Genesis40
1किछु समयके बाद, मिस्रके राजाके दूटा अधिकारी एहन अपराध कएलक जाहिस' ओ अप्रसन्न भ' गेल। एकटा रहैक पेय पदार्थ परसनिहार सबके मुखिया आ दोसर रहैक भोजन पकएनिहार सबके मुखिया।2राजा अपन दुनू हाकिमसब पर तमसा गेलै।3ओ ओकरासबके जेलमे राखि देलकनि, जे महलके पहरदारके सेनापतिके घरमे रहैक। ओतहि यूसुफ सेहो राखल गेल छल।4दुनू आदमी बहुत दिन धरि जेलमे रहल। ओहि समयमे महलके पहरदारके कप्तान यूसुफके एहिलेल नियुक्त कएलनि जे ओ ओहि चीज सब आनथि जे ओकरासबके आवश्यक रहैक।5एक राति मिस्रके राजाके पेय पदार्थ परसनिहार सबके मुखिया आ भोजन पकएनिहार सबके मुखियासब एकटा सपना देखलक। प्रत्येक सपनाके अलग-अलग अर्थ रहैक।6दोसर दिन भोरे जं यूसुफ ओकरासबके लग अबिते देखलनि जे दुनूगोटे उदास देखा रहल अछि।7तब ओ फिरौनके हाकिमसबस' पुछलनि, “आइ अहाँसब किएक एतेक उदास छी?”8एकगोटे उत्तर देलक, “हम दुनूगोटे काल्हि रातिमे सपना देखलहुं, मुदा सपना सबके अर्थ बताबएबला केओ नहि अछि।” यूसुफ ओकरासबके कहलनि, “सपना सबहक अर्थ ई परमेश्वरे कहि सकैत छथि। तएं अहाँ जे सपना देखलहुं से कहू, परमेश्वर एकर अर्थ कहथिन।”9राजाके पेय पदार्थ परसनिहार सबके मुखिया यूसुफके अपन सपना सुनौलक। ओ कहलक, “सपनामे हम अपन आगुमे एकटा अंगूरक गाछ देखलहुं।10गाछपर तीनटा डाढ़ि छल। डाढ़ि सबमेस' कनोजरि निकलल, फेरु फूलाएल, आ फेरु ओहिमे थौंकाके थौंका अंगूर फड़ल।11हम राजाके प्याला पकड़ने छलहुं, तएं पाकल अंगूरक रस प्यालामे गारि देलहुं। तब हम ओहि रसके पीबए राजाके प्याला लेल द' देलिऐ।”12परमेश्वर तुरन्ते यूसुफके कहलनि जे ओहि सपनाके अर्थ की अछि। तएं यूसुफ ओकरा कहलनि, “अहाँक सपनाके अर्थ ई अछि: गाछक तीनू डाढ़ि तीन दिनके प्रतिनिधित्व करैत अछि।13तीन दिनके भीतर राजा अहाँके जेल स' मुक्त क' देत। ओ अहाँके ओहे काज फेरु देत जे अहाँ पहिने करैत रही। अहाँ राजा ल' पहिने जकां पेय पदार्थके प्याला ल' क' जाएब, जहिया अहाँ ओकर पेय पदार्थ पियएनिहार रही।14मुदा जं अहाँ जेल स' बाहर निकलि जाएब आ अहाँके लेल सब किछु ठीक भ' जाएत त' दया क' क' फिरौन लग हमरा नहि बिसरब।15लोकसब हमरा ओहि देशस' जबरदस्ती लाबि लेने अछि जत हमर इब्रानी संगीसब रहैत अछि। हम एत' मिस्रोमे, ओतए कोनो गलती नहि कएलहुं, हम एहन कोनो काज नहि कएलहुं जे हम जहलमे रहबाक हकदार छलहुं। तएं हमरापर दया करु आ राजाके हमरा विषयमे कहि देबै, जे ओ हमरा एहि जेल स' मुक्त क' दैक!”16जखन भोजन पकएनिहारके मुखिया सुनलक जे राजाके पेय पदार्थ परसनिहारक सपनाके अर्थ ओकरालेल बहुत नीक अछि, तखन ओहो यूसुफके कहलनि, “हमहूं एकटा सपना देखलहुं। सपनामे हमरा माथपर तीनटा मौनी रोटी देखि हम आश्चर्यचकित भ' गेलहुं।17ऊपरका मौनीमे राजाके लेल अनेक प्रकारक पकाओल भोजन रहैक, मुदा ऊपरका मौनीमे स' चिड़ैसब ओकरा खाइत रहैक!”18परमेश्वर यूसुफके फेरुस' कहलनि जे ओ सपनाके अर्थ कथी रहैक, तएं ओ कहलनि, “तीन मौनी सेहो तीन दिनके प्रतिनिधित्व करैत अछि।19तीन दिनके भीतर राजा आज्ञा देथिन जे अहाँक सिर काटि देल जाए। तखन अहाँके देह गाछपर लटकल रहत, आ गिद्ध नामके चिड़ै आबिक' अहाँक माउस खा लेत।”20तेकरबाद तेसर दिन राजाक जन्मदिन रहैक। ओहि दिन राजा अपन सब अधिकारीके अपन जन्मदिन मनाबए लेल बजाहैट भेलनि। उत्सवक क्रममे जखन ओसब ओतए जमा छल तखन राजा जेलमेस' अपन पेय परसनिहार सबके मुखिया आ भोजन पकएनिहार सबके मुखियाके निकालिक' लाबएके आदेश भेलनि।21ओ कहलनि जे, हुनका पेय पियाबबलाके मुखियाके फेरुस' ओकर पहिनके काज भ' सकैत अछि, तएं एक बेर फेरु राजालग पेयके प्याला ल' जएबाक लेल शुरु कएलनि।22मुदा ओ आज्ञा देलथिन जे भोजन पकाबबलाके मुखियाके फांसी द' क' मारल जाए, ठीक ओहिना जेना यूसुफ कहने रहैक जहिया ओ दुनू आदमीके अपन सपना सबके अर्थ कहने रहैक।23मुदा पेय परसनिहारक मुखिया यूसुफके विषयमे नहि सोंचलक। बल्कि, यूसुफ ओकरा जे करए कहने रहैक से करए बिसरि गेलै।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.