Genesis2
1परमेश्वर आकाश आ पृथ्वी आ ओहिमे भरल जीवजन्तुके एहि तरहे बनौलनि।2 सातम दिन धरि परमेश्वर सबकिछु सृष्टि करएबला काज पूरा क' लेने छलथि, तएं ओहि दिन ओ कोनो काज नहि कएलथि।3परमेश्वर घोषणा कएलनि जे प्रत्येक सातम दिन हुनकर आशीष होएत। ओ ओहि दिनके विशेष दिनके रुपमे अलग कएलनि, किएक त परमेश्वर सबकिछुके सृष्टिके अपन काज पूरा कएलाके पश्चात, सातम दिन ओ कोनो काज नहि कएलनि।4 आब परमेश्वर आकाश आ पृथ्वीके कोना बनौलनि से एना अछि। परमेश्वर, जिनकर नाम यहोवा अछि, आकाश आ पृथ्वीके बनौलनि।5शुरुमे कोनो गाछ नहि जनमैत छल, किएक त' यहोवा परमेश्वर एखन धरि जमीनपर वर्षा नहि करौने छलाह। तखन फसल रोपबाक लेल जमीन जोतकोर कएनिहारो कोनो मनुष्य नहि छल।6बल्कि जमीनस' वाष्प निकलैत छल, जाहिस' पृथ्वीपर सब ठामके जमीनके सतह भिजैत छल।7यहोवा परमेश्वर किछु माटि ल' क' एकटा आदमी बनौलनि। ओ ओहि आदमीके नाकके भूड़मे अपन सांस देलनि जे किछुओके जीवित बना दैत छै, आ फलस्वरुप ओ आदमी पूरा जीवित व्यक्ति बनि गेल। 8यहोवा परमेश्वर अदन नामक स्थानपर एकटा फूलवारी बनौलनि जे कनान देशके पूर्वमे छल। ओतहि ओ ओहि आदमीके राखि देलनि जेकरा ओ बनौने छलथि।9 यहोवा परमेश्वर जमीनस' सब प्रकारक गाछवृक्ष उत्पन्न कएलनि जे देखएमे सुन्दर आ जेकर फल खाएमे नीक रहैक। फूलवारीक बीचोबीच एकटा एहन गाछ सेहो राखि देलनि जेकर फल खएला स' सदाके लेल जीबित रह' सकैत छल। ओतए एकटा आओर गाछ सेहो राखि देलनि जेकर फल खएनिहारके ई बुझएमे अएतैक जे करबाक लेल कोन कर्म नीक आ कोन अधलाह अछि।10 फूलवारीके सिंचाइ करएलेल अदनमे एकटा नदी बहैत छल, आ अदन स' बाहर निकलिते चारिटा नदीमे बंटा गेल छल।11पहिन नदीक नाम पिशोन अछि। ओ नदी हवीलाक समस्त देशमे बहैत अछि, जत' सोना अछि।12ओ सोना बहुत शुद्ध अछि। एकर संगहि बीडेलियम नामक नीक सुगंधबला गम आओर गोमेद नामक कीमती पत्थल छै।13 दोसर नदीक नाम गिहोन अछि। ओ नदी कुशक समस्त देशमे बहैत अछि।14तेसर नदीक नाम टाइग्रिस अछि। ई अश्शूर शहरस' पुर्व दिस बहैत अछि। चारीम नदीक नाम यूफ्रेटिस अछि।15यहोवा परमेश्वर ओहि आदमीके अदनके फूलवारीमे राखि देलथिन जे ओ ओकरा जोतकोर करए आ ओकर देखभाल करथि।16यहोवा परमेश्वर आदमके आज्ञा दैत कहलनि, “बगीचाके प्रत्येक गाछस अहाँ स्वतन्त्र रुपस' खा सकैत छी।17मुदा नीक आ अधलाह ज्ञानक गाछस अहाँ नहि खा सकैत छी, किएक त' जाहि दिन अहाँ ओहिस' खाएब, अहाँ निश्चितरुपस' मरि जाएब।”18 यहोवा परमेश्वर कहलनि, “ई आदमीके एसगरे रहब नीक नहि अछि। तएं हम एहन केकरो बनाएब जे ओकरासंगे मेल खाएबला सहयोगी बनत।”19यहोवा परमेश्वर माटिए स' सब प्रकारक जानबर आ चिड़ै-चुनमुन सबके बनौने छलथि आ ओकरासबके ओहि आदमी लग अनलनि जे ओ ओकरासबके की नाम रखैत अछि। ओ आदमी परमेश्वरद्वारा बनाओल गेलसब जीवजन्तुके नाम देलक।20तखन ओ आदमीसब प्रकारके पालतू जानबर, चिड़ै-चुनमुन आ जंगली जानबरके नाम देलक, मुदा एहिमेस' कोनो प्राणी ओहि आदमीके मेल खाएबला सहयोगी नहि छल।21 तएं यहोवा परमेश्वर ओहि आदमीके गहींर निन्नमे सुता देलनि। जखन ओ आदमी सुतल छल त' परमेश्वर ओहि आदमीक पजरामेस' एकटा हड्डी निकालि लेलनि। आ ओ ओहिके माउसस' बंद क' क' तुरन्त ठीक क' देलनि।22 तखन यहोवा परमेश्वर ओहि पजराके हड्डी स' एकटा स्त्री बनौलनि जे ओ ओहि आदमीक शरीरस' निकालने छलथि आ ओकरा ओहि आदमी लग अनलनि।23ओ आदमी जोरस' बाजल, “आखिर, सांचे ई अनमन हमरे सन केओ छै! जेकर हमरे हड्डी स' ओकर हड्डी, आ हमरे माउसस' ओकर माउस आएल अछि। ओकरा हम ‘स्त्री’ कहबनि किएक त' ओ आदमी, हमरेमे स' निकालल गेल छलीह।”24 पहिन स्त्री पुरुषक देहस' निकालल गेल छलीह, तएं जं पुरुष आ स्त्रीके विवाह होइत अछि त' ओकरा अपन माय-बाबूके छोड़ए पड़त। पुरुष अपन पत्नीके संग एतेक लग भ' जाएत, जाहिस' दुनूगोटे एके व्यक्ति जकां भ' जाएत।25यद्यपि ओ आदमी आ ओकर पत्नी नंगटे रहए, मुदा ओसब नंगटे रहएमे लज्जित नहि होइत छलनि।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.