Genesis34

1एकदिन याकूब आ लिआके बेटी दीना ओहि इलाकाके किछु लड़कीसबस' भेट करए गेल छलीह।2शेकेम जे प्रधान हमोरके बेटासबमे स' एकगोटे रहए आ ओ हिब्बी लोकक समूहके रहैक। जं ओ ओकरा देखिते ओकरा ल' गेलै आ ओकरासंगे सुतिक' ओकरा अपमानित क' देलकऐ।3ओकरा मनमे याकूबके बेटी दीना गड़ि गेलै। ओ ओकरास' प्रेम करैत छल आ ओ ओहि लड़की संगे मन लोभ बनि बातचित कएलक।4तखन शेकेम अपन बाबु हमोरके कहलक, “हमरालेल ई लड़की मांगि लाउ। हम चाहैत छी जे ओहे हमर पत्नी बनए!”5जखन याकूबके पता चललै जे शेकेम ओकरा बेटी दीनाके पकड़िक' ओकरासंगे सुतिक अशुद्ध क' देने रहए, ओकर बेटासब एखनो अपन मालजालके चरबाहिमे चौरिएमे छलनि, तएं जाधरि ओसब घर नहि आबि गेल ताधरि एहि विषयमे किछु नहि कहलक।6एमहर शेकेमके बाबु हमोर याकूबसंगे बातचित करए गेल।7तखन याकूबके बेटासब सेहो चौरीस' आबि गेलनि आ जं ओकरासबके ई पता चललै जे भेल की रहए तखन ओसब गुम्म भ' गेलनि आ बहुत क्रोधित भ' गेलनि, किएक त' शेकेम याकूबके बेटीपर जबरदस्ती इजराएलके बेसी बेजति क' देने रहए। ओ ओकरासबके बहिन छलीह! ई एकटा भारी अपराध छल जे कहियो नहि कएल जाएके चाही।8मुदा हमोर ओकरासबके कहलनि, “हमर बेटा शेकेमके अहाँके ई लड़की बड़ पसीन अछि जे अहाँक बेटी आ बहिन अछि। अपनेसब एकरा ओकरासंगे विवाह करबाक अनुमति देल जाउ।9हमसब एकटा समझौता क' ली जे अहाँसब अपन बेटीसबके हमरासबके लड़का सबके पत्नी बनएलेल द' देब आ हमसब अपन बेटीसबके अहाँके युवकसबके ओकर पत्नी बनएबाक लेल द' देब।10अहाँ हमरासबके बीच रहि सकैत छी आ हमरासबके देशमे कतहु रहि सकैत छी जत' अहाँ चाहब। अहाँ चीज खरिद-बिक्री क' सकैत छी। जं अहाँके जमीन भेटत जे अहाँके चाही तखन अहाँ ओकरा हमरासबस' किन सकैत छी।”11तखन शेकेम दीनाके बाबु आ भाइसबके कहलक, “जं अहाँसब हमरापर कृपादृष्टि करैत छी त' हम जे मंगैत छी से करब त' हम अहाँसब जे मांगब से द' देब।12हमरा कहू जे अहाँके कतेक उपहार आ कनियांके दहेज चाही, आ अहाँ जे मांगब से हम अहाँके देब। हम मात्र एतबे चाहैत छी जे अहाँ ओहि लड़कीके हमरा द' दिअ जे ओ हमर पत्नी बनि जाए।”13मुदा शेकेम ओकर बहिन दीनाके इज्जत लुटिक' अशुद्ध क' देने रहए ताहि कारण याकूबके बेटासब शेकेम आ ओकर बाबु हमोरके कपटपूर्वक कहलक।14ओसब' ओकरासबके कहलनि, “नहि, हमसब एना नहि क' सकैत छी। हमसब अपन बहिनके खतना नहि कएल गेल लोकके पत्नी होबएलेल नहि द' सकैत छी, कारण ई हमरासबके लेल शर्मके बात होएत।15हमसब तखने ओना करब जखन अहाँसब एकटा काज करब, अहाँसब हमरासब जकां बनब आ अहाँसबके सबटा पुरुषके खतना करु।16तखन हमसब अपन बेटीसबके अहाँसबके युवकसबके पत्नी बनएलेल देब आ अहाँसबके बेटीसबके हमरासबके पुतहु बना लेब। हम अहाँसबके बीच रहब, आ हमसब एक जाति बनि जाएब।17मुदा जं अहाँसब खतना नहि करब त' हमसब अपन बहिनके ल' क' चलि जाएब।”18ओसब जे बात कहलक से हमोर आ ओकर बेटा शेकेमके नीक लागल।19शेकेम याकूबके बेटीके अपन पत्नी बनाबएलेल खूब औगताएल रहए; ओ अपन बाबुके परिवारमे सबस' बेसी आदर पाएल व्यक्ति रहैक, तएं ओ ओकरासबके सुझाएल काज करएलेल तैयार भ' गेलनि।20शेकेम हमोर संगे नगरके द्वारिपर रहल सभास्थलमे गेलनि आ ओसब नगरके मुखिया सबस' बातचित कएलक। ओसब कहलकनि,21“ईसब हमरासबसंगे शान्तिमे रहनिहार लोकसब छथि। हमसब एकरासबके एतहि रहए आ घुमफिर करए देबाक चाही। निश्चितरुपस' जमीन एतेक बेसी अछि जे ओकरासब आ अपनासबके भरण-पोषण क' सकैत अछि। हमरसबहक बेटासब ओकरा बेटीसबसंगे विवाह क' सकैत अछि, आ ओकरासबहक बेटासब हमरासबके बेटीसबसंगे विवाह क' सकैत अछि।22मुदा ई लोकसब हमरासबके बीच रहएलेल तखन तैयार होतनि आ हमरासबके संग एक जाति बनतनि जं हमसब अपन सब पुरुषके खतना करब।23मुदा जं हमसब एना करब त' सोंचू! ओकर मालजाल, ओकर सम्पत्ति, आ ओकर सबटा जानबर अपनासबके बनि जाएत! तएं अपनासबके ओसब जे सुझाव दैत छथि से कर' लेल हमरासबके तैयार भ' जएबाक चाही, आ तब ओसब हमरासबके बीच रहत!”24नगरक द्वारिपर जे लोकसब रहए, हमोर आ शेकेमके बातपर सहमत भ' गेलनि। शहरके प्रत्येक पुरुषके खतना भेल।25तेकरबाद तेसर दिन, जखन नगरके लोकसब खतनाके कारण घवाहे रहए त' याकूबके दूटा बेटा शिमोन आ लेवी, जे दीनाके भैया रहए, अपन तरुआरि ल' क' निडर भ' क' शहरमे प्रवेश कएलक आ ओहि सब पुरुषके मारि देलक।26ओसब हमोर आ ओकर बेटा शेकेमके सेहो मारि देलक। तखन ओसब दीनाके शेकेमके घरस' बाहर निकालिक' ओहि नगरस' चलि गेल।27तखन याकूबके आओर बेटासब ओहि नगरमे गेल जत' ओकरासब मरल पड़ल छल। अपन बहिनके अशुद्ध कएनेके बदला लेबएलेल शहरके लुटि लेलक।28ओसब शहर भीतर आ बाहर चौरीस' ओकरासबके भेंड़ बकरी, मालजालके हेंड़, गदहा आ जे किछु ओसब चाहैत छल से सबकिछु लुटिक' ल' गेल।29ओसब धन-सम्पत्ति आ ओकरासबके बालबच्चा आ घरबाली सबके सेहो लुटिक' ल' गेल। घरक सबकिछु जब्त क' क' ल' गेल।30तखन याकूब शिमोन आ लेवीके कहलनि, “अहाँ हमरापर बड़का संकटमे ध' देलहुं! आब कनानी लोकसब, परिज्जी लोकसब, आ एहि भूमिमे रहनिहारसब केओ हमरास' घृणा करत! हमरा ल' लड़बाकलेल बहुते आदमीओ नहि अछि, तएं जं ओसब मिलक' हमरासबपर आक्रमण क' देत त', हम आ हमर घरक लोकके सेहो मरि देत!”31मुदा ओसब उत्तर देलक, “की हमसब अपन बहिनसंगे शेकेमके वेश्या जकां व्यवहार करएके अनुमति दितिऐ?”

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67