Genesis44
1जखन हुनकर भैयासब अपन घर घुरबाक लेल तैयार भेलाह त' यूसुफ अपन घरक काज सम्हारएबला लोकसबके कहलनि, “ओकरासबके बोरामे जतेक अनाज अंटि सकैत अछि, ओतेक अनाज भरि दिऔ। आ सबगोटेके बोराके मुंहपर ओहि चानीके राखि दिऔ जे ओसब अनाजके बदलामे देने रहैक।2तखन हमर चानीके प्याला आ अनाजके बदला देने चानी सेहो ओकरासबके छोटका भाइके बोराके मुंहमे राखि दिऔ।” तएं सेवकसब यूसुफ कहल अनुसार कएलक।3दोसर दिन भोरे भोरे ओसब अपन गदहासबके संग घरदिस विदाह भेल।4जखन ओसब नगरस' कनिके दूर गेल रहैक त' यूसुफ अपन घरक काजके प्रभारी नोकरके कहलनि, “तुरन्ते ओकरासबके रेबारिक' पकडू। जखन अहाँ ओकरासबके पकड़ि लेब त' ओकरासबके कहू जे ‘हमसब अहाँसबके लेल नीक काज कएलहुं! मुदा अहाँसब हमरासबसंगे अधलाह काज किएक कएलहुं?5अहाँसब ओ प्याला चोरा लेलहुं जाहिमे हमर मालिक पीबैत छथि! ई ओहे प्याला अछि जेकर उपयोग ओ एहन बातके पता लगाब' लेल करैत छथि जे केओ नहि जनैत अछि! अहाँसब जे कएलहुं से बेसी दुष्ट अछि!’”6जखन ओ प्रभारी नोकर ओकरासबके पकड़ि लेलकनि त' ओ ओकरासबके ओ बात कहलकनि जे यूसुफ ओकरा कहने रहथि।7मुदा एकगोटे ओकरा उत्तर देलनि, “मालिक, अहाँ एहन बात किएक बजैत छी? हमसब अहाँके दाससब छी, आ हमसब एहन काज कहियो नहि करब!8हमसब कनानस' ओहि चानीके अहाँसबलग वापस अनलहुं जे हमरासबके अपन बोरामे भेटल रहए! तएं हमसब निश्चितरुपस' अहाँके मालिकके घरस' चानी आ सोना कोना चोराएब!9जं अहाँसब जनैत छी जे हमरासबमेस' केकरो लग ओ प्याला भेटए त' अहाँ ओकर जान मारि सकैत छी आ बांकी हमसब हमर मालिक अहाँके दास बनि जाएब।”10ओ आदमी उत्तर देलनि, “अहाँसबके कहब अनुसार हम करब। मुदा जेकरालग प्याला भेटए त' ओकर जान नहि लेब। बल्कि ओ हमर दास बनि जाइत, आ बांकी अहाँसब अपन घर जा' सकैत छी।”11सबगोटे हबड़-हबड़ गदहापरस' अपन बोरा नीचा उतारिक' खोललक।12तब नोकर सबटा बोरामे प्याला खोजए लागल। जेठकाके बोरास' खोज शुरु भक' छोटकाके बोरा धरि चलल। ओ बिन्यामीनके बोरामे प्याला ताकिक' ओकरासबके देखौलनि।13ओसब एतेक त्रस्त रहए जे ओसब अपन कपड़ा फाड़ि लेलक। ओसब फेरु बोरासबके गदहासबपर लादिक' यूसुफके शहर दिस घुरिगेल।14जखन यहूदा आ ओकर जेठकास' आ छोटका भाइ धरि यूसुफके घरमे प्रवेश कएलनि, यूसुफ एखनो ओतहि छलनि। प्रभारी नोकर यूसुफके कहलक जे जे भेल रहैक। तखन सब भाइए अपने-आपके यूसुफके आगु जमीनपर लोटिक' प्रणाम कएलक।15यूसुफ ओकरासबके कहलनि, “अहाँसब एना किएक कएलहुं? की अहाँ नहि जनैत छी जे हम एहन बातक पता लगा सकैत अछि जे केकरो नहि बुझल होइक?”16यहूदा उत्तर देलनि, “मालिक, हमसब की कहू? हमसब कोन तरहे साबित क' सकैत छी जे हमसब निर्दोष छी। परमेश्वर हमरासबके ओहि पापक बदला लेने छथि जे हमसब कतेको वर्ष पहिने कएने रही। तएं आब हमसब अहाँके दास बनि जाएब, हमसब आ ओ जेकरा बोरामे प्याला भेटल छल से दुनूगोटे।”17मुदा यूसुफ उत्तर देलथिन, “नहि, हम कहियो एहन काज नहि क' सकैत छी। जेकर बोरामे प्याला भेटल छल से मात्र हमर दास बनत। बांकी अहाँसब शान्तिपूर्वक अपन बाबु लग घुरिक' जा सकैत छी।”18तखन यहूदा यूसुफके लगमे आबिक' कहलनि, “मालिक, हमरा किछु कहए दिअ। अहाँ स्वयं राजाके बरोबरि छी, तएं अपने हमरा जान मारएके आज्ञा द' सकैत छी; मुदा अहाँस' बात करबाक लेल हमरापर क्रोध नहि कएल जाओ।19हमर मालिक अहाँ हमरासबस' पुछलहुं, ‘अहाँक बाबु एखनो जीविते छथि आ अहाँक दोसरो भाय अछि?’20हमसब उत्तर मालिकके देलिऐ, ‘हमरासबके बाबु जीवित छथि, मुदा ओ बूढ़ छथि। हुनका एकटा छोट बेटा छनि जेकर जन्म हमरासबके बाबु बूढ़ भेलाक बाद भेलनि। ओहि बेटाके एकटा भैया रहैक, जे मरि गेल अछि। तएं छोटका बेटा ओकर मायके बेटामे एसगरे जीवित अछि, आ ओकर पिता ओकरास' बहुत प्रेम करैत छथि।’21तखन अपने हमरासबके कहल गेलै, ‘अगिला बेर अहाँसब जं एत आबि त' अपन भायके हमरालग आनब, जाहिस' हम ओकरा देखि सकी।’22हमसब मालिक अपनेके कहलहुं, ‘नहि, हमसब एना नहि क' सकैत छी, किएक त' लड़का अपन बाबुस' अलग नहि भ' सकैत अछि। जं ओ अपन बाबुस' अलग होएत त' ओकर बाबु दुखस' मरि जएथिन।’23मुदा अहाँ हमरासबके कहलहुं, ‘जं अहाँक छोट भाय अहाँसंगे नहि आओत त' अहाँसब फेरु हमरा देखाइ नहि देब।’24जखन हमसब अपन बाबु लग घुरिक' गेलहुं त' हमर मालिक जे कहलहुं से हुनका कहलिएनि।25क महिना बाद, हमर पिता कहलथि, ‘मिस्र जाउ आ किछु आओर अनाज किन लाउ।’26मुदा हमसब कहलहुं, ‘हमसब ओहिना घुरिक' नहि जा सकैत छी। हमसब तखने जाएब जखन हमरसबहक छोट भाय हमरासबहक संग रहत। अनाज बेचनिहार लोकके हमसब नहि देखि सकब, जं' हमरासबके छोट भाय हमरासबके संग नहि रहत।’27हमरासबके बाबु उत्तर देलथिन, ‘अहाँसब जनैत छी जे हमर पत्नी राहेल हमरालेल दूटा बेटाके जन्म देलीह।28एकगोटे गाइब भ' गेलाह आ हम कहलिएनि, “कोनो जंगली जानबर ओकरा बुट्टी-बुट्टीक' देने होतैक।” आ तहियास' हम ओकरा नहि देखलहुं।29जं अहाँ अहूं बेटाके सेहो हमरास' ल' जाएब आ ओकरा किछु नोक्सान भ' जाएत त' अहाँसब हमरा शोकके कारण हमर बूढ़ारीमे पाकल केशबलाके मारि देब।’30तएं हमरा सुनल जाओ। हमर बाबु तखने जीवित रहितथि जं हुनकर छोटका बेटा जीवित रहत।31जखन हमसब ओकरा लग घुरैतकाल ओ लड़का हमरासबके संग नहि देखतनि त' ओ मरि जएतनि। हमरेसबके कारण पाकल केशबला हमरसबके बाबुके शोकस' मरि जएतैक।32हम हुनका आश्वस्त कएने रहिऐक जे ओ लड़का सकुशल वापस आबि जाएत। हम कहलिएनि, ‘जं हम ओकरा अहाँ लग घुराक' नहि आनब त' ओकरा अहाँक लग नहि आनएमे सदाके लेल हमहीं दोषी रहब।’33तएं हमर छोट भाइके बदलामे हमर मालिकके दास बनि हमरे एत' रह' दिअ आ ओहि लड़काके आओर अपन भैयासबके संग घर घुरि जाए देल जाओ।34जं लड़का हमरासबसंगे नहि रहत त' हमसब अपन बाबु लग नहि घुरि सकैत छी! हमर बाबु पर कतेक विपति आओत से हम नहि देखए चाहैत छी!”
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.