Genesis32

1जेना याकूब आ ओकर घरक लोकसब यात्रामे आगु जाइते रहनि त' परमेश्वरक दिसस' किछु स्वर्गदूतसब आबिक' हुनकास' भेट कएलनि।2तखन याकूब हुनकासबके देखक' कहलनि, “ई परमेश्वरके सेनाके शिविर अछि!” तएं ओहि स्थानके नाम महनैम रखलनि।3याकूब किछु गोटेके कहलनि जे ओकरास' आगु बढ़िक' ओकरा भैया एसाव लग जाउ जे सेईर अर्थात् एदोम देशमे रहनि।4ओ ओकरासबके कहलनि, “हम चाहैत छी जे अहाँ एसावके ई कहबनि, ‘हम, याकूब, अहाँके सेवक छी आ अहाँ हमर मालिक छी। हम अपन मामा लाबान संगे रहैत छी, आ एखन धरि ओतहि रहल छी।5आब हमरालग बहुते गाइ-बैल, गदहा, भेंड़, बकरीसबके हेंड़ आ नोकर चाकरसब अछि। आब हमर मालिक, एहि आशमे हम ई सन्देश अहाँके पठा रहल छी, जे हमरा पहुंचला पर अहाँ हमरा प्रति मित्रवत रहब।’”6सन्देश बाहकसब जाक' एसावके ओ सन्देश सुनएलक। जखन ओसब याकूब लग घुरल, त' ओसब कहलनि, “हमसब अहाँक भैया एसाव लग गेलहुं। ओ अहाँ लग आबि रहल छथि, आ हुनकासंग चारि सय आदमी आबि रहल अछि।”7याकूब बेसी डेराक' चिन्तित भ' गेल। तएं जे लोक ओकरासंगे रहए ओकरासबके दू समूहमे बांटि देलनि। भेंड़-बकरी, मालजालके हेंड़ आ ऊंटके सेहो दू समूहमे बांटि देलनि।8ओ सोंचैत छल जे, “जं एसाव आ ओकर आदमीसब आबिक' हमरासबप' आक्रमण कएलक, त' शायद कोनो समूह छुटि जएतैक आ बांचिक' भागएमे सक्षम भ' जाएत।”9तखन याकूब प्रार्थना कएलनि, “हे यहोवा परमेश्वर, जिनकर आराधना हमर बाबा अब्राहम कएलथि आ हमर पिता इसहाक करैत छथि, अहाँ हमरा कहलहुं, ‘अपन देश आ अपन परिजनमे घुरि जाउ आ हम अहाँसंगे नीके काज होए देब।’10अहाँ जकां अपन करारके एतेक विश्वासपूर्ण आ विश्वासयोग्य तरीकास' हमरा, अहाँके दास संगे पालन कएलहुं एहिके योग्य हम नहि छी। हमरासंग मात्र ई लाठी छल जखन हम हारान जाइत काल यरदन नदीपार कएने रही, मुदा आब हम एतेक धनीक छी जे हमर परिवार आ सम्पत्तिक दूटा विशाल समूह अछि।11आब हम प्रार्थना करैत छी जे अहाँ हमरा हमर भैया, एसावके शक्तिस' बचाउ, किएक त हमरा डर अछि जे ओ आ ओकर आदमी आबिक' हमरा आ सब धियापुताके आ ओकर माय सबपर' आक्रमण क' क' मारि देत।12मुदा ई नहि बिसरब जे अहाँ कहने छी, ‘निश्चय हम अहाँके समृद्ध बना देब। आ हम अहाँक वंशजके समुद्रके कातमे भेल बालुके कन जकां संख्यामे बढ़ा देब, जे एतेक बेसी भ' जाएत जे केओ गनि नहि सकैत अछि।’”13याकूब ओहि राति ओहि ठाम सुति रहल। दोसर दिन भोरे ओ अपन भैया एसावके देबएलेल किछु जानबर चुनलनि।14ओ दू सय बकरी आ बीसटा खसि, दू सय भेंड़ा आ बीसटा भेंड़ी चुनलनि।15तीसटा बिआएल ऊंट आ चालीसटा गाय आ ओकर बच्चासब, आ दसटा बच्छा, बीसटा गदहा आ दसटा गदही।16ओ ओकरासबके छोट-छोट झुंडमे बांटि देलक आ एक-एकटा हेंड़के अपन एक-एकटा नोकरके देखभालमे राखि देलक। ओ अपन नोकरसबके कहलनि, “हमरास' आगु जाउ, एक बेरमे एकटा समूह, आ प्रत्येक समूह बीच किछु दुरी राखू।”17ओ पहिन दलक संग जा रहल नोकरके कहलनि, “जखन हमर भैया एसाव अहाँस' भेट क' क' ओ अहाँस' पुछए, ‘अहाँ केकर आदमी छी आ कत' जा रहल छी आ ई अहाँके आगुके जानवरसब केकर अछि?’18हुनका कहबन्हि, ‘ईसब अहाँक दास याकूबके अछि। ओ अहाँलेल उपहारमे पठौने छथि, मालिक एसाव। आ ओ हमरासबके पाछु आबि रहल छथि।’”19ओ दोसर आ तेसर समूहक देखभाल कएनिहार नोकरसब आ आन चरबाहसबके सेहो एहि बात कहलनि। ओ ओकरासबके कहलनि, “जखन अहाँसब एसावस' भेट करब त' हम चाहैत छी जे अहाँसब हुनका ओहे बात कहबनि जे हम पहिन नोकरके कहने छी।20संगहि ई अवश्य कहब, ‘अहाँके दास याकूब हमरासबके पाछु आबि रहल छथि।’” याकूब ओकरासबके ई कहबाकलेल एहिलेल कहलनि जे ओ सोंचि रहल छलनि, “भ' सकए जे ई उपहार जे हम अपनास' आगु पठा रहल छी, हुनका हमरा प्रति शान्तिपूर्वक काज करबाक कारण बनत। बादमे जखन हम हुनका देखब त' शायद ओ हमरा प्रति दयालु व्यवहार करताह।”21ओसब उपहार ल' क' आगु बढ़ल, मुदा याकूब ओहि राति डेरेमे रहल।22ओहि रातिमे याकूब उठिक' अपन दुनू पत्नी, अपन दूटा दासी आ अपन एगारहो बेटाके ल' गेल आ ओकरासबके यब्बोक नदीके ओहिपार पठा देलनि।23ओ अपन सबलोकके यब्बोक नदीके ओहिपार पठौलनि, तखन ओ अपन सबटा सम्पत्ति सेहो पठा देलनि।24आब याकूब ओत' एसगरे रहि गेल। मुदा एकटा आदमी आबिक' भोर धरि ओकरासंगे कुश्ती खेललक।25जखन ओहि आदमीके बुझाएल जे ओ याकूबस' नहि जीत पाबि रहल छी, तखन ओ आदमी याकूबके पोन्हाट पर' मारलक आ जांघक हड्डी उखरि गेलै।26तखन ओ आदमी कहलनि, “हमरा जाए दिअ, किएक त' आब दिनके इजोत भ' जाएत।” याकूब उत्तर देलनि, “नहि जाएदेब, जाधरि अहाँ हमरा आशीष नहि देब ताधरि हम अहाँके नहि छोड़ब!”27ओ आदमी ओकरा पुछलनि, “अहाँक नाम की अछि?” ओ उत्तर देलनि, “याकूब।”28ओ आदमी कहलकनि, “अहाँक नाम आब याकूब नहि रहत। अहाँक नाम इजराएल होएत, जेकर अर्थ होइत अछि ‘ओ परमेश्वरसंगे संघर्ष करैत अछि,’ किएक त' अहाँ परमेश्वर आ लोकसंगे संघर्ष कएने छी, आ अहाँ जीत लेने छी।”29याकूब कहलनि, “आब हमरा अपन नाम कहू!” ओ आदमी उत्तर देलनि, “अहाँ हमरास' किएक पुछैत छी जे हमर नाम की अछि?” मुदा ओ ओहि ठाम याकूबके आशीष देलनि।30तखन याकूब ओहि ठामके नाम पनीएल रखलनि, जेकर अर्थ होइत अछि “परमेश्वरके मुंह,” ओ कहलनि, “हम परमेश्वरके प्रत्यक्षे देखलहुं, मुदा तइयो नहि हम मरलहुं।”31जं याकूब पनीएल स' चलि गेलनि त' रौद उगलै आ ओकर पोन्हाट पर' जे घटना घटल रहए ताहि कारण ओ नेंगड़ाइत छलनि।32ओकर पोन्हाटके गिरहके मांसपेशी चहरि गेल रहैक। याकूबसंगे ओना भेलाके कारण एखन धरि इजराएलीसब जानबरके ओहि ठामके माउस नहि खाइत अछि।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67