Genesis33
1तेकरबाद याकूब अपन परिवारके बांकी लोकसबसंगे जौर भ' गेलनि। बादमे ओहि दिन याकूब आंखि उठाक' देखलक जे एसाव आबि रहल छलनि, आ ओकरासंगे चारि सय आदमी रहए। याकूब एहिलेल चिन्तित रहनि, तएं ओ धियापुतासबके अलग क' देने रहनि। ओ लिआके धियापुतासबके लिआ संगे, राहेलके धियापुतासबके राहेल संगे आ दुनू दासीके धियापुतासबके ओकरे मायसबके संग राखि देलकनि।2ओ दुनू दासी आ ओकर धियापुतासबके आगु राखि देलकनि। तब ओ लिआ आ ओकर धियापुतासबके रखलकनि। ओ राहेल आ यूसुफके सबस' पाछुमे रखलकनि।3ओ सबस' आगु बढ़ि गेलनि आ जखन ओ अपन भैया लग पुगि रहल छलनि, त' ओ भुइंया पर' गिर गिरिक' सात बेर प्रणाम कएलनि।4मुदा एसाव याकूब लग दौड़क' गेलनि। ओ ओकरा भरि पंजा पंजिआक' गला लगा लेलकनि, आ ओकर गालपर चुम्मा ल' लेलकनि। आ दुनूगोटे कानए लागल।5तखन एसाव आंखि उठाक' जनिजाति आ धियापुतासबके देखलकनि। ओ पुछलनि, “ईसब के छथि जे अहाँसंगे अछि?” याकूब उत्तर देलनि, “ईसब हमर पत्नी आ हमर बालबच्चासब अछि जे परमेश्वर हमरा कृपापूर्वक देने छथि।”6तखन दासीसब आ ओकर धियापुतासब लगमे आबिक' एसावके निहुरिक' प्रणाम कएलक।7तखन लिआ आ ओकर धियापुतासब आबि निहुरिक प्रणाम कएलक। अन्तमे यूसुफ आ राहेल ओकर लगमे आबि निहुरिक प्रणाम कएलनि।8एसाव पुछलनि, “हम जे जानवरसब देखलहुं, ओकर की अर्थ अछि?” याकूब उत्तर देलनि, “हम अहाँके द' रहल छी, मालिक, जाहिस' अहाँके हमरापर कृपादृष्टि होइक।”9मुदा एसाव उत्तर देलनि, “यौ भाइ, हमरा अपने बहुते मालजालसब अछि! ई मालजालके अपने ल' राखू!”10मुदा याकूब कहलनि, “नहि, जं अहाँ हमरा कृपादृष्टि कएने छी, त' हमर ई उपहार अपने स्वीकार करु। अहाँ हमरा बहुत कृपापूर्वक अभिवादन कएलहुं। हमरा दिस मुस्कुराइत देखि हम आश्वस्त भ' गेलहुं जे अहाँ हमरा माफ क' देने छी। अहाँके देखि हम परमेश्वरक मुंह देखलहुं तेहन लागल!11हम जे उपहार अहाँके लेल अनने छी से सब दयापूर्वक स्वीकार करु, किएक त' परमेश्वर हमरा आशीष देने छथि आ हमरालग एखनो बहुते जानवरसब अछि!” याकूब ओकरा जानबरसबके स्वीकार करएके आग्रह करैत रहलनि, आ अन्तमे एसाव ओकरासबके स्वीकार क' लेलनि।12तखन एसाव कहलनि, “आउ, हमसबसंगे यात्रा करी, आ हम अहाँके बाट अगुआएब।”13याकूब कहलनि, “अहाँके बुझल अछि, मालिक, जे हमर धियापुतासब सुकुमार अछि, आ हमरा ओहि हेंड़के बिआएल भेंड़ी आ गायसबके देखभाल करबाक सेहो अछि। जं हम ओकरासबके एके दिनमे बेसी दूर चलएबै त' जानवरसब मरि जएतै।14हमर मालिक अहाँ हमरास' आगु बढ़ू। हम जानबरके रसे-रसे बहटबैत अबैत छी, मुदा जतेक जोड़स' धियापुता आ जानवरसब चलि सकैत अछि ओतेक जोड़स' हम चलब। हम सेईरमे अहाँके पकड़ि लेब।”15एसाव कहलनि, “एना अछि त' अहाँक रक्षा क लेल हमरासंगे आएल किछु लोकके अहाँसबके संग छोड़ि देब' के अनुमति दिअ।” मुदा याकूब उत्तर देलनि, “एना किएक? हमरा एतबे चाही जे मालिक अहाँके कृपादृष्टि हमरापर बनल रहए।”16ओहि दिन एसाव सेईर घुरिक' चलि गेलनि।17मुदा याकूब आ ओकर परिवारसब सेइर जएबाक बदला सुक्कोत नामक स्थानपर चलि गेलनि। ओतए ओ अपन आ अपन परिवारके लेल घर बनौलनि, आ अपन मालजालके लेल गठुल्ला बनौलनि। इएह कारण अछि जे ओहि ठामके नाम सुक्कोत रखलकै, जेकर माने होइत अछि “आश्रय”।18एहि तरहे याकूब आ ओकर परिवार पद्दनराम छोड़िक' कनान देशमे सुरक्षित भ' क' पुगि गेलनि। ओतए ओसब शेकेम नगरक लगके खेतमे अपन तम्बू लगा देलनि।19 ओहि इलाकाके लोकसबके एकटा अगुवाके नाम हमोर रहैक। हमोरके बहुते बेटा रहैक। याकूब शेकेमके पिताके हामोरक बेटासबके ओहि जमीनके बदलामे एक सय चानीके टुकड़ी देलनि जाहिपर ओसब अपन तम्बू टङलनि।20ओत' ओ पत्थलके वेदी बनौलनि आ ओकर नाम एल एलोह इजराएल रखलनि, जेकर अर्थ होइत अछि “परमेश्वर, इजराएलके परमेश्वर।”
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.