सेरेद, एलोन आ यहलेल15ईसब याकूब आ लिआके बेटासब रहैक, जे पद्दनराममे जन्मल रहैक, ओहिमे हुनकर बेटी दीना सेहो रहैक। जमा जम्मा तएं तीसटा बेटा-बेटीसब रहैक।16गाद आ ओकर बेटा सफोन, हाग्गी, शूनी, एसबोन, एरी, अरोदी आ अरेली रहैक।17आशेरके बेटा यिम्ना, यिश्वा, यिश्वी आ बरीआ आ ओकरासबके बहिन सेरह रहैक। बेरियाक बेटा हेबेर आ मल्कीएल।18ओसब याकूब आ दासी, जिल्पाके सन्तान आ पोता-पोतीसब रहैक जेकरा लाबान अपन बेटी लिआके देने रहैक। ई सोलह गोटे भेल।19याकूबके पत्नी राहेलक बेटासब यूसुफ आ बिन्यामीन।20इफ्राइम आ मनश्शे यूसुफके दुनू बेटा रहैक। ओसब मिस्रमे नहि गेलै किएक त' ओसब मिस्रमे जन्म लेने रहैक। ओसब ओनके पुजारी पोतीपेराके बेटी आसनतके बेटासब रहैक जे शहरके मन्दिरमे पुजारी रहए।21बिन्यामीन आ ओकर बेटा बेला, बेकेर, अश्बेल, गेरा, नामान, एही, रोश, मुप्पीम, हुप्पीम आ आर्द रहए।22ईसब राहेल आ याकूबके बेटा आ पोतासब छल। ओसब चौदह गोटे रहए।23दान आ ओकर बेटा हूशीम।24नप्ताली आ ओकर बेटा यहसेल, गूनी, येसेर आ शिल्लेम।25ईसब याकूब आ दासी, बिल्हाके बेटा आ पोतासब रहैक, जेकरा लाबान अपन बेटी राहेलके देने रहैक। ओसब सात गोटे रहैक।26याकूबके कुल छियासठि गोटे रहैक जे हुनकासंगे मिस्र देश गेल रहैक। एहि संख्यामे ओकर पुतहुसब नहि गनाएल अछि।27याकूब आ याकूबके बेटा यूसुफ आ यूसुफके दुनू बेटा जे मिस्रेमे जन्मल रहैक से समेत, ओसब सत्तरि गोटे याकूबके परिवारके सदस्य रहैक जखन ओसब मिस्रमे रहैक।28याकूब यहूदाके पठौलनि जे ओ सबस' आगु जाक' यूसुफस' बात करए आ गोशेन कोना जाएब ताहिपर दिशा-निर्देश पुछए। तखन यहूदा अपन परिवारक बांकी लोकसबलग घुरि अएलनि आ ओसब गोशेन प्रदेश दिस यात्रा कएलनि। ओतए पहुंचल त',29यूसुफ अपन रथ तैयार क' अपन बाबु इजराएलस' भेट करबाक लेल गोशेन गेलनि। यूसुफ जखन पहुंचलनि त' ओ अपन बाबुके गरदनिमे अपन बांहि लपेटिक' बहुत देर धरि कनैत रहलनि।30याकूब यूसुफके कहलनि, “हम अहाँके देखने छी, आब हम बुझि गेलहुं जे अहाँ एखनो जीवित छी! तएं आब हम मरियो जाएब त' नहि कोनो बात।”31तखन यूसुफ अपन भाइसब आ अपन बाबुके परिवारक बांकी लोकसबके कहलनि, “हम राजालग जाक' हुनका कहबनि, ‘हमर भाइसब, हमर बाबु आ हुनकर परिवारक बांकी लोकसब जे कनान देशमे रहैक से आब हमरालग आबि गेल अछि।32ओ लोकसब चरबाह छथि। ओसब अपन बरद, बकरी आ मवेशीके हेंड़ अपने संग ल' क' आबि गेल छथि, किएक त ओसब मालजाल पोसैत अछि।’33जखन राजा अहाँसबके बजाक' पुछथिन जे, ‘अहाँसब कोन काज करैत छी?’34जबाबमे कहबनि, ‘हमसब छोटेस' मालजालके हेंड़ पालैत आबि रहल छी, जेना हमर पूर्वजसब करैत छलनि।’ जं अहाँ हुनका ई बात कहबनि त' ओ अहाँसबके गोशेन प्रदेशमे रहए देतनि।” यूसुफ ओकरासबके एना एहिलेल कहएलेल सिखएलनि किएक त' मिस्रके लोकसब चरबाहसबके घृणा करैत रहैक।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67