Genesis41
1पूरे दू वर्षके बाद मिस्रके राजा एकटा सपना देखलनि। सपनामे नील नदीके कातमे ठाढ़ रहैक।2अचानक सातटा मोटगर गाइसब प्रगट भेल। नदीके कातमे जे घास रहए से चर' लागल।3देखते-देखते नील नदीमे स' सातटा आओर गाइसब प्रगट भेल, ओसब देखएमे अस्वस्थ आ लटल-बुटल रहए। ओसब नदीके कातमे जे मोटगर गाइसब रहए तेकर कातमे ठाढ़ भ' गेल।4तब अस्वस्थ लटल गाइसब ओहि सात स्वस्थ मोटगर गाइसबके खा' गेल। आ तखन राजाके निन टूटि गेलै।5राजा फेरु सुति रहलनि आ एकटा आओर सपना देखलनि। एहिबेर ओ सातटा अनाजके बालि देखलनि जे दानास' पुष्ट आ पाकल रहैक, आ सबटा एकेटा डाढ़ि पर फड़ल रहए।6तेकरबाद राजा देखलनि जे ओहि डांट पर सातटा आओर अनाजके बालि कनोजरि छोड़ने अछि। ओसब पातर-पातर छल आ पूर्वक गरम हवास' सुखि गेल रहए।7तखन पातर-पातर अनाज ओहि सातटा पाकल भरल-पूरल बालिके खा' गेल। तखन राजाके निन टूटि गेलै। ओकरा बुझाएल जे ओ सपना देखने रहैक।8मुदा दोसर दिन भोरे ओ राजा ओहि सपनाके अर्थके चिन्तामे पड़ि गेलैक। तएं ओ मिस्रमे रहनिहारसब जादूगर आ ज्ञानीके बजौलनि। ओ जे सपना देखने रहैक से कहलक, मुदा ओकरासबमेस' केओ ओहि दुनू सपनाके अर्थ नहि कहि सकल।9तखन पेय परसनिहारक मुखिया राजाके कहलनि, “हमरा एकटा बात मोन पड़ि गेल जे हमरा अहाँके कहबाक चाही! अहाँके कहनाइ बिसरिक' गलती भेल।10एक बेर अहाँ, राजा हमरा दू गोटेपर तमसा गेल रही। तएं अहाँ हमरा आ भोजन पकएनिहारके मुखियाके महलक पहरेदारक कप्तानके घरक जेलमे राखि देने रहिऐक।11जहिया हमसब ओत' रही त' एक राति हमसब एकटा सपना देखलहुं आ सपना सबके अर्थ अलग-अलग रहैक।12हमरासबसंगे एकटा इब्रानी युवक रहए। ओ महलक पहरेदारक कप्तानके दास रहैक। हमसब जे सपना देखलहुं से कहलिएनि, त ओ हमरासबहक सपनाके अर्थ कहि देलक। ओ हमरासबमेस' प्रत्येकके अपन अपन सपनाके अर्थ बतौलनि।13तेकरबाद ठीक ओहिना भेल जेना ओ एहिके अर्थ हमरासबके बतौने रहैक: अहाँ हमरा फेरुस' हमर पहिनेके काज देलहुं, मुदा दोसर आदमी फांसी लगाक' मारल गेलैक।”14राजा ई बात सुनिक' किछु नोकरसबके कहलनि जे यूसुफके हुनकालग बजाक' आनू आ ओसब हबड़-हबड़ यूसुफके जहलस' बाहर अनलकनि। आब यूसुफ केश कटाक' नीक कपड़ा पहिरने रहैक, ओकरा राजाके सोझा ठाढ़ कराएल गेलै।15राजा यूसुफके कहलनि, “हम दूटा सपना देखलहुं, आ एकर माने केओ नहि कहि सकैत अछि। मुदा केओ हमरा कहलक जे जं अहाँ केकरो सपनाके सुनिक' ओहि सपनाके की माने अछि से कहि सकैत छी।”16मुदा यूसुफ राजाके उत्तर देलनि, “नहि, हम एना नहि क' सकैत छी। सपनाके अर्थ परमेश्वरे जनैत छै, मुदा ओ हमरा ओकर अर्थ बताबएमे सक्षम क' देतनि, आओर ओकर माने किछु नीके होएतै।”17राजा यूसुफके कहलनि, “हम पहिन सपनामे नील नदीके कातमे ठाढ़ रही।18अचानक सातटा स्वस्थ मोटका गाइ नदीके कातमे जे घास छल, ओकरा चर' लागल।19देखते-देखते सातटा आओर गाइ, कुरुप आ लटल-बुटल, नदीमे स' ओहि गाइके पाछुमे आबि गेल। एतेक कुरुप गाय हम कहियो भरि मिस्रमे नहि देखने छी!20लटल-बुटल कुरुप गाय सब पहिने जे सातटा मोटका गाय रहैक, तेकरा खा गेल।21मुदा बादमे केकरो पता नहि चलल जे लटल गाय सब ओकरासबके खाए सकैत अछि, किएक त' ओसब पहिने जकां कुरुप छल। तखने हमर निन टूटि गेल।22तखन हमरा एकटा आओर सपना आएल। सातटा अन्नके बालि देखलहुं। ओसब अन्न स' भरल आ पाकल छल आ सबटा एकेटा डाढ़ि पर फड़ल छल।23तखन हम आश्चर्यचकित भ' गेलहुं जे सातटा आन अनाजके बालि अंकुरित भेल। ओसब पातर छल आ पुरुबक गरम हवास' सुखि गेल।24अनाजके पातर सीस ओहि सात नीक बालिके खा गेल। हम ई सपनासब जादूगर सबके कहलिऐ, मुदा केओ हमरा ई नहि बुझा सकल जे एकर माने की अछि।”25तखन यूसुफ राजाके कहलनि, “अहाँक दुनू सपनाक अर्थ एक समान अछि। परमेश्वर अहाँक सपनामे अहाँके प्रगट क' रहल छथि जे ओ की करएबला छथि।26सातटा स्वस्थ गाइ सात वर्षके प्रतिनिधित्व करैत अछि। अन्नक सातटा नीक बालि सेहो सात वर्षके प्रतिनिधित्व करैत अछि। दुनू सपना दुनूके अर्थ एके समान अछि।27ओकरासबके पाछु जे सात पातर कुरुप गाय आ पुरुबक गरम हवाक कारणे सुखाएल सातटा बेकार अनाजसब सात वर्षके अकालके प्रतिनिधित्व करैत अछि।28ई तहिना होएत जेना हम अहाँ, राजाके कहने छी, किएक त' परमेश्वर अहाँके प्रगट कएने छथि जे ओ की कर' जा रहल छथि।29सात साल भरि मिस्र देशमे भोजनक भरमार होएत।30तखन सारा मिस्रमे सात वर्षके रौदी होएत। तखन लोकसब साल बिसरि जाएत जखन भोजनक भरमार छल, कारण जे ओकर बाद रौदी आओत जे देशके नाश क' देत।31लोकसब बिसरि जाएत जे पहिने कतेक अन्न छल, किएक त' ई रौदी बहुत भयावह होएत।32परमेश्वर अहाँ, राजाके दूटा सपना देखएबाक कारण ई अछि जे ओ दृढ़तापूर्वक निर्णय क' लेने छथि जे ई होएबे करत आ ओ बहुत जल्दी ईसब सपना पूरा क' देथिन।33आब हम राजाके सुझाव दैत छी जे अहाँसब एहन आदमी खोजू जे बुद्धिमान होए आ नीक निर्णय क' सकए। हमर सुझाव अछि जे अहाँ हुनका पूरा मिस्रदेशके काज निर्देशित करबाक लेल नियुक्त करु।34राजा अपने सारा देशके पर्यवेक्षक सेहो नियुक्त कएल जाओ, जाहिस' ओसब मिस्र देशमे ओहि सात वर्षमे जे अनाज काटल जाइत अछि, ताहिमेस' एक पांचम हिस्सा जमा करबाक व्यवस्थाके' सकथि, जखन भोजनक भरमार होएत।35आबएबला सात वर्षमे ओसब एहि मात्रामे अनाज जमा करथि, जखन की भोजनक भरमार होएत। राजाके अधिकारमे प्रत्येक शहरके ओ भोजनके रेखदेख आ सुरक्षा करबाक चाही जे संग्रहित कएल जाइक।36एहि अनाजके एहि तरहे राखल जाए जे ओहि सात वर्षमे जखन एत मिस्रमे रौदी पड़ि जाएत, तखन एहि देशके लोक भूखस' नहि मरि सकए।”37राजा आ ओकर अधिकारीसब सोंचलनि जे ई नीक योजना होएत।38तखन राजा ओकरासबके कहलनि, “की हमरासबके यूसुफ जकां आन आदमी भेटि सकैत अछि, जेकरा परमेश्वर अपन आत्मा देने छथि?”39तखन राजा यूसुफके कहलनि, “परमेश्वर अहाँके ई सबबात प्रगट कएने छथि, तएं हमरा बुझा जाइत अछि जे अहाँ जकां बुद्धिमान केओ नहि अछि जे बुद्धिमानीस' निर्णय क' सकैत अछि।40 तएं हम अहाँके अपन महलमे सब किछुके प्रभारी बना देब। एत मिस्रमे सबलोकके अहाँक आज्ञापालन करबाक चाही। हम राजा छी ताहिके लेल राजगद्दीमे मात्र अहाँस' बेसी अधिकार हमर रहत।”41तखन राजा यूसुफके कहलनि, “हम आब अहाँके पूरा मिस्र देशके प्रभारी बना रहल छी।”42राजा अपन आंगुरस' ओ औंठी निकालिक' यूसुफके औंरीमे पहिरा देलनि। ओ मलमल स' बनल वस्त्र पहिरौलनि आ गरदनिमे सोनाके सिकरी पहिरा देलनि।43तखन ओ यूसुफके ओहि रथमे घुमबाक व्यवस्था कएलनि जाहिस' ई बुझाइक जे ओ देशमे सबस' महत्वपूर्ण आदमी छथि। जखन यूसुफ रथमे सबार भेलाह तखन हुनका सामने सड़कपर रहल लोकसब चिचिआ उठलनि, “हुनका झुकिक' प्रणाम करु!” तएं यूसुफ सारा मिस्रमे एहि काजक रेखदेख करबाक लेल निकलि गेलनि।44राजा यूसुफके कहलनि, “हम राजा छी, मुदा जं बिना अहाँ आज्ञाके भरि मिस्रमे केओ किछु नहि करत।”45राजा यूसुफके नव नाम देलथिन, जे रहैक सापनत-पानेह। ओ ओकरा आसनत संगे बिआह सेहो करा देलक देलनि। ओ पोतीपेराके बेटी छलीह जे ओन शहरके एकटा मन्दिरमे पुजारी रहैक। एहि तरहे यूसुफ भरि मिस्र देशमे जानल गेल।46यूसुफ तीस वर्षके रहैक जं ओ मिस्रके राजाके लेल काज करए लगलनि। अपन काज करबाक लेल ओ राजाक महल छोड़ि पूरा मिस्रमे घुमलनि।47अगिला सात वर्षमे ओहि जमीन खूब फसल देलक, तएं भोजनके भरमार छल।48जखन यूसुफ ओकरासबके देखभाल करैत छलनि तखन ओकर सहायकसब ओहि वर्षमे जे मिस्र देशमे अनाज उपजल छल, ओकर पांचम हिस्सा जमाक' क' शहरसबमे संग्रहित कएलनि। प्रत्येक शहरमे ओ अपन सहायक सबस' ओहि शहरके चारुकातके खेतमे जे अनाज उपजल छल, तेकरा संग्रहित करबैत छलनि।49यूसुफ ओकरासबस' बहुत रास अनाज जमा करौलनि। समुद्रके बालू जकां प्रचुरता बुझाति छल। एतेक अनाज छल जे किछु समयक बाद ओसब कतेक अनाज जमा भेल तेकर हिसाब रखनाइ छोड़ि देलनि, कारण ओकरासबके हिसाब कर' स बेसी अनाज रहैक।50सात वर्षके अकाल शुरु होबएस' पहिने ओन नगरके पुजारी पोतीपेराके बेटी, यूसुफके पत्नी आसनत दूटा बेटाके जन्म देलीह।51यूसुफ जेठकाके नाम मनश्शे रखलनि, जे इब्रानी ओहि शब्द जकां लगैत अछि जेकर अर्थ होइत अछि “बिसरि जाउ” किएक त' ओ कहलनि जे, “परमेश्वर हमरा अपन सब परेशानी आ हमर पिताक सब परिवारके बिसरा देने छथि।”52ओ अपन दोसर बेटाके नाम इफ्राइम रखलनि, जेकर अर्थ होइत अछि “सन्तान जनमाएब” किएक त' ओ कहलनि जे, “परमेश्वर हमरा एहि देशमे सन्तान देने छथि, जत हम कष्ट भोगलहुं।”53अन्तमे मिस्रदेशके सुकालके सात वर्ष बित गेल।54 तखन सात वर्षके अकाल शुरु भ' गेल जेना यूसुफ कहने छलनि। आन सब देशमे सेहो अकाल पड़ल रहैक, मुदा फसल भलेहि नहि उपजबैत छल, मुदा मिस्रमे सबठाम भोजन रहैक, किएक त' शहरमे जे अनाज भण्डार कएल गेल रहैक।55जखन मिस्रके सबलोक अपन सब भोजन खा क' समाप्त क' लेलक आ ओसब एखनो भूखल रहए, तखन ओसब राजास' भोजन देबएलेल निहोरा कएलक। तएं राजा सारा मिस्रीके कहलनि, “यूसुफ लग जाउ आ जे कहए छथि से करु।”56जखन सौंसे देशमे रौदी बेसी खराब भेल तखन यूसुफ अपन सहायकसबके भंडार खोलबाक आदेश देलनि। तखन ओसब भंडारमे राखल अनाज मिस्रके लोकसबके बेचलक, कारण सौंसे मिस्रमे रौदी बहुत भयंकर रहैक।57लगपासक बहुते देशके लोक यूसुफस' अनाज किनलेल मिस्र आएल छल, किएक त' सबठाम रौदी बहुत भयंकर रहैक।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.