Genesis39
1एहि बीच इश्माएलक वंशज यूसुफके मिस्र देशमे ल' गेल। ओतहि पोतीफर यूसुफके ओकरासबस' किन लेलक। पोतीफर मिस्रके रहनिहार रहैक जे राजाके अधिकारीसबमे स' एकगोटे रहैक आ राजाके महलके पहरदारसबके कप्तान रहैक।2 यहोवा यूसुफके मदति स' ओ अपन काज बहुत नीक जकां क' सकलनि। ओ अपन मिस्री मालिकके घरमे काज करैत रहनि।3 ओकर मालिक देखलनि जे यहोवा यूसुफके सहायताक' रहल छथि आ ओकर सबटा काज सफल अछि।4यूसुफके मालिक ओकरास' प्रसन्न भेलनि, तएं ओ ओकरा अपन सेवक बनौलनि। तखन ओ ओकरा नियुक्त कएलनि जे ओ ओकर घरके सब किछु आ ओकर सबटा धन-सम्पत्ति सम्हारि लेथि।5जहियास' पोतीफर यूसुफके अपन घरके सब किछु आ ओकर सबटा सम्पत्तिक देखभाल करबाक लेल नियुक्त कएलनि, तहियास' यहोवा यूसुफके कारण मिस्री पोतीफरक घरमे रहनिहार लोकसबके आशीष देलथिन। पोतीफरके फसल सेहो नीक जकां उपजा दैत छलथि।6पोतीफर यूसुफके अपन सबकिछु सम्हारबाक अनुमति देलनि। पोतीफरके मात्र अपन भोजनके नियार करबाक आवश्यकता रहैक। ओ अपन घरमे आन कोनो बातक चिन्ता नहि कएलनि।
यूसुफ नीक आ सुन्दर रहए।7एहि कारण, किछु समय बाद, ओकर मालिकके पत्नी यूसुफ दिस नजरि गराक' देखए लगलीह। तएं एकदिन ओ ओकरा कहलीह, “हमरासंग सुतू!”8मुदा ओ अपन मलिकानिके कहलनि, “सुनू! हमर मालिक एहि घरमे कोनो बातक चिन्ता नहि रखैत छथि। ओ हमरा नियुक्त कएने छथि जे हुनकर सब किछु सम्हारि।9हमरास' बेसी अधिकार एहि घरमे केकरो नहि छै। एकेटा बात जे ओ हमरा नहि देने छथि से अछि अहाँ, कारण अहाँ हुनकर पत्नी छी! तखन हम ई दुष्टकाज कोनाक' सकैत छी जे अहाँ हमरा कर' कहि रहल छी? यदि हम एना करैत छी त' हम परमेश्वरक विरुद्ध पाप करब!”10ओ दिन-प्रतिदिन यूसुफस' कहैत रहलीह जे ओ ओकरासंगे सुतए, मुदा ओ मना कएलनि। ओ ओकरा लगोमे नहि जाइत छलनि।11एकदिन यूसुफ अपन काज करबाक लेल घरमे गेलनि, मुदा घरक आन नोकरसबमे स' केओ घरमे नहि रहैक।12पोतीफरके पत्नी ओकर कपड़ा पकड़िक' कहलनि, “हमरासंगे सुत' चलू!” यूसुफ घरस' बाहर दौड़क भागि गेल, मुदा ओकर कपड़ा एखनो ओकर मलिकानिके हाथमे रहैक!13ओ देखलीह जे ओ अपन कपड़ा ओकरे हाथमे छोड़िक' बाहर भागल अछि।14ओ घरक नोकरसबके बजौलीह। ओ ओकरासबके कहलीह, “देखू! ई इब्रानी आदमी जेकरा हमर पति अपनासब लग अनने छलथि, हमरासबके अपमान क' रहल अछि! हम जत छलहुं ओ ओत' आबि हमरासंग जबरदस्ती सुतए चाहैत छल, मुदा हम जोर-जोरस' चिचिआए लगलहुं।15हमरा चिचियाइत सुनिते ओ अपन कपड़ा हमरे लग छोड़िक' बाहर भागि गेल अछि!”16जाधरि ओकर पति, यूसुफके मालिक घर आबि नहि गेलनि ताधरि ओ ओकर कपड़ाके अपने बगलमे रखने रहलीह।17तखन ओ ओकरा एना कहलीह, “ओ इब्रानी दास, जेकरा अहाँ एत अनने छलहुं, ओ हमरालग आबिक' आ हमरासंगे सुतबाक प्रयास कएलक।18जहिना हम जोर-जोरस' चिचिऐली त ओ अपन कपड़ा हमरे लग छोड़िक' बाहर भागि गेल!”19जखन यूसुफके मालिक ओकर पत्नीके कहल बात सुनलनि आ जं ओ कहलीह, “अहाँक दास हमरासंगे एहन व्यहवार कएलक” त' ओ बहुत क्रोधित भ' गेलनि।20यूसुफके मालिक यूसुफके ल' क' जेलमे राखि देलनि, जत राजाके कैदीसबके राखल गेल रहैक आ यूसुफ ओतहि रहलनि।21मुदा यहोवा यूसुफ पर दया कएलथि आ ओकर पूर्वजसबके संग कएल गेल करारके कारण ओकर सहायता कएलथि। जेलके हाकिमके ओकरास' प्रसन्न करएलथि।22तएं जेलक हाकिम यूसुफके जेलमे रहनिहारसबके आ ओत' होबएबला सबटा काज उपर प्रभारी बना देलनि।23जे यूसुफके' रहल छलनि ताहिपर हाकिमके एहन कोनो बातके चिन्ता नहि रहैक, किएक त' यहोवा यूसुफके ओकर सबकाज नीक जकां करएमे मदति करैत छलथि।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.