Genesis35

1किछु दिन बाद, परमेश्वर याकूबके कहलथि, “बेतेल नगरमे जाउ आ ओतहि रहू। हमर आराधना करबाक लेल एकटा वेदी बनाउ, परमेश्वर, जे अहाँके भैया एसावस' भगैतकाल अहाँ लग प्रगट भेल छलहुं।”2तखन याकूब अपन घरके लोक आ ओकरासंगे रहनिहार सबलोकके कहलनि, “मेसोपोटोमिया देशस' जे देवतासबके मूर्तिसब अनने रही, तेकरा सबस' मुक्त भ' जाउ। संगहि स्नान क साफ वस्त्र पहिर लिअ।3तखन हमसब तैयार भ' क' बेतेल जाएब। ओतए हमसब परमेश्वरके आराधना कर' लेल वेदी बनाएब। ओ ओएह छथि जे हमरा ओहि समयमे मदति कएने रहथि जं हम बड़ संकटमे रही आ डेराएल रही, आ हम जत' गेलहुं ओ हमरासंग रहैत छलथि।”4ओसब याकूबके सबटा देवतासबके मूर्तिसब आ सबटा झुमका देलकनि। याकूब ओहिसबके बड़का झमटगर गाछ तर जमीनमे गाड़ि देलक जे शेकेम नगरके लगमे रहैक।5जखन ओसब ओतएस' निकलबाक तैयारीमे रहए तखन परमेश्वर ओकरासबके लगपासक नगरक रहनिहार लोकसबके याकूबके परिवारस' बहुत डेरा देलथिन, जाहिस' ओसब रेबारए लेल ओकरा पाछु-पाछु नहि गेलै।6याकूब आ ओकरासंगे रहनिहारसब कनान देशके लूजमे गेलनि जे आब बेतेल कहल जाइत अछि।7ओतए ओ एकटा वेदी बनौलनि। ओ ओहि ठामके नाम एल-बेतेल रखलनि, जेकर अर्थ होइत अछि “बेतेलके परमेश्वर” किएक त' ओतहि परमेश्वर याकूब ल' प्रगट भेल रहथि जहिया ओ अपन भैयास' भागिक' जाइत रहनि।8इसहाकके पत्नी रिबका नाहिएटाके रहए तहिया ओकरा देखभाल कएने छलीह से दबोरा, आब बहुत बूढ़ भ' गेल छलीह। ओ मरि गेलीह आ पकर बेतेलस' दक्षिणमे एकटा बांजके गाछ तर दफना देल गेल। तएं ओसब ओहि ठामके नाम अल्लोन बकुत रखलनि, जेकर अर्थ होइत अछि “कानएबला ओ क”।9याकूब आ ओकर परिवार पद्दनराम स' घुरलाक बाद जखन ओसब बेतेलमे रहए, तखन परमेश्वर याकूब ल' फेरुस' प्रगट भेलथि आ ओकरा आशीष देलथिन।10परमेश्वर ओकरा फेरु कहलथि, “अहाँक नाम आब याकूब नहि होएत बल्कि इजराएल होएत।” तएं याकूब तहियास' “इजराएल” नाम भेल।11तखन परमेश्वर ओकरा कहलथि, “हम सर्वशक्तिमान परमेश्वर छी। अहाँ संख्यामे बेसी होउ आ फलित होउ। अहाँक वंशज विशाल जाति बनि जाएत, आ अहाँक वंशजमेस' किछु राजा होएत।12हम जे देश अब्राहम आ इसहाकके देबएके प्रतिज्ञा कएने रही से हम अहाँके देब। हम अहाँके आबएबला वंशजोके देब।”13परमेश्वर याकूबके संग ओत' बातचित क' क' ओहि ठामस चलि गेलथि।14याकूब ओहि ठाम एकटा नमहर पत्थल ठाढ़ कएलनि जत परमेश्वर ओकरास' बातचित कएने छलथि। ओ ओकरा परमेश्वरके समर्पित करबाक लेल ओहिप' किछु दाखरस आ किछु जैतूनक तेल ढारि देलनि।15याकूब ओहि स्थानक नाम बेतेल रखलनि, जेकर अर्थ होइत अछि “परमेश्वरके घर”, किएक त' परमेश्वर ओकरासंगे ओतहि बाजल छलथि।16याकूब आ ओकर परिवार बेतेल छोड़िक दक्षिणमे एप्राता नगर दिस विदा भेलनि। जखन ओसब एखनो एप्राता स' किछु दूरे रहनि त', राहेलके प्रसव समयमे बहुत दर्द होबए लगलै।17जखन ओकर दर्द बढ़िते गेलै त' धाय राहेलके कहलीह, “नहि डेराउ, किएक त' आब अहाँ दोसर बेटाके जन्म देने छिऐ!”18मुदा ओ मरि रहल छलीह आ अपन अन्तिम सांस लैत बजलीह, “एकर नाम बेन-ओनी राखू” जेकर अर्थ होइत अछि “हमर दुखक बेटा” मुदा ओकर पिता ओकरा नाम बिन्यामीन रखलनि जेकर अर्थ होइत अछि “हमर दहिना हाथके बेटा।”19राहेलके मृत्युके बाद ओकरा एप्राताके रस्ता कातमे दफना देल गेलै। जेकरा आब बेतलेहम कहल जाइत अछि।20याकूब ओकर कबरपर एकटा नमहर पत्थल ठाढ़ कएलनि, आ ओ एखनो ओतहि अछि, जाहिस' ई देखाओल जाइत अछि जे राहेलके कबर कत' अछि।21याकूब, जेकर नव नाम इजराएल छल, ओ अपन परिवारके संग यात्रा करैत रहलनि आ ओ एदरमे भेल गुम्मटके दक्षिण दिस अपन तम्बू ठाढ़ कएलनि।22जखन ओसब ओहि इलाकामे रहैत छलनि त' याकूबके बेटा रूबेन ओकर बाबुके रखैल बिल्हा संगे सुति रहलै। केओ याकूबके एहि विषयमे कहलकनि, आ एहिस' ओकरा बहुत तामस उठलनि।
याकूबके बारहटा बेटा रहैक।
23लिआक बेटा रूबेन रहैक, जे याकूबके जेठका बेटा छल, शिमोन, लेवी, यहूदा, इस्साकार आ जबूलून।24राहेलके बेटा यूसुफ आ बिन्यामीन छल।25राहेलके दासी बिल्हाके बेटासब दान आ नप्ताली छल।26लिआके दासी जिल्पाके बेटासब गाद आ आशेर छल। बिन्यामीन छोड़ि याकूबके ओसब बेटाके जन्म पद्दनराममे भेलै।27 याकूब अपन बाबु इसहाकके मम्रेमे भेट करएलेल घर गेलनि, जेकर नाम किर्यतअर्बामा सेहो अछि आ जेकर नाम आब हेब्रोन अछि। इसहाकके बाबु अब्राहम सेहो ओतहि रहैत छलनि।28इसहाक एक सय अस्सी वर्षके उमेर धरि जीवित रहलनि।29इसहाक ओ बहुत बूढ़ भ' क' ओ मरि गेलनि आ पहिने मरि गेल अपन पूर्वजसबके संग मिलि गेलनि। ओकर बेटा एसाव आ याकूब ओकर शरीरके दफना देलकनि।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67