Genesis21
1यहोवा सारा पर बहुत दयापूर्वक व्यवहार कएलथि। ठीक ओहिना जेना ओ कहने छलाह जे करब। ओ साराके लेल ठीक ओएह काज कएलनि जेना ओ प्रतिज्ञा कएने छलथि,2किएक त' ओ गर्भवती भेलीह आ अब्राहमके बहुत बूढ़ भेलापर एकटा बेटाके जन्म देलीह। ओहि समयमे परमेश्वर प्रतिज्ञा कएने छलथि जे ई होएत।3 अब्राहमके बेटा सारास' जन्मल छलनि, तेकरा “इसहाक ” नाम देलनि।4आ जखन अब्राहमके अपन बेटा इसहाक आठ दिनके भेल, त' परमेश्वरक आज्ञा अनुसार ओकर खतना भेल।5जहिया हुनकर बेटा इसहाकके जन्म भेलनि त' अब्राहम सय वर्षके छलाह।6सारा कहलनि, “हम पहिने दुखित छलहुं, कारण हमरा कोनो सन्तान नहि छल, मुदा आब परमेश्वर हमरा खुशीस' हंसएमे सक्षम बना देने छथि, आ जे केओ सुनत जे परमेश्वर हमरालेल की कएने छथि त' ओसब हमरासंगे हंसत।”7ओ इहो बजलीह, “अब्राहमके केओ ई नहि कहने होतैक जे हम कोनो दिन बच्चाके दूध पियाक' पालन पोसन करब, मुदा जखन अब्राहम बहुत बूढ़ भ' गेलाह त' हम एकटा बेटाके जन्म देलहुं।”8बच्चा बढ़ि गेल। ओ दिन आबि गेल जखन ओकरा मायके दूध छोड़ा देबएके चाही। ओहि दिन, इसहाकके लेल अब्राहम एकटा बड़का भोज तैयार कएलनि।9एकदिन सारा देखलीह जे मिस्री हागारके बेटा इशमाइल इसहाकके मजाक उड़बैत रहए जेकरा ओ अब्राहमके लेल जनमौने छलीह।10तब ओ अब्राहमके कहलीह, “ओहि मिस्री दासी आ ओकर बेटाके भगा दिऔ! हम नहि चाहैत छी जे ओहि दासीके बेटा हमर बेटा इसहाकके उत्तराधिकार ल' लेथि।”11अब्राहम एहि बातस' बहुत दुखित भेलनि, किएक त' हुनका अपन बेटा इश्माएलके चिन्ता सेहो छलनि।12मुदा परमेश्वर अब्राहमके कहलनि, “अपन बेटा इश्माएल आ अपन दासी हागारस' दुखित नहि होउ। सारा जे किछु कहैत छथि से सुनू आ करु, किएक त' इसहाक ओ वंशजके पूर्वज बनताह जे हम अहाँके देबाक प्रतिज्ञा कएने रही।13मुदा हम अहाँक दासी हागारके बेटाके सेहो एकटा विशाल लोकक समूहके पूर्वज बना देब, किएक त' ओहो अहींक बेटा अछि।”14अब्राहम दोसर दिन भोरे उठि गेलाह। ओ किछु भोजन तैयार क आ एकटा चमरथैलीमे पानि राखि हागारके द' देलक। ओ चमड़थैली ओकर कान्हपर राखि इश्माएलके थमहां देलनि आ ओकरासबके बेर्शेबाके जंगलमे पठा देलनि।15हागार आ ओकर बेटा चमरथैलीमे रहल सबटा पानि पीलाक बाद ओ ओहि लड़िकाके ओहि ठामक एकटा झोखराक नीचा राखि देलक।16 तखन, केओ धनुष चलाक तीर फेक सकए ओतेक दूरीमे ओ जाक' बैसि गेलीह। ओ सोचलीह, “अपन बेटाके मरैत देखब हम बर्दाश्त नहि क' सकैत छी!” बैसल-बैसल इश्माएल जोर-जोरस' कानए लागल।17देखैत-देखैत परमेश्वर इश्माएलक आवाज सुनिक' अपन एकटा स्वर्गदूतके स्वर्गस' हागारके बजाबएलेल पठौलनि। ओ बजलाह, “हागार, अहाँके की समस्या अछि? डेराउ नहि, कारण परमेश्वर ओहि लड़िकाके रोदन सुनने छथि।18जाउ, ओहि लड़काके उपर उठाउ आ ओकरा वीर बनएमे मदति करु, किएक त' हम ओकर वंशजके एकटा विशाल लोकक समूह बना देब।”19तखन परमेश्वर ओकरा पानिक इनार देखौलथि। तएं ओ इनार लग जा क' ओहि चमरथैलीमे पानि भरिक' लड़िकाके पिबाकलेल देलीह।20परमेश्वर ओहि लड़िकाके जंगलमे पलए-बढ़एमे सहायता कएलनि आ ओ नीक धनुर्धर बनि गेलाह।21ओ पारानक मरुभूमिमे रहैत छल। हागार मिस्र देशस' ओकरालेल पत्नी लाबि देलीह।22ओहि समयमे राजा अबीमेलेक आ हुनकर सेनापति पीकोल अब्राहमके कहलनि, “ई स्पष्ट अछि जे परमेश्वर अहाँके सब काजमे अहाँक सहायता करैत छथि।23आब, जेना परमेश्वरक सुनैत छथि, हमरा ई बात कहू जे अहाँ हमरा आ हमर सन्तान वा हमर वंशजके धोखा नहि देब। हमरा प्रति आ एत ओहि देशके सबलोकक प्रति निष्ठापूर्वक काज करब जत' अहाँ एखन रहैत छी। जेना हम अहाँके प्रति काज कएलहुं, तहिना हमरा प्रति निष्ठापूर्वक काज करु। एहन शपथ लिअ”24एहिलेल अब्राहम शपथ लेलनि जे ओ एहि बातके पूरा करथि।25अब्राहम अबीमेलेकस' एकटा पानिक इनारके उपराग सेहो कएलनि, जाहिपर अबीमेलेकक नोकरसब अपना नियन्त्रणमे ल' लेने छल।26मुदा अबीमेलेक कहलनि, “हमरा नहि बुझल अछि जे एनाक कएने अछि। अहाँ हमरा पहिने नहि कहलहुं, आ आइधरि हम एहि बातक विषयमे नहि सुनलहुं।”27अब्राहम किछु भेंड़ आ मालजालके हेंड़ आनिक' अबीमेलेकके द' देलथिन आ दुनूगोटे एक-दोसरमे शान्तिके करारमे रहएलेल तैयार भ' गेलाह।28अब्राहम अपन हेंड़मे जाक' ओहिमेस' सातटा मौगियानी भेंड़ चुनलनि।29अबीमेलेक अब्राहमस' पुछलथिन, “अहाँ अपन हेंड़मेस' ई सातटा मौगियानी भेंड़ किएक ल' लेलहुं?”30अब्राहम उत्तर देलथिन, “हम चाहैत छी जे अहाँ हमरास' एहि मौगियानी भेंड़सबके स्वीकार करु। एहि तरहे अहाँके हमर उपहारसबके प्रमाण होएत जे ई इनार हमर अछि, कारण हम एकरा खनने रही।”31अबीमेलेक मेमना सबके स्वीकार कएलनि। तखन अब्राहम ओहि स्थानक नाम बेर्शेबा रखलनि जेकर अर्थ होइत अछि शपथके कुआँ, कारण ओ आ अबीमेलेक ओतए एक-दोसराक प्रति शान्तिमे रहबाक शपथ लेलथि।32बेर्शेबामे ओसब करार कएलाक बाद अबीमेलेक आ ओकर सेनापति पीकोल विदा भक' पलिश्ती सबहक देश घुरिक आबि गेलाह।33अब्राहम बेर्शेबामे तमारीक गाछ लगौलनि आ ओतहि ओ यहोवा, अनन्त परमेश्वरके आराधना कएलनि।34अब्राहम बहुते दिन धरि पलिश्तिसबके देशमे बहरिया लोकक रुपमे रहलाह।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.