Genesis22
1 कतेको वर्षक बाद परमेश्वर अब्राहमके परीक्षा लेलनि जे की अब्राहम हुनकर आज्ञा मानैत छथि की नहि। ओ अब्राहमके बजौलथि आ अब्राहम उत्तर देलथिन , “हम एत छी।”2परमेश्वर कहलनि, “अहाँक बेटा इसहाक, जेकरा अहाँ बहुते प्रेम करैत छी, ओ एकमात्र बेटा अछि जे हम अहाँके देबाक प्रतिज्ञा कएने रही। ओकरा अपनासंगे ल' जाउ आ मोरिया देशमे जाउ, आ एकटा पहाड़पर चढ़ि जाउ जे हम अहाँके देखा देब आ ओकरा होमबलिके रुपमे चढ़ाउ।”3अब्राहम दोसर दिन भोरे उठिक' अपन गदहापर काठी लगाक' अपन बेटा इसहाक संगे अपन दूटा नोकरके अपनासंगे ल' गेलाह। होमबलिक आगिकलेल किछु जरना सेहो ओरिया लेलनि। तखन ओसब ओहि ठामक यात्रा करए लगलाह जेकर विषयमे परमेश्वर हुनका कहने छलथि।4तेसर दिन जखन ओसब यात्रा करैत छलथि त' अब्राहम आंखि उठाक' देखलनि आ दूरस' ओ स्थान देखलनि जत' परमेश्वर हुनका जाएलेल कहने छलथि।5अब्राहम अपन नोकरसबके कहलनि, “अहाँ दुनूगोटे गदहाक संग एतहि रहू आ हम आ बौआ ओतए जाएब। हमसब ओतहि परमेश्वरक आराधना करब, तब फेरु अहाँसबलग आबि जाएब।”6तखन अब्राहम होमबलिके जराबलेल जरना ल' क' अपन बेटा इसहाक पर राखि देलथिन जे ओ ढोथि। अब्राहम हाथमे आगि लगएबाक लेल किछु बोकि लेने छलाह। ओ छूरी सेहो ल' क' चलैत छलनि, आ दुनूगोटे संगे चलैत रहलाह।7तखन इसहाक अपन बाबु अब्राहमके कहलनि, “बाबु यौ” अब्राहम उत्तर देलथिन, “हं, बेटा, हम एत छी!” इसहाक कहलनि, “देखू, हमरासबलग जरना आ कोइलो अछि, मुदा होमबलिक लेल भेंड़ा कत अछि?”8अब्राहम उत्तर देलथिन, “यौ बौआ, परमेश्वर स्वयं होमबलिके लेल भेंडाके उपाय करताह।” तएं दुनूगोटे संगे चलैत रहलाह।9 ओसब ओहि स्थानपर पहुंच गेलाह जत' परमेश्वर हुनका कहने छलाह। ओतए अब्राहम पत्थलके वेदी बनौलनि आ ओहिपर जरना धएलनि। तब ओ अपन बेटा इसहाकके बान्हिक' वेदीपर, जरनाके उपर राखि देलथिन।10तेकरबाद अब्राहम चक्कू ल क' अपन बेटाके मारएलेल हाथ उठएलनि।11मुदा यहोवाक स्वर्गदूत स्वर्गस' हुनका बोली क' कहलनि, “अब्राहम! अब्राहम!” अब्राहम उत्तर देलथिन, “हम एत छी!”12परमेश्वरक स्वर्गदूत कहलनि, “हे यौ! बौआके नहि मारु, किएक त' आब हम मानि गेली जे अहाँ परमेश्वरक आदर करैत छी आ हुनकर डर मानैत छी। हम ई बात एहिलेल जनैत छी जे अहाँ अपन एकलौता बेटाके बलिदान देबएस' मना नहि कएलहुं।”13तखन अब्राहम आंखि उठाक' देखलनि जे लगमे एकटा भेंड़ा झोखरामे छल आ ओकर शेर ओझराएल छल। तखन अब्राहम ओहि भेंड़ाके पकड़िक' मारि देलथिन आ अपन बेटाके बदलामे वेदीपर होमबलि देलनि।14अब्राहम ओहि स्थानक नाम रखलनि, “यहोवा प्रबन्ध करताह।” वर्तमान समय धरि लोक कहैत अछि, “यहोवाक पहाड़पर ओ प्रबन्ध करताह।”15यहोवाक स्वर्गदूत स्वर्गस' अब्राहमके दोसर बेर बजौलनि।16 ओ कहलनि, “हम, यहोवा, अहाँके ई कहि रहल छी, जे हम कहलहुं से अहाँ कएलहुं आ अहाँ अपन एकलौता बेटाके देबएस' मना नहि कएलहुं। तएं हम अपनाके अपन गवाह बनाक', गम्भीरतापूर्वक शपथ खाइत छी।17 अहाँक वंशज आकाशके तरेगन आ समुद्रक कातमे रहल बालूक कण जतेक भ' जाएत। अहाँक वंशज अपन शत्रुके पराजीत क' अपन शहरपर कब्जा क' लेत। अहाँ हमर आज्ञा मानलहुं, तएं अहाँक वंशजक द्वारा पृथ्वीपर सब जातिमे लोकसबके आशीष भेटतैक।18अहाँ हमर आज्ञा मानलहुं, तएं अहाँक वंशजक द्वारा पृथ्वीपर सब जातिमे लोकसबके आशीष भेटत।”19तखन अब्राहम आ इसहाक घुरिक ओहि ठाम आबि गेलाह जत' हुनकर नोकरसब प्रतीक्षा क' रहल छलनि आ ओसब संगे बेर्शेबा चलि गेलनि आ अब्राहम आ हुनकर लोकसब ओतहि रहि गेलनि।20एहि घटनाके बाद केओ अब्राहमके कहलकनि, “अहाँक भाइ नाहोरक पत्नी मिल्का सेहो धियापुता जनमौलनि अछि।”21जेठका बेटा ऊस छल। दोसर छल बूज। ओहिपर' स' अरामक पिता कमूएल जनमल।22कमूएल पर' स' केसेद, ओहिपर' स' हजो, ओहिपर' स' पिल्दाश, ओहिपर' स' यिद्लाप आ ताहि पर' स' बतूएल भेल।23रिबकाके बाबु बतूएल छलनि। ओसब अब्राहमके भाइ नाहोरक पत्नी मिल्काके आठटा बेटा जनमल।24नाहोरक एकटा रखैल सेहो छलनि, जेकर नाम रूमा छलनि। ओ चारिटा बेटाके जन्म देलीह: तेबह, गहम, तहस आ माका।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.