Genesis45

1कानएस' यूसुफ अपनाके नहि रोकि सकलनि। अपन नोकरसबके सोझामे कानए नहि चाहैत रहनि, तएं ओ ओकरासबके जोरस' कहलनि, “तोंसब बाहर जो!” ओसब बाहर निकललाके बाद, यूसुफसंगे मिस्रके केओ नहि रहैक जखन ओ अपने-आपके अपन भाय आ भैयासब लग प्रगट कहलनि जे ओ के छथि।2ओ एतेक जोरस' ने चिचिअएलथि जे बाहरोके मिस्रीसब सुनलक आ राजाके महलके लोकसब सेहो सुनलक।3यूसुफ अपन भैयासबके कहलथि, “हम यूसुफ छी! की हमर बाबु एखनो जीविते छथि?” मुदा ओकर भैयासब किछु उत्तर नहि द' सकल, किएक त ओकर बातस' ओसब डेरा गेल रहए।4 तखन यूसुफ अपन भाय आ भैयासबके कहलनि, “हमरालग आउ!” जखन ओसब ओकरा लग आबि गेलनि त' ओ कहलनि जे हम अहाँसबके भाइ यूसुफ छी! हम ओएह छी जेकरा अहाँसब व्यापारीसब हाथे बेचने रही जे हमरा मिस्र लाबि बेचि देलक!5मुदा आब, पछताउ नहि, हमरा दास जकां बेचिक' अपनेपर क्रोधित नहि होउ। अहाँसबके अकालमे नहि मरए देब', ओ परमेश्वरे छलथि जे हमरा अहाँसबस' आगु एत पठौलनि।6 एहि देशमे दू सालस' अकाल पड़ि रहल अछि आ ई पांच वर्ष आओर चलत। एहि समयमे केओ जमीन नहि जोतत, आ ने फसल काटत।7परमेश्वर हमरा अहाँसबस' पहिने एत पठौलनि जे अहाँसबके भूखस' बचाबी आ अहाँसबके वंशजसब बंचि जाए।8तएं हमरा एत' पठएनिहार अहाँसब नहि रही। ई परमेश्वरे छलथि जे हमरा एत' पठौलनि! ओ हमरा राजाके बाबु जकां बनौने छथि। हम हुनकर महलमे सब किछुके प्रभारी छी आ मिस्रमे सबके अधिपति छी!9 आब हबड़-हबड़ हमर पितालग जाउ आ हुनका कहू, “अहाँक बेटा यूसुफ ई कहैत अछि: ‘परमेश्वर हमरा सौंसे मिस्रदेशके अधिपति बना देने छथि। तुरन्ते हमरालग चलि आउ!10अहाँ गोशेन प्रदेशमे रहि सकैत छी। अहाँ आ अहाँक बालबच्चासब आ पोता-पोतीसब, अहाँक भेंड़ बकरीसब, पशुसबके हेंड़, आ अहाँक जे किछु अछि, से हमरा लगमे रहत।11 त जं पांच साल आओर अकाल पड़त, तएं हम अहाँसबके लेल भोजन सुनिश्चित करब। जं अहाँ एत नहि आएब त' अहाँ आ अहाँक परिवार आ अहाँके सब नोकर भूखले रहब।’”12जं अहाँसब — आ बिन्यामीन सेहो — हमरा दिस नीक जकां देखब त' अहाँसब देखब जे वास्तवमे हम यूसुफे छी जे अहाँसबस' बतिआ रहल छी।13जाउ आ हमर बाबुके ई बात कहि दिऔ जे हमरा एत मिस्रमे कतेक आदर अछि। आ बांकी सब किछु जे अहाँसब देखलहुं से हुनका कहि दिऔ। जल्दी हमर बाबुके एत आनि दिअ!14तखन ओ अपन सहोदर भाय बिन्यामीनके गरामे गला जोड़िक' कानए लागल। बिन्यामीन सेहो हुनकर गला लगाक' कानए लागल।15तखन ओ अपन भैयासबके गालपर चुमिक ओ कानए लागल। तेकरबाद, सब भाइए हुनकास' बतिआ लगलनि।16केओ महलमे जाक' ई खबरि देलक जे यूसुफके भैयासब आएल छथि। राजा आ ओकरासब अधिकारी प्रसन्न भेल।17राजा यूसुफके कहलनि, “अपन भाइसबके ई बात कहियौ: ‘अपन जानवरपर अनाज लादिक' कनान देश जाइक।18तखन अपन बाबु आ अपन परिवारके एत' वापस आनि लिअ। हम अहाँसबके मिस्रमे सबस' नीक भूमि देब, आ अहाँसबके नीक भोजन भेटत।’19अपन भाइसबके ई बात सेहो कहि दिऔ: ‘मिस्रस' किछु कठही-गड़ीसब लजाउ आ अपन सब बालबच्चा आ अपन स्त्रीगणके ओहिपर चढ़ाक' अपन बाबूओके आ ओकरासबके ल' क' हबड़-हबड़ एत' आबि जाउ।20अपन सम्पत्ति अनबाक चिन्ता नहि करु, किएक त' मिस्रमे सबस' नीक वस्तु अहाँके होएत। तएं कनानस' कोनो चीज अनबाक आवश्यकता नहि अछि।’”21याकूबके बेटासब ओहिना कएलक। यूसुफ राजाके आदेश अनुसार ओकरासबके रस्तामे कठही-गड़ीसब आ भोजनो देलनि।22ओकरा सबहेके ओ नवका कपड़ा देलनि, मुदा बिन्यामीनके तीन सय चानीके रुपैया आ पांच टुक नवका कपड़ा देलनि।23ओ अपन बाबुके ईसब पठौलनि: मिस्रके नीक समानसब लाधल दसटा गदहा आ अनाज, रोटी आ अन्य भोजनस' लादल दसटा गदही रहए, ई ओकर बाबुके मिस्र आबएलेल यात्राके लेल रहैक।24तखन ओ अपन भैयासबके ई कहिक' पठा देलनि जे, “बाटमे झगड़ा नहि करब!”25सब भाइए मिस्र छोड़िक' कनान देशमे अपन बाबु याकूब लग आबि गेल।26एक भाइए हुनका कहलक, “यूसुफ एखनो जित्ते अछि! असलमे ओ पुरे मिस्रके अधिपति छथि!” याकूब एतेक ने आश्चर्यित भेलनि जे ओकरा विश्वासे नहि भेलैक जे ई बात सांच अछि।27मुदा ओसब यूसुफके सबटा बात हुनका कहि सुनएलक आ याकूब ओहि लदाएल कठही-गड़ीसबके देखलनि जे यूसुफ हुनका आ हुनक परिवार आ ओकर सम्पत्तिसब मिस्र ल' जएबाक लेल पठौने छलनि। तखन याकूबके मन मानि गेलै।28इजराएल कहलनि, “अहाँ जे कहलहुं से हमरा बुझएमे आएल जे हमर यूसुफ बौआ एखनो जीविते अछि, आ हम मर' स' पहिने जाक' ओकरा देखबनि!”

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67