Genesis3
1 यहोवा परमेश्वरके बनाओल सब जंगली जानवरस' बेसी धूर्त सांप छल। सांप ओहि स्त्रीके, “की परमेश्वर अहाँके सत्ते कहलथि, ‘फूलवारीके कोनो गाछक फल नहि खाएब’?”2ओ स्त्री सांपके उत्तर देलीह, परमेश्वर एना कहलथि, “फूलवारीके बीचमे रहल गाछके फल नहि खाएब आ नहि ओकरा छुबू। यदि ओना करब त' अहाँसब मरि जाएब।3 मुदा परमेश्वर कहलथि, ‘अहाँसब आन सब गाछके फल खा सकैत छी।’” 4सांप ओहि स्त्रीके कहलक, “नहि, अहाँ निश्चितरुपस' नहि मरब। परमेश्वर ई बात5 मात्र एहिलेल कहलथि जे परमेश्वर जनैत छथि जखन अहाँसब ओहि गाछक फल खाएब तखन अहाँसब नव बातसब बुझब। जेना अहाँके आंखि खुजि गेल होइक, जे अहाँसब बुझिलेब की करब नीक आ की अधलाह अछि, ठीक परमेश्वरे जकां।”6ओ स्त्री देखलीह जे ओहि गाछक फल खाएलेल नीक आ देखएमे बेसी सुन्दर अछि। ओ एकर इच्छा एहिलेल कएलीह जे ई ओकरा बुद्धिमान बना देत। तएं ओ किछु फल तोड़िक' खा लेलीह। ओ अपन पतियोके देलीह, आ ओ एहिके खा' लेलक।7 तुरन्ते जेना ओकरासबके आंखि खुजि गेल होइक, ओकरासबके महसूस भेलनि जे ओसब नंगटे अछि, तएं ओकरासबके लज्जित भेल। तएं ओसब जैतूनके किछु पता तोड़िक' आ ओकरा बान्हिक' अपनालेल झंपना बनौलनि।8 ओहि दिन बेरियामे, जखन शीतल हवा बहैत रहए, तखन ओकरासबके फूलवारीमे यहोवा परमेश्वरक चलबाक आवाज सुनएमे आएल। तएं ओ आदमी आ ओकर पत्नी फूलवारीके झाड़पातमे अपनेके नुका गेल, जे परमेश्वर ओकरासबके नहि देखथि।9मुदा यहोवा परमेश्वर मनुष्यके ई कहिक' बजौलथि, “अहाँसब हमरास' किएक नुकएबाक प्रयास क' रहल छी?”10ओ आदमी उत्तर देलक, “हम फूलवारीमे अहाँके पयरक आवाज सुनली, आ हम नंगटे छली, तएं हम डेरा गेली आ अहाँस' नुका रहली।”11परमेश्वर कहलखिन, “तोरा कोना बुझएमे अएलहुं जे तों नंगटे छे? ओहि गाछक फल अवश्य खा लेने होबए जे हम तोरा कहने रहियौ, ‘एकर फल नहि खइहे।’ की तों ओहिना कएले?”12ओ आदमी कहलक, “अहाँ ई स्त्री हमरासंग रहबाक लेल देने रही। ओहे गाछक किछु फल हमरा देलक, तएं हम खा गेली।”13तखन यहोवा परमेश्वर ओहि स्त्रीके कहलथि, “तों एहन काज किएक कएले?” स्त्री उत्तर देलीह, “हमरा सांप धोखा देलक तएं हम खा गेली।”14तखन यहोवा परमेश्वर सांपके कहलनि, “तों ई काज कएले, सबटा पालतू जानबर आ जंगली जानवरमे, हम तोरा मात्रे सराप दैत छियौ। परिणाम स्वरुप, आब तों आ आन सांप पेट भरे जमीनपर घिसिआक' चलबे, आ जीवित रह धरि तों जे खएबे, ताहिपर माटि रहतौ।15हम तोरा आ स्त्रीके एक-दोसरके दुश्मन बना देबौ आ तोहर वंशज आ ओकर वंशजके एक-दोसरके प्रति दुश्मनी करा देबौ। तों ओकर एड़ींमे डंसबे, मुदा ओ तोहर माथ थकुचतउ।”16तखन परमेश्वर ओहि स्त्रीके कहलनि, “धियापुताके जन्म देब बेर हम तोरा प्रसव पीड़ाके बढ़ा देबौ। आ तों अपन पतिके संग रहए चाहबे, मुदा ओ तोरापर राज करतौ।”17तखन ओ आदमके कहलनि, “तों अपन पत्नीके बात सुनले, आ ओहि गाछक फल खा लेल, जेकरा विषयमे हम तोरा आज्ञा देने छलियौ, ‘जे ई नहि खइहे।’ तएं तों जे कएले ताहिके लेल हम ओहि जमीनके फसल उपजाबएमे कठिन बना देबौ किएक त' तोरा कारण जमीन सरापित भ' गेल अछि। जीवित रह धरि तोरा कड़ा मेहनति करए पड़तौ तेकरबाद जमीनस' किछु उपजाक' खाएलेल भेटतौ।18कांटबला झाड़ी आ जंगली गाछ आ आन घास-पातसब बढ़तौ आ तों जे रोपने रहबे ओकरा बढ़एस' ईसब रोकतौ आ भोजनक लेल एहन चीज खाए पड़तौ जे तोहर खेतमे उपजतौ।19तोंसब भोजन उपजाबएलेल जेना बड़ मेहनति करबए, जीवनभरि घाम स' तर-बतर रहबे। तब तों मरि जएबे, आ तों माटिमे गाड़ल जएबे। हम तोरा माटिस' बनौने रहियौ, तएं तोहर देह फेरुस' माटि बनि जएतौ।”20ओ आदमी, जेकर नाम आदम छल, अपन पत्नीक नाम हव्वा रखलक, जेकर अर्थ होइत अछि “जीबित” किएक त' ओसब जीवित लोकके पूर्वज भेलीह।21तखन यहोवा परमेश्वर किछु जानबरसबके मारिक' ओकर चमड़ास' आदम आ ओकर पत्नीकेलेल वस्त्र बनौलनि।22तखन यहोवा परमेश्वर कहलनि, “देखू! ओ मनुष्य गोटे हमरासब जकां भ' गेल अछि, किएक त' ओसब जनैत अछि जे की करब नीक आ की अधलाह अछि। तएं आब, ई नीक नहि होएत यदि ओसब हाथ बढ़ाक' ओहि गाछक किछु फल तोड़िक' खा लेत जाहिके खाएबला लोक सदाके लेल जीबित रहएमे सक्षम बना दैत अछि!”23यहोवा परमेश्वर ओहि आदमी आ ओकर पत्नीके अदनके फूलवारि स' भगा देलथिन। यहोवा परमेश्वर आदमके माटिस' बनौने छलाह, आ ओ ओकरा खेत जोतबाकलेल बाध्य कएलनि।24यहोवा परमेश्वर ओकरासबके भगा देलाके बाद, अदन फूलवारिके पूर्व कात प्रवेशद्वारिके बंद करएलेल करूब सबके आ चारुदिस घुमबला एकटा आगिके धधराबला तरुआरि राखि देलनि, जे आदमीसब ओहि गाछ दिस नहि जा सकथि जे जाहिके खाएबला केकरो सदा जीवित रहएमे सक्षम बना दैत अछि।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.