Genesis29

1याकूब रस्ता चलैत गेलनि, आ ओहि देशमे पहुंच गेल जे कनान देशके पूर्वमे छल।2ओतए ओ खेतमे एकटा इनार देखलनि, आ तीन हेंड़ भेंड़ासब इनार लग रहए। ई ओहि इनारस' चरबाहसब बेसी काल अपन भेंड़ बकरी सबहक लेल पानि पियबैत छलनि। इनारके मुड़ेरके एकटा नमहर पत्थलस' झांपि देने छल।3जखन सब हेंड़ ओतए' जमा भ' जाए छल तखन सब चरबाह मिलक' इनारके मुड़ेरपर रहल पत्थलके गुड़का दैत छल आ भेंड़ासबके पानि पियबैत छल। जखन ओसब पानि पियालैत छल त' इनारक मुड़ेरके फेरु पत्थलस' झांपि दैत छलनि।4ओहि दिन याकूब ओत' बैसल चरबाह सबस' पुछलनि, “यौ अहाँसब कत' के छी?” ओसब उत्तर देलनि, “हमसब हारान नगरके छी।”5ओ ओकरासबस' पुछलनि, “की अहाँसब नाहोरक पोता लाबानके चिन्हैत छिऐ?” ओसब उत्तर देलनि, “हं, हमसब हुनका चिन्हैत छिएन्हि।”6याकूब ओकरासबस' पुछलनि, “लाबान ठीके छथि?” ओसब जबाब देलकनि, “हं, ओ नीक छथि। देखू! एत हुनकर बेटी राहेल भेंड़ बकरीके हेंड़ संग आबि रहल छथि!”7याकूब कहलनि, “मुदा एखन त बेरिए अछि। रातिके लेल हेंड़ जमा करबाक समय नहि अछि। भेंड़सबके पानि किएक नहि पियाक' आ ओकरा फेरु चरएलेल ल' जाए छी?”8ओसब उत्तर देलनि, “नहि, जाधरि एत' सब झुंड जमा नहि भ' जाएत आ इनारक मुड़ेरके पत्थल नहि हटि जाएत ताधरि हमसब एना नहि क' सकैत छी। तेकरबाद, हमसब भेंड़सबके हेंड़के पानि पियाएब।”9जखन ओ ओकरासबसंगे बतिआति छलनि तखन राहेल अपन बाबूक भेंड़ासबके ल क' आबि गेलीह। बाबूक भेंड़के हेंड़ देखभाल ओएह करैत छलीह।10जखन याकूब अपन मामा लाबानके बेटी राहेल आ लाबानक भेंड़के हेंड़ देखलनि त' ओ ओहिपार जाक' इनारक मुड़ेरके पत्थलके घुसका देलनि आ ओकरा अपन मामाके भेंड़ासबके लेल पानि भेटि गेलै।11तखन याकूब राहेलक गालपर चुम्मा लेलक आ ओ बहुत खुश रहबाक कारणे जोर-जोरस' कानए लागल।12याकूब राहेलके कहलकनि जे ओ ओकर बाबूक परिजनमे स' एक छथि, जे ओकर पिउसी रिबकाके बेटा छथि। तएं ओ दौड़क' अपन बाबुके ई बात कहलीह।13लाबान जहिना सुनलनि जे ओकर भगिना याकूब ओतए' छथि, तखन ओ दौड़क' हुनकास' भेट कएलनि। ओ ओकरा भरि पूजा पजिआक' ओकर गालपर' चुम्मा लेलनि। तखन ओ ओकरा अपन घर अनलनि, तखन याकूब हुनकासंग जे किछु भेल छलनि से सब किछु बतौलनि।14तखन लाबान हुनका कहलनि, “सत्ते, अहाँ हमरे कुलके छी!” याकूब ओतहि रहलनि आ एक मासधरि लाबानक लेल काज कएलनि।15तखन लाबान हुनका कहलनि, “अहाँके हमरालेल ओहिना काज नहि करबाक चाही किएक त' अहाँ हमर सखा सम्बन्धी छी! अहाँके कतेक बोइन हम द' दी से अहाँ चाहैत छी, कहू।”16लाबानक दूटा बेटी छलनि। जेठकीके नाम लिआ आ छोटकीके नाम राहेल छल।17लिआके आंखि सुन्दर छलनि, मुदा राहेलके रुप बहुत आकर्षक आ सुन्दर छलनि।18याकूब राहेल संगे प्रेममे रहए आ ओ कहलनि, “हम अहाँक लेल सात वर्ष धरि काज करब। ई हमर भुक्तान इहे होएत जे अहाँ हमरा अपन छोटकी बेटी राहेल स' विवाह करबाक अनुमति दिअ।”19लाबान उत्तर देलनि, “हमरालेल ई नीके रहत जे ओकरा हम आन पुरुषस' विवाह करए नीक अहींसंगे ओकर विवाह क' देब! अहाँ हमरासबके संग एतहि रहू।”20राहेलके पाबएलेल याकूब सात साल धरि लाबान लग काज कएलनि, मुदा एतेक दिन ओकरा किछुए दिन बुझाएल, किएक त' ओ ओकरास' बहुत प्रेम करैत छल।21सात वर्षके बाद, याकूब लाबानके कहलनि, “हमरा आब राहेल स' विवाह करए दिअ, कारण जे गछल समय धरि हमसब अहाँलेल काज करबाक लेल सहमत भेल रही, से समय समाप्त भ' गेल अछि, आ हम ओकरास' विवाह करए चाहैत छी।”22तखन लाबान ओतएके लोकसबके बजाक' एकटा भोज कएलनि।23मुदा ओहि दिन सांझमे, लाबान राहेलके याकूब लग ल' देब बदलामे अपन जेठकी बेटी लिआके ल' गेलनि। किएक त' अन्हार भ' गेल रहैक तएं ओ ई नहि देखि जानि सकलनि जे ई लिआ अछि, राहेल नहि, आ ओ ओकरासंगे सुतलनि।24लाबान अपन दासी जिल्पाके अपन बेटी लिआके दासी बनएलेल द' देलनि।25परात भेने याकूब ई देखक' चकित भ' गेल जे ओकरासंगे लिआ अछि। तएं ओ लाबान लग जा क' बहुत तमसा क' कहलनि, “अहाँ हमरासंग जे कएलहुं से धोखा अछि! हम अहाँके लेल काज कएलहुं जे राहेल मिलए, की नहि? तखन अहाँ हमरा किएक धोखा देलहुं?”26लाबान उत्तर देलनि, “एहि देशमे हमरासबके ई प्रथा नहि अछि जे हमसब अपन जेठ बेटीके विवाह करएस' पहिने छोटकी बेटीके विवाह करबाएब।27हमसब एहि सप्ताहक उत्सव समाप्त कएलाक बाद अहाँके छोटकीयो स' सेहो विवाह करए देब। मुदा बदलामे अहाँ हमरालेल सात साल आओर काज क' क' राहेलके लेल बोइन कर' पड़त।”28तएं याकूब एना कएलनि। उत्सवके सप्ताह समाप्त भेलाक बाद लाबान अपन बेटी राहेलके हुनका अपन पत्नी बनएबाक लेल देलनि।29लाबान अपन दासी बिल्हाके राहेलके ओकर दासी बनएलेल द' देलनि।30याकूब राहेल स' सेहो विवाह कएलनि आ ओ लिआ स' बेसी प्रेम कएलनि। ओ सात साल आओर लाबानमे काज कएलनि।31यहोवा जखन देखलनि जे याकूब लिआ स' बेसी प्रेम नहि करैत अछि त' ओ ओकरा गर्भवती होअए देलथिन। मुदा राहेल गर्भवती नहि भ' सकलीह।32लिआ एकटा बेटाके जन्म देलीह, जेकर नाम ओ रूबेन रखलीह। ओ बजलीह, “यहोवा देखलनि जे हम दयनीय छलहुं, आ तएं ओ हमरा एकटा बेटा देलथिन। हुनकालेल हम एकटा बेटा जन्म देलहुं त आब, निश्चितरुपस' हमर पति हमरास' प्रेम करतथि।”33बादमे ओ फेरु गर्भवती भेलीह आ दोसर बेटाके जन्म देलीह। ओ बजलीह, “किएक त' यहोवा सुनने छथि जे हमर पति हमरास' प्रेम नहि करैत छथि, तएं ओ हमरा ई बेटा देलनि।” तएं ओ ओकर नाम शिमोन रखलनि, जेकर अर्थ होइत अछि “सुननिहार।”34बादमे ओ फेरु गर्भवती भ' गेलीह आ तेसर बेटाके जन्म देलीह। ओ बजलीह, “आब, अन्तमे, हमर पति हमरा अपनालग राखि लेताह।” तएं ओ हुनकर नाम लेवी रखलनि, जेकर अर्थ होइत अछि “कसिक' पकड़ब।”35बादमे ओ फेरु गर्भवती भेलीह आ एकटा आओर बेटाके जन्म देलीह। ओ बजलीह, “एहिबेर हम यहोवाके स्तुति करब” तएं ओ ओकर नाम यहूदा रखलनि। तेकरबाद, ओ कोनो संतानके जन्म नहि देलीह।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67