Genesis31
1एकदिन केओ याकूबके कहलक जे लाबानके बेटासब ई कहिक' उपराग द' रहल अछि, “याकूब हमर बाबुके सबकिछु ल' क' बहुत धनीक भ' क' प्रतिष्ठित अछि।”2याकूब सेहो विचार कएलनि जे लाबान हुनकासंगे पहिने जकां व्यहवार नहि क' रहल अछि।3तखन यहोवा याकूबके कहलथि, “अपन देश आ अपन परिजन लग' घुरि जाउ आ हम ओतहि अहाँक मदति करब।”4तखन याकूब राहेल आ लिआके सन्देश पठौलनि जे ओसब ओहि ओलारमे आबथि जत' ओकर भेंड़-बकरीसबके हेंड़ रहए।5जखन ओसब ओतए पहुंचल त' ओ ओकरासबके कहलनि, “हम देखैत छी जे अहाँसबके बाबु हमरासंगे पहिने जकां व्यहवार नहि करैत छथि। मुदा ओ परमेश्वर, जिनका हमर बाबु आराधना करैत छलथि, हमर सहायता कएने छथि।6अहाँ दुनूगोटे जनैत छी जे हम अहाँक बाबूकेलेल बहुत मेहनति स' सेवा कएलहुं।7हमर मजदूरी घटाक' ओ हमरा कतेको बेर ठकने छथि। मुदा परमेश्वर हमरा शारीरिक हानि नहि करए देने छथि।8जखन लाबान कहलनि, ‘हम अहाँके मजदूरीमे चितकबरा जानबरसबके देब’, तखन हेंड़के सब जानबर चितकबरा पठरु सबके जन्म देलक। जखन ओ अपन विचार बदलि कहलनि, ‘जेकरापर कारी-उज्जर रेगहा अछि, से अहाँक मजदूरी होएत’, तखन सब जानबर ओहने पठरुके जन्म देलक जेकरापर कारी-उज्जर रेगहा रहए।9एहि तरहे परमेश्वर अहाँक पिताक मालजालके छिनक' हमरा द' देलनि।10एकबेर जखन हेंड़के जानवरसब बाहैत रहए, त' हम एकटा सपना देखलहुं। सपनामे हम आंखि उठाक' देखलहुं आ ई देखि हम चकित भ गेलहुं जे बोकरासब बकरीसबके नांङह मारैत रहए ताहिमे किछु बोकरा कारी-उज्जर रेगहाबला, किछु चितकबरा, आ किछु धब्बादार।11सपनामे परमेश्वरक दिसस' एकटा स्वर्गदूत हमरा कहलकनि, ‘याकूब!’ हम कहलिएनि, ‘हम एत’ छी।12ओ हमरा कहलनि, ‘उपर देखू आ अहाँ देखबै जे हेंड़के ओहि बोकरासब कारी आ उज्जर रेगहा, वा चितकबरा वा धब्बादार अछि। ई एहिलेल भ' रहल अछि जे हम देखलहुं जे लाबान अहाँके संग जे कएने अछि।13हम ओ परमेश्वर छी जे अहाँके बेतेलमे प्रगट भेल रही, जत' अहाँ एकटा पत्थल ठाढ़ कएने रही, ओहिप' जैतूनक तेल ढारिक' हमरा संगे गम्भीर प्रतिज्ञा कएलहुं। तएं आब तुरन्त एहि देशके छोड़ि ओहि देश घुरिक चलि जाउ जत' अहाँके जन्म भेल रहए।’”14राहेल आ लिआ ओकरा उत्तर देलीह, “हमरासबके बाबुके मत्योप्रांत हमरासबके आओर किछु अंश वा भाग नहि देताह।15ओ हमरासबके संग एहन व्यहवार करैत छथि जेना हमसब आन लोक छी! ओ हमरासबके बेचि लेने छथि आ हमरासबके सबटा धन अपने गींर गेल छथि।16परमेश्वर हमरासबके बाबुस' जे सम्पत्ति छिन लेलथि से सबटा धन हमरासबके आ हमरासबहक संतानके अछि। तएं परमेश्वर जे कहने छथि से करु!”17तखन याकूब अपन धियापुता आ घरनिसबके ऊंटपर बैसा देलनि।18ओ अपन सबटा मालजालके अपनास' ठीक आगु बहटएलनि। पद्दनराममे रहैत अपन सम्पत्तिमे जे आन सबटा सम्पत्ति आ माल जोड़लनि सेहो अपने संग ल' गेलाह। एहि तरहे ओ अपन बाबु इसहाक लग घुरबाक यात्रा शुरु कएलनि जे कनान देशमे रहैत छलनि।19लाबान अपन हेंड़के भेंड़ाके ऊन कतरएलेल निकलि गेल छलनि। ओकर पड़ोछमे राहेल अपन बाबुके पालमे जे लकड़ीके छोट-छोट मूर्ति रहैक से चोरा लेलक।20संगहि याकूब अरामी लाबानके ई नहि कहिक' धोखा देलक जे ओसब चलि जएबाक योजना बना रहल अछि।21तखन याकूब आ अपन परिवार सारा सम्पत्ति ल' क' भागि गेलनि। ओसब यूफ्रेटिस नदीपार क' क' दक्षिण दिस गिलाद क्षेत्रके पहाड़ी देश दिस बढ़ए लागल।22ओकरासबके गेलाके तेसर दिन, केओ लाबानके कहलकनि जे याकूब आ ओकर परिवार भागि गेल अछि।23ओ अपन किछु परिजनके अपना संग ल' गेल आ याकूबके पकड़एलेल ओकरा रेबारए लागल। ओसब सात दिनधरि चलल आ गिलाद प्रदेशक पहाड़ी इलाकामे ओकरा पकड़ि लेलक।24तखन परमेश्वर रातिमे सपनामे अरामी लाबान लग प्रगट भेलाह। ओ ओकरा कहलथि, “जखन अहाँ याकूबके पकड़ि लेब तखन हुनका की कहबनि से बहुत सावधान रहू।”25दोसर दिन, जखन लाबान याकूबके पकड़ि लेलक तखन याकूब आ ओकर घरक लोक गिलादक पहाड़पर अपन डेरा देने छल। तएं लाबान आ ओकर परिजन ओतहि अपन डेरा द' देलक।26तखन लाबान याकूब लग जा क' कहलनि, “अहाँ एना किएक कएलहुं? हमर बेटीसबके जेना युद्धमे पकड़ने होएब तहिना हमरा धोखा देलहुं!27अहाँ किएक भागिक' हमरा धोखा देलहुं? अहाँ हमरा किएक नहि कहलहुं जे अहाँ चलि जाएब, जाहिस' हमसब अहाँके ‘विदाह’ कहएस' पहिने लोक डफली आ वीणा बजाक' संगीत बजबैत काल हमसब हर्षित आ गाबि सकितहुं?28अहाँ हमरा अपन नाति नातिन आ बेटीसबके विदाह करएस' पहिने चुम्मा नहि लेब' देलहुं! अहाँ जे कएलहुं से मूर्खइ छल!29हमरा आ हमर परिजनमे अहाँके नोक्सान पहुंचएबाक सामर्थ्य अछि, मुदा काल्हि राति ओ परमेश्वर जिनकर आराधना अहाँक बाबु करैत छथि, हमरा सपनामे कहलथि, ‘अहाँ याकूबके की कहबनि से बहुत सावधान रहू।’30आब हमरा बुझल अछि जे अहाँ घर घुरिक जाएलेल चलि देलहुं। मुदा हमर देवतासबके मूर्तिसब किएक चोरा लेलहुं?”31याकूब लाबानके उत्तर देलनि, “हम अहाँके ई नहि कहलहुं जे हमसब चलि जएबाक योजना बना रहल छी, कारण हमरा डर छल जे अहाँ अपन बेटीसबके जबरदस्ती हमरास' छिन लेब।32मुदा जं अहाँसबके एत' केओ एहन भेटए जेकरालग अहाँक देवतासबके मूर्तिसब अछि त' हमसब ओकर जानल' लेब। हमरसबहक परिजनके आंखिए आगु अपने खोजू जे कोनो एहन चीज अछि जे अहाँक अछि जे हमरासंग अछि। किछु भेटत त' ल' सकैत छी!” जखन याकूब ई बात कहलनि त' ओकरा ई नहि बुझल छलनि जे राहेल अपन बाबुके मूर्ति चोरा लेने छलीह।33तखन लाबान याकूबके पालके, बगलमे लिआके तम्बूमे आ फेरु दुनू दासीक डेरामे जा क मूर्तिसबके खोज कएलक, मुदा ओकरासबके नहि भेटलैक। ओकरासबके डेरा छोड़लाक बाद ओ राहेलक डेरामे घुसि गेलनि।34मुदा राहेल पहिने मूर्तिसब ल' क' ऊंटक काठीमे राखि देने छलीह आ काठी पर बैसल छलीह। तएं जखन लाबान राहेलक डेराक भीतर चारुकात ओकरासबके खोजलक त' ओकरासबके नहि भेटल।35राहेल अपन बाबुके कहलीह, “हे मालिक, हमरापर क्रोध नहि करु, मुदा हम अहाँक आदर करबाक लेल अहाँक सोझा ठाढ़ नहि भ' सकैत छी, किएक त' हम एखन मासिक धर्ममे छी।” तएं बेसी खोजलक बादो लाबानके, ओकरा अपन मूर्तिसब नहि भेटलैक।36तखन याकूब क्रोधित भ' गेलाह। ओ लाबानके कहलनि, “हमसब कोन अपराध कएलहुं? अहाँ कोन पापक लेल हमरासबके रेबारैत पाछु-पाछु अएलहुं?37आब अहाँसब हमरसब सम्पत्तिमे खोजि लेलहुं आ अहाँसबके कोनो एहन वस्तु नहि भेटल जे अहाँसबके अछि। जं किछु भेटल अछि त' एत हमर परिजन आ अहाँके परिजनके सोझा राखि दिऔ, जाहिस' ओसब निर्णय क' सकथि जे के सही अछि, अहाँ वा हम!38हम बीस वर्ष धरि अहाँके संग छलहुं। मुदा ओहि समयमे अहाँक हेंड़के भेंड़ बकरी नहि निछाएल। हम अहाँक भेंड़ामे स' कोनो भेंड़ाके मारिक' नहि खएलहुं।39जखन अहाँक कोनो जानवरपर कोनो जंगली जानबर आक्रमण कएलक' मारि देलक तखन हम ओकरा अहाँ लग नहि अनलहुं। बल्कि हम मरल जानबरके लेल अहाँके हम अपन एकटा जीवित जानबर द' देलहुं। जं अहाँके कोनो जानबर चोरा लेल जाइत छल, दिनमे वा रातिमे, अहाँ मांग करैत छलहुं जे हम ओकरा अपन कोनो जानवरस' बदलि ली।40दिनमे गर्मी आ रातिमे जाड़क कारणे हम कष्ट भोगैत छलहुं। हमरा प्राय निन नहि अबैत रहए!41हम बीस वर्ष धरि अहाँक घरमे रहलहुं। हम चौदह साल धरि अहाँक दुनू बेटीके विवाह करबाक लेल अहाँमे काज कएलहुं, आ छओ साल आओर अहाँक किछु भेंड़-बकरीके हेंड़ किनबाक लेल। ओहि क्रममे अहाँ हमर मजदूरी बदलिक' दस गुना कम क' देलहुं।42जं परमेश्वर, जिनकर आराधना हमर बाबा अब्राहम करैत छलथि आ जिनका सामने हमर बाबु इसहाक डरस' कांपि उठैत छथि, हमरासंग नहि रहितथि आ हमर सहायता नहि करितथि त' अहाँ हमरा छुच्छे हाथे विदाह करितहुं! मुदा परमेश्वर देखलनि जे हम कतेक कष्ट भोगि रहल छी आ कतेक मेहनति क' रहल छी, तएं काल्हि राति ओ अहाँके कहलनि जे अहाँ हमरासंग जे कएलहुं से गलत अछि।”43लाबान याकूबके उत्तर देलनि, “ई दुनू स्त्री हमर बेटी अछि, आ ओकर बच्चा हमर नाति-नतनी अछि आ जानबरके हेंड़सब हमरे अछि। एत' जे किछु देखैत छी से हमरे अछि!44हम ओकरासबके रखबाक फेरीमे किछु नहि क' सकैत छी, तएं अपनासबके शान्तिस' सहमती करबाक चाही, ई अहाँ आ हमरा बीच साक्षीक काज करत।”45तखन याकूब एकटा बड़का पत्थल ल' क' ओकरा ठाढ़ क' देलक।46तखन याकूब अपन परिजनके कहलनि, “किछु पत्थल अहूंसब जमा करु।” तएं ओ सबकिछु पत्थल जमाक' क' ढेर कएलक आ ओतहि ढेंरीक लगमे खान-पान कएलक।47लाबान ओहि ढेरके अरामी नाम जेगर साहा दुता रखलनि, मुदा याकूब ओहि ढेरके इब्रानी नाम गिलियाद रखलनि।48लाबान याकूबके कहलकनि, “ई चटानक ढेर जे हमसब आइ एत' रखलहुं, से हमरासबके अपन समझौताके मोन राखएमे मदति करत।” एहिलेल याकूब एकरा गिलियाद कहलक।49ओसब ओहि स्थानक नाम मिस्पा सेहो रखलनि, जे ओहि इब्रानी शब्द जकां लगैत अछि जेकर अर्थ होइत अछि “पहरदार” किएक त' लाबान कहलकनि, “हमसब यहोवास' कहब जे जाबत हमसब एक-दोसरस' अलग रहब, अपनासबपर नजरि राखथि, जाहिस' हमसब एक-दोसरके नोक्सान पहुंचाबए लेल प्रयास नहि करब।50जं अहाँ हमर बेटीसबके संग दुर्व्यवहार करैत छी, वा दोसर स्त्रीसबके अपन पत्नी बना लैत छी, भलेहि केओ हमरा एहि विषयमे नहि कहए, त' ई नहि बिसरब जे परमेश्वर देखि रहल छथि जे हम आ अहाँ की क' रहल छी!”51लाबान याकूबके इहो कहलनि, “अहाँ ई बड़का पत्थल आ ई चटानक ढेर देखैत छी जे हमसब अपन बीचमे ठाढ़ कएने छी।52ई चटानक ढेर आ ई बड़का पत्थल दुनू हमरासबके साक्षी रहत जे हम अहाँसबके कोनो नोक्सान पहुंचएबाक लेल एहि चट्टान सबके कातस' आगु नहि जाएब आ अहाँसब एहि चट्टान सबस' ओहिपार नहि जाएब।53अब्राहम जाहि परमेश्वरके आराधना करैत छलथि, आ नाहोर जे देवताके आराधना करैत छलनि, आ हुनकर पूर्वज तेरह जे देवतासब पुजैत छलनि, से ओकरा दण्डित करथि, जं हमरासबमेस' केओ केकरो नोक्सान पहुंचाबए।” याकूब गम्भीरतास' परमेश्वरस' प्रतिज्ञा कएलनि, जिनकास' हुनकर पिता इसहाक भय मानैत छथि जे ओसब अपन शान्ति समझौतामे जे कहने छलाह, से करथि।54ओ ओतए पहाड़ी देशमे परमेश्वरके लेल बलि चढ़एलनि आ अपन परिजनके हुनकासंग भोजन करबाक लेल बजौलनि। भोजन कएलाक बाद ओसब ओहि राति ओतहि सुतल।55दोसर दिन भोरे लाबान अपन नाति नातिन आ बेटीसबके चुम्मा लेलक आ परमेश्वरस' हुनकासबके आशीष देबाक लेल कहलकनि। तखन लाबान आ ओकर आदमीसब अपन घरदिस घुरिगेल।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.