Genesis19

1 ओहि दिन सांझमे दूटा स्वर्गदूत सदोममे पहुंचलनि। लूत शहरके प्रवेशद्वारपर बैसल छल। जखन ओ ओकरासबके देखलक त' अभिवादन करबाक लेल उठलाह आ माथ नीचा जमीन धरि झुकाक' प्रणाम कएलनि।2 ओ हुनकासबके कहलनि, “मालिकसब, आइ राति हमरे घरे रहलजाओ। पयर धो सकैत छी, आ काल्हि भोरे यात्रामे आगु बढ़ि सकैत छी।” मुदा ओसब कहलनि, “नहि, हमसब शहरके चौके पर सुति रहब।”3मुदा लूत एकदम निहोरा कएलक जे ओसब ओकरे घरे सुतैक। तएं ओसब हुनकासंगे ओकर घरमे प्रवेश कएलनि आ ओ हुनकासबके लेल भोजन तैयार कएलनि। ओ बिना खमीरके किछु रोटी पकाक' देलक, आ ओसब खएलक।4तखन भोजन क' क' सुतएस' पहिने सदोम नगरक लोकसब, जुवानस' ल' क' बूढ़धरि सब घरके घेरा क' लेलक।5ओसब लूतके हाक दैत कहलक, “आइ सांझमे जे सब अहाँ घरे आएल छल? ओकरासबके बाहर आनू, जाहिस' हमसब ओकरासबके संग सम्भोग क' सकी!”6लूत घरस' बाहर निकलिक' दरबाजा बंद क' देलक, जाहिस' ओसब भीतर नहि जा सकल।7ओ ओकरासबके कहलनि, “यौ हमर मित्र लोकनि, एहन दुष्टकाज नहि करु!8 हमर बात सुनू। हमर दूटा बेटी अछि जे कुमारिए अछि। आ हम ओकरा अहाँसबहक सोझा बाहर अनैत छी, आ अहाँसब ओकरासब संगे जे नीक लागए से क' सकैत छी। मुदा एहि लोकसबके संग किछु नहि करु, किएक त' ईसब हमर घरमे पाहुन छथि, तएं हमरा हुनकासबके रक्षा करबाक अछि!”9मुदा ओसब उत्तर देलक, “हमरासबके बाटस' हटि जो! तों परदेशी छे; तोहर कोनो अधिकार नहि छौ जे की ठीक अछि से हमरासबके कहबे! आब हमसब ओकरासब संगे करिती ताहिस' बेसी दुष्टकाज हमसब तोरा संगे करब!” तब ओसब लूत दिस घुरिगेल, आ जबरदस्ती दरबाजा तोड़बाक प्रयास कएलक।10 मुदा दुनू स्वर्गदूत ध्यानस' दरबाजा खोलि हाथ बढ़ाक' लूतके घरके भीतर घिंच लेलक। आ हबड़-हबड़ केबाड़ी बंद क' देलनि।11तखन ओसब घरक दरबाजाके बाहर रहनिहार छोट आ नमहर सबलोकके आन्हर बना देलनि, जे ओसब केबाड़ी नहि पाबि सकए।12तखन दुनू स्वर्गदूत लूतके कहलनि, “अहाँसंगे एत' आओर के सब अछि? जं अहाँक बेटा, बेटी, जमाय वा शहरमे कोनो आन जे अहाँक संबंधी अछि त' ओकरा शहरस' बाहर निकालि दिऔ।13किएक त' हमसब एहि स्थानके नाश कर' जा रहल छी। यहोवा एहि नगरक विषयमे किछु लोकके बहुते भयावह दोष सुनने छथि आ हमरासबके एकरा नाश करबाक लेल पठौने छथि।”14 तखन लूत जाक' ओहि आदमीसबस' बात कएलनि जेकरा संगे अपन बेटीसबके विवाह करबाक प्रतिज्ञा कएने छलाह। ओ हुनकासबके कहलनि, “जल्दी करु! एहि नगरस' बाहर निकलू, किएक त' यहोवा एकरा नाश करएबला छथि!” मुदा ओकर हुअएबला जमायसबके लागल जे ओ मजाक क' रहल अछि।15दोसर दिन भोर होबएबला छल तखन दुनू स्वर्गदूत लूतके आग्रह कएलनि जे, “जल्दी उठू! अपन पत्नी आ अपन दुनू बेटी जे एत' अहाँक संग छथि हुनका ल' क' चलि जाउ! जं नहि करब त' जखन हमसब शहरके अधर्मके कारण नाश करब त' अहाँसब नाश भ' जाएब!”16 जखन लूत हिचकिचाइत छलाह तखन स्वर्गदूत ओकर हाथ आ ओकर पत्नीक हाथ आ ओकर दुनू बेटीके हाथ पकड़ि लेलनि। ओसब ओकरासबके शहरस' सुरक्षित बाहर ल' गेल। स्वर्गदूतसब एहन काज एहिलेल कएलनि जे यहोवा हुनकासबके प्रति दयालु व्यवहार क' रहल छलाह।17 जखन ओसब नगरस' बाहर छलाह तखन एकटा स्वर्गदूत कहलनि, “जं अहाँसब जीवित रहए चाहैत छी त' जल्दीस' भागि जाउ! पाछु घुमिक' नहि देखू! आ घाटीमे कतहु नहि रुकू! पहाड़ दिस भागि जाउ! जं नहि करब त' मरि जाएब!”18मुदा लूत हुनकासबमेस' एकगोटेके कहलनि, “नहि, मालिक, हमरास' एहन काज नहि कराउ!19कृपया सुनू। अहाँ हमरापर प्रसन्न भेलहुं आ हमरापर बहुत दयालु रहलहुं आ हमर जान बंचि गेल। मुदा हम पहाड़ दिस नहि भागि सकैत छी। जं हम से करबाक प्रयास करब त' एहि विपत्तिमे हम मरि जाएब।20हमर बात सुनू। लगमे एकटा शहर अछि। हम ओतहि दौड़ैत छी। ई छोटे शहर अछि, आ जं अहाँ एकरा नाश नहि करब त' हमसब ओतए चलि जाएब आ हमरासबके जान बंचि जाएत।”21एकटा स्वर्गदूत लूतके कहलनि, “अहाँ हमरास जे आग्रह कएली से करबाक हम अनुमति दैतछी। आ अहाँ जाहि शहरके बातक' रहल छी से हम नाश नहि करब।22मुदा जल्दी करु! ओतए दौड़ू, किएक त' जाधरि अहाँ नहि पहुंचब ताधरि हम किछुओ नाश नहि क' सकैत छी।” बादमे लोक एहि शहरके नाम सोअर रखलक, जेकर अर्थ होएत छै महत्वपूर्ण नहि, कारण लूत कहने छलाह जे ई एकटा छोटे गाम अछि।23सूर्य उगैतकाल लूत आ ओकर परिवार ओहि नगरमे पहुंचलाह जे आब सोअर कहल जाएत अछि।24 तखन यहोवा सदोम आ गमोरा पर आकाशस' आगि आ जरैत गंधकके वर्षा जकां खसौलनि।25एहि तरहे ओ ओहि नगरसब आ ओहि नगरसबमे रहनिहार सबलोकके नाश क' देलनि। घाटीमे सब गाछ-वृक्ष सहित सब किछु सेहो नाश क' देलक।26मुदा लूतक पत्नी रुकिक' पाछु घुमिक' देखलीह जे की भ' रहल अछि, तएं ओ मरि गेलीह आ बादमे ओकर शरीर नूनक खम्हा बनि गेलै।27ओहि दिन भोरे अब्राहम उठिक' ओहि ठाम गेलाह जत' ओ यहोवाक सामने ठाढ़ छलाह।28 ओ सदोम आ गमोरा दिस तकलनि त' ओ आश्चर्यचकित भ' गेलाह जे पूरा घाटीमे धुआ उठि रहल अछि, जेना कोनो बड़का भट्ठीक धुआ होअए।29जखन यहोवा उत्पत्यकामे ओहि नगरसबके नाश क' देलनि त' ओ अब्राहमके मदति कएल नहि बिसरलनि आ लूतके ओहि विपत्तिस' बचा लेलनि।30 लूत सोअरमे रहएस' डेराइत छलनि, तएं ओ ओतहिस' विदा भक' अपन दुनू बेटीके संग पहाड़पर चलि गेल आ ओसब एकटा गुफामे रहए लागल।31एकदिन बड़की बेटी छोटकी बेटीके कहलीह, “अपनासबके बाबु बूढ़ भ' गेल छथि, आ एहि इलाकामे एहन कोनो पुरुष नहि छथि जे हमरासबके संग विवाह करए जेना संसारमे लोकसब करैत अछि।32जाधरि ओ नशा स' मात्ति नहि जाए, ताधरि हमसब अपन बाबुके दाखरस पीबैत रही। तब अपनासब हुनकासंग बिना हुनका बुझने सुति सकैत छी। ओहि तरहे ओ हमरासबके गर्भवती बना देत आ हमसब एहन सन्तान उत्पन्न क' सकब जे हमरासबके पिताके वंशज होएत।”33ओहि राति ओसब अपन पिताके निसामे धुत्त करा देलक। आ जेठकी बेटी भीतर जा क' पिताक संग सुतलीह, मुदा ओ एतेक निसामे धुत्त छल जे ओकरा नहि बुझल रहए जे ओ कखन ओकरासंगे सुतल आ कखन उठल।34दोसर दिन हुनकर जेठकी बेटी छोटकी बेटीके कहलीह, “हमर बात सुनू। काल्हि राति हम अपन बाबूसंग सुतल रही। आइ राति फेरु ओकरा निसामे धुत्त बना दिऔ! एहिबेर अहाँ हुनकासंग जा क' सुति सकैत छी। जं ओ अहाँक संग सुतत त' अहाँ गर्भवती भ' सकैत छी, आ एहि तरहे अहाँ बच्चा उत्पन्न क' सकैत छी।”35ओहि राति ओसब अपन बाबुके फेरुस' दाखमधुक निसामे धुत्त करा देलीह, तखन हुनकर छोटकी बेटी हुनकासंग सुति गेलीह। मुदा फेरु ओ एतेक निसामे धुत्त छल जे ओकरा नहि बुझल रहए जे ओ कखन ओकरासंगे सुतल आ कखन उठल।36तएं लूत अपन दुनू बेटीके गर्भवती बना देलनि।37बादमे जेठकी एकटा बेटाके जन्म देलीह आ ओकर नाम मोआब राखि देलीह। ओ मोआब लोकसमूहक पूर्वज बनलनि।38छोटकी सेहो एकटा बेटाके जन्म देलीह, जेकरा ओ बेन-अम्मी नाम देलीह। ओ ओहि लोकक पूर्वज बनलनि जेकरा आब अम्मोनी लोकक समूह कहल जाएत अछि।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67