Genesis20

1अब्राहम ममरे छोड़ि दक्षिण पश्चिम नेगेव मरुभूमि दिस चलि गेलथि। ओतए अब्राहम कादेश आ शूरक बीच रहैत छलाह। गरार शहरमे विदेशी बनि रहैत छलाह।2 ओत' रहलापर अब्राहम लोकसबके कहलनि जे सारा हुनकर बहिन छथि, हुनकर पत्नी नहि। तखन गरारक राजा अबीमेलेक अपन किछु आदमीके साराके ल' जएबाक लेल पठौलनि, आ ओसब ओकरा अपन पत्नी बनएबाकलेल हुनकालग अनलनि।3मुदा परमेश्वर रातिमे अबीमेलेकके सपनामे दर्शन देलनि आ कहलनि, “हमर बात सुनू! अहाँ मरए जा रहल छी किएक त' अहाँ जाहि स्त्रीके ल' लेलहुं से कोनो पतिके पत्नी अछि।”4 मुदा अबीमेलेक ओकरासंगे सुतल नहि छल, तएं ओ कहलनि, “प्रभु, हम आ हमर जातिक लोक निर्दोष छी, तइयो अहाँ हमरासबके मारि देब?5 अब्राहम हमरा कहलनि, ‘ओ हमर बहिन छथि,’ आ इहो कहलीह, ‘ओ हमर भाइ छथि।’ हम कोनो गलत काज करबाक मनसाय नहि रखलहुं। आ हम कोनो गलती नहि कएलहुं।”6परमेश्वर हुनका कहलनि, “हं, हम जनैत छी जे अहाँ कोनो गलत काज नहि करए चाहैत छलहुं। ताहिके लेल हम अहाँके हमरा विरुद्ध पाप करएस' रोकलहुं। हम अहाँके ओकरा छुबए नहि देलहुं।7 एहिलेल एहि आदमीक पत्नीके ओकर पति लग घुरा दिऔ, किएक त' ओ प्रवक्ता छथि। ओ अहाँक लेल प्रार्थना करताह जाहिस' अहाँ जीबि सकब। मुदा जं अहाँ ओकरा हुनकालग नहि घुरा देब त' अहाँ मरि जाएब आ अहाँक घरक सब सदस्य सेहो मरि जाएत।”8 दोसर दिन भोरे-भोरे अबीमेलेक अपन सब अधिकारीसबके बजाक' ओकरासबके ई सबटा बात कहलनि। ई बात सुनि हुनकर आदमीसबके बहुत डर भेलनि जे परमेश्वर हुनकासबके सजाय देथिन।9अबीमेलेक अब्राहमके बजाक' कहलनि, “अहाँके हमरासबके संग एना नहि करबाक चाही! हम अहाँक संग कोनो गलत काज कएलहुं? की अहाँ हमरा चाहैत छलहुं जे हम आ हमर लोक कोनो भारी पापके दोषी बनि जाए? अहाँ हमरासंग एहन काज कएलहुं जे अहाँके नहि कएने रहिती!”10अबीमेलेक अब्राहमस' कहलक, “अहाँ ई किएक कएलहुं?”11 अब्राहम उत्तर देलथिन, “एहि कारण हम कहलहुं जे ओ हमर बहिन छथि जे हम सोंचलहुं, ‘एहि ठामक लोकसब परमेश्वरक आदर नहि करैत अछि। निश्चितरुपस' ओसब जे गलत काज चाहैत होइक से करैत होएतै। तएं हमर पत्नी पाबएलेल ओसब हमरा मारि देत।’12एकर अतिरिक्त साराके सचमुच हमर बहिन मानल जा सकैत अछि, किएक त' ओ हमर पिताक बेटी छथि, यद्यपि ओ हमर मायक बेटी नहि छथि। ओ दोसर स्त्रीके बेटी छथि, आ हम हिनकास' विवाह क' लेलहुं।13बादमे जखन परमेश्वर हमरा अपन बाबुके घरस' दूर रहबाक लेल कहलनि त' हम हुनका कहलिऐ, ‘अहाँ हमरा प्रति विश्वासयोग्य रहबाक बात एहि तरहे देखा सकैत छी: जत कतौ हमसब जाएब, हमरा विषयमे कहब, “ई हमर भाय अछि।”’”14अबीमेलेक किछु भेंड़ा आ मालजालके हेंड़ आनि अब्राहमके द' देलक। किछु दास दासी सेहो देलनि। तखन ओ अब्राहमके पत्नी साराके हुनका फिर्ता क' देलनि।15अबीमेलेक हुनका कहलनि, “देखू! हमर देश अहाँक सोझामे अछि। अहाँ जाहि ठाम चाहैत छी, ओतहि रहू!”16  ओ साराके कहलनि, “देखू! हम अहाँक भायके हजारटा चानी टुकड़ी द' रहल छी। ई एहिलेल अछि जे फेरु केओ एहि बातके नहि आनिक' ई कहए जे अहाँ कोनो गलत काज कएलहुं।”17तखन अब्राहम परमेश्वरस' प्रार्थना कएलनि आ परमेश्वर अबीमेलेकक स्त्री आ हुनकर दासीसबके ठीक कएलनि जाहिस' हुनकासबके सन्तान भ' सकए।18ई एहिलेल भेल जे यहोवा अबीमेलेक घरक कोनो स्त्रीके सन्तान उत्पादन कएल असम्भव बना देने छलाह, किएक त' अबीमेलेक अब्राहमके स्त्री साराके ल' गेल छलनि।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67