Genesis30

1राहेलके बुझएलनि जे हम गर्भवती भइए नहि रहल छी। तएं ओकरा अपन जेठकी बहिन लिआ स' ईर्ष्या भेल, कारण लिआ चारिटा बेटाके जन्म द' देने छलीह। ओ याकूबके कहलनि, “हमरो गर्भवती बनाउ जे हमहूं बच्चा जनमा सकी। जं अहाँ एना नहि करब त' हम मरि जाएब!”2याकूब राहेलपर क्रोधित भ' कहलनि, “हम परमेश्वर नहि छी! ई ओएह छथि जे अहाँके गर्भवती होअएस' रोकने छथि!”3तखन ओ बजलनि, “हे यौ, देखू, एत हमर दासी बिल्हा अछि। ओकरासंगे सुतू जे हमरालेल ओ बच्चा जनमबैक। एहि तरहे हमरा कानूनी सन्तान होएत।”4तएं ओ हुनका अपन दासी बिल्हा देलकनि जे ओ ओकरालेल दोसर पत्नी बनए आ याकूब ओकरासंगे सुतलनि।5बिल्हा गर्भवती भेलीह आ ओ याकूबके बेटा जनमौलीह।6राहेल कहलीह, “परमेश्वर हमरा न्याय देलथिन। जखन हम हुनकास' प्रार्थना कएने रही त' ओ हमर बात सुनने छथि, आ हुनकर न्याय छल जे हमरा एगो पुत देलनि।” ओ ओकर नाम दान रखलीह, जे ओहि इब्रानी शब्द जकां लगैत अछि जेकर अर्थ होइत छै “ओ हमरा न्याय दैत छथि।”7पछाति, राहेलके दासी बिल्हा फेरु गर्भवती भ' गेलीह आ याकूब लेल एकटा आओर पुतके जन्म देलीह।8तखन राहेल कहलीह, “हमरा हमर दिदी जकां बच्चा जनमाब' मे परमेश्वरसंगे भेल संघर्ष जकां भेल अछि, मुदा सांच्चेके हमरा एकटा बेटा अछि।” तएं ओ ओकर नाम नप्ताली रखलीह, जे ओहि इब्रानी शब्द जकां लगैत अछि जेकर अर्थ होइत छै “संघर्ष”।9जखन लिआके बुझएलनि जे आब ओकरा कोनो सन्तान नहि भ' रहल छै, तखन ओ अपन दासी जिल्पाके ल' क' याकूबके द' देलनि जे ओ ओकरालेल दोसर पत्नी बनए।10लिआके दासी जिल्पा सेहो लगले गर्भवती भेलीह आ याकूबके लेल एकटा पुतके जन्म देलीह।11लिआ कहलीह, “हम सत्ते भाग्यशाली छी!” तएं ओ हुनकर नाम गाद रखलीह, जेकर अर्थ होइत छै “भाग्यमानी।”12बादमे लिआके दासी जिल्पा याकूब लेल एकटा आओर पुत्रके जन्म देलीह।13लिआ कहलनि, “आब हम बहुत खुश छी, आ लोक हमरा खुशी कहत।” तएं ओ ओकर नाम आशेर रखलीह, जेकर अर्थ होइत छै “खुश”।14जखन ओसब गहूम काटि रहल छल, त' रूबेन खेतमे निकलि गेल आ किछु दूदाफलके गाछ देखलक। ओहिमेस' किछु अपन माय लिआ लग अनलकनि। मुदा राहेल ओकरासबके देखि लिआके कहलीह, “अहाँक बेटा जे गाछ अहाँलेल अनने अछि, ताहिमेस' कनिक हमरो दिअ!”15मुदा लिआ ओकरा कहलीह, “नहि! ई छोट बात अछि जे अहाँ हमर पति चोरा लेने छी! आब अहाँ हमर बेटा लएने दूदाफलके गाछो ल' जा रहल छी?” तएं राहेल बजलीह, “ठीक अछि, आइ राति याकूब अहाँसंगे सुति सकैत अछि, जं अहाँ हमरा अपन बेटाद्वारा आनल किछु दूदाफलके गाछ द' देब त'।” तएं लिआ राहेलके बातपर सहमत भ' गेलीह।16ओहि सांझ जं याकूब गहूम खेतस' घुरि अएलाह त' लिआ ओकरास' भेट करबाक लेल निकललीह। ओ बजलीह, “आइ राति अहाँ हमरासंग अवश्य सुतब, किएक त' हम राहेलके किछु दूदाफलके गाछ द' देलिऐ जे ओकर मोलके लेल हमरा एना करबाक अनुमति देलीह।” तएं याकूब ओहि राति ओकरासंगे सुतलनि।17परमेश्वर लिआके प्रार्थनाक उत्तर देलथिन आ ओ गर्भवती भ' गेलीह आ याकूबके लेल पांचम बेटा जनमौलीह।18लिआ कहलीह, “परमेश्वर हमरा पुरस्कार देने छथि जे हम अपन दासीके हम अपन पतिके द' देलिऐ जे ओ दोसर पत्नी बनए।” तएं ओ ओकर नाम इस्साकार रखलीह, जे इब्रानी ओहि शब्द जकां लगैत अछि जेकर अर्थ होइत अछि “पुरस्कार”।19लिआ फेरु गर्भवती भेलीह आ याकूबके लेल छठम बेटा जनमौलीह।20लिआ कहलीह, “परमेश्वर हमरा एकटा अनमोल वरदान देने छथि। एहिबेर हमर पति हमरा सम्मान करताह, कारण हम हुनकालेल छओटा बेटाके जन्म देने छी।” तएं ओ ओकर नाम जबूलून रखलीह।21बादमे, ओ एकटा बेटीके जन्म देलीह आ ओकर नाम दीना रखलीह।22तखन परमेश्वर राहेलके सुधि लेलथि। ओ ओकर प्रार्थना सुनलथि आ ओकरा गर्भवती होबएमे सक्षम बना देलथिन।23ओ गर्भवती भेलीह आ एकटा बेटाके जन्म देलीह। ओ बजलीह, “परमेश्वर हमरा आब हम निसंतान छी से लाज हटा देलथिन।”24ओ ओकर नाम यूसुफ रखलीह, जे इब्रानी ओहि शब्द जकां सुनएमे अबैत अछि जेकर अर्थ होइत अछि, “यहोवा हमरा एकटा आओर बेटा देथिन।”25राहेल यूसुफके जन्म देलाके बाद याकूब लाबानके कहलनि, “आब हमरा अहाँक लेल काज छोड़बाक अनुमति दिअ आ हमरा अपन देशमे वापस जाए दिअ।26हम जे काज अहाँलेल कएलहुं से अहाँ जनिते छी। तएं हम अपन पत्नीसब आ अपन धियापुतासबके ल' क' जेकरासबके पाबएलेल हम अहाँमे काज कएने रही, ओकरासबके ल' क' चलि जाए दिअ।”27मुदा लाबान ओकरा कहलनि, “जं अहाँ हमरास' प्रसन्न छी त' एतहि रहू, किएक त' हम टोना क' क' बुझि गेलहुं जे अहाँ हमरालेल जे किछु कएलहुं ताहि कारणे यहोवा हमरा आशीष देने छथि।28हमरा कहू जे अहाँ हमरालेल काज करिते रहबाक लेल अहाँके कतेक बोइन दी आ हम अहाँके ओतेक बोइन देब।”29याकूब ओकरा कहलनि, “अहाँ जनैत छी जे हम अहाँक लेल कोना काज कएलहुं, आ अहाँ जनैत छी जे अहाँक मालजालमे जेना-जेना हम देखभाल कएलहुं, तेना-तेना अहाँक मालजाल बहुत बढ़ि गेल अछि।30हमरा एत' आबएस' पहिने अहाँ लग किछुए जानबर छल। मुदा आब अहाँ लग जानबरक संख्या बेसी अछि आ यहोवा ओकरासबके आओर बेसी संख्यामे बढ़एमे आशीष देने छथि, जत' जत' हम ओकरासबके ल' गेल छी। मुदा आब हमरा अपन परिवारक आवश्यकता ध्यान राखब आवश्यक अछि।”31लाबान उत्तर देलथिन, “हम अहाँके की दू?” याकूब उत्तर देलनि, “हम नहि चाहैत छी जे अहाँ हमरा किछु दू। मुदा जं अहाँ हमरालेल ई एकटा काज करब त' हम अहाँक मालजाल हेंड़के देखभाल आ रक्षा करैत रहब।32हमरा आइ अहाँके सब मालजालके हेंड़ लग जा क' देखबाक अनुमति दिअ आ ओकरासबमेस' एक-एकटा चितकबरी आ धब्बेदार भेंड़, एकटा कारी बकरी आ एक-एकटा चितकबरी आ धब्बादार बकरी आनि दिअ। ओसब हमर मजदूरी होएत।33एहि तरहे भविष्यमे अहाँसबके ई पता चलत जे अहाँ हमरा जे चढ़ाएब ओहिके लेल हम इमानदार छी की नहि। जं हमर कोनो बकरी मे कोनो दाग वा धब्बा त' नहि अछि, आ जं हमर भेंड़ विशेष रंगल नहि अछि त' अहाँके पता चलत जे ओकरा अहाँ' हमरास' नुका लेने छी।”34लाबान मानिक' कहलनि, “हं, जेना अहाँ कहलहुं हम तहिना करब।”35मुदा ओहि दिन लाबान ओहि सब बोकरा सबके हटा देलक जे ओकरापर कारी-उज्जर पट्टी छल वा धब्बेदार छल, आ सबटा बकरी जे चितकबरी वा धब्बेदार छल, सब बकरी जे आंशिक रुपस' उज्जर छल आ सबटा बकरी गाढ रंगके मेमना। ओ ओकरासबके आनि जानवरस' अलग क अपन बेटासबके जिम्मामे राखि देलक।36तखन लाबान आ ओकर बेटासब एहि जानबरसबके ल' क' तीन दिन धरि यात्रा कएलनि जत' याकूब छलाह। याकूब लाबानके बांकी मालजालक हेंड़के देखभाल करिते रहलनि।37तखन याकूब लतीया पीपर, बदाम आ सिटीका गाछक किछु डाढ़ि काटि देलनि। डाढ़िस' ढल्लाक छीलि लेलक। एहि तरहे जत' ओ छलरी छिललनि ओतए' डाढ़ि कमे रंग होइत छल।38तखन ओ छोलल डाढ़िसबके ओहि खधियामे राखि देलनि जत' ओसब पशुके हेंड़के लेल पानि रखैत छल, जाहिस' भेंड़ासब पानि पीबैत काल ओकरासबके देखि सकैत छल।39हेंड़के जानवरसब डाढ़िसबके आगुमे नांघमारिक बाहैत छल आ बादमे, ओसब चितकावर जानबर वा धब्बादार जानबर वा कारी आ उज्जर पट्टी बला जानबरके जन्म दैत छल।40ओकर बादक कतेको वर्षमे याकूब प्राय लाबानक भेंड़ाके मौगियानी भेंड़सबके आन भेंड़ा आ बकरी सबस' अलग करैत छलनि। जखन दुनू बाहैत छल तखन ओ ओकरासबके ओहि जानबर दिस देखबैत छल जेकरा कारी-उज्जर पट्टी रहए, आ कारी रंगके जानबर दिस। तएं ओसब एकहि प्रकारक चेन्हबला जानबरके जन्म देलक। तखन ओ एहि जानबरसबके लाबानक हेंड़स' अलग क' अपन हेंड़क लेल राखि दैत छलनि।41एकर अतिरिक्त जखन-कखनो हेंड़के मजगूत मौगियानी भेंड़ासब बाहएलेल तैयार होइत छल त' याकूब ओहि छोलल डाढ़ि सबमेस' किछुके सामनेक खधियामे राखि दैत छल, जाहिस' ओसब डाढ़िसबके आगुमे बाहैत छल।42मुदा जखन कमजोर जानवरसब बाहएलेल तैयार भ' गेल तखन ओ डाढ़िसबके ओकर खधियामे नहि रखैत छल। तएं ओसब कमजोर मेमना सबके जन्म देलक, जे लाबानक भेंड़ामे रहि गेल, मुदा बलगर सब याकूबके हेंड़क हिस्सा बनि गेल।43एहिस' याकूब बहुत धनीक भ' गेलाह। हुनकालग कतेको बड़का हेंड़ छलनि। हुनकालग बहुते नोकर चाकरसब, ऊंट आ गदहासब सेहो छलनि।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67