Genesis1

1आदिमे परमेश्वर आकाश आ पृथ्वीके रचलनि। 2जखन ओ पृथ्वीके सृष्टि करए लगलाह तखन ओ बिना आकारके आ खाली छल। अथाह पानिक सतहपर अन्हार छल। परमेश्वरक आत्मा पानिपर मंड़राति छलनि। 3परमेश्वर कहलनि, “ई हमर आज्ञा अछि जे एत' इजोत भ' जो” आ' इजोत भेल।4परमेश्वर इजोतस' प्रसन्न भेलनि। तखन कोनो कोनो स्थानमे निश्चित समयमे इजोत चमका देलनि, जखन की आओर कोनो कोनो ठाम एखनो अन्हारे छल।5परमेश्वर इजोतके नाम “दिन” रखलनि, आ अन्हारके नाम “राति” रखलनि। सांझ आ भोर भेल, पहिन दिन। 6तखन परमेश्वर कहलनि, “हम आज्ञा दैतछी जे पानि दू भागमे आ खलिया अन्तर सेहो भ' जो।”7आ एहिना भेल। परमेश्वर खाली अन्तरके विशाल गोल स्थान जकां बनौलनि आ ओहिपर भेल पानिके आ ओहिके नीचा भेल पानिके जे जमीन पानि अछि तेकरा अलग क' देलनि।8परमेश्वर गोल विशाल स्थानक नाम “आकाश” रखलनि। दोसर दिनके सांझ आ भोर भेल।9तेकरबाद परमेश्वर कहलनि, “हम आज्ञा दैतछी जे आकाशके नीचका पानि एकठाम आबए, आ सुखल जमीन प्रगट भ' ओकरा उपर उठाबए।” आ तहिना भेल।10परमेश्वर जमीनके “पृथ्वी” नाम देलनि, आ जे पानि एकठाम आएल ओकरा “समुद्र” नाम देलनि। परमेश्वर देखलनि जे ई नीक छल।11 तखन परमेश्वर कहलनि, “हम धरतीके आज्ञा दैतछी जे अनेक प्रकारक गाछ-बृक्ष उत्पन्न करए जाहिमे स्वयं बिआ उत्पन्न होइक आ गाछ जे ओहिमे अपन बिआक संग फल दैक।” आ तहिना भेल।12तखन धरतीपर गाछ-बृक्ष उपजए लागल। अनेको प्रकारक गाछ-बृक्ष अपन अपन बिआ उत्पन्न करए लागल आ अनेको प्रकारक गाछ-बृक्षसब अपन बिआ ल' क' फल देब लागल गाछ-बृक्ष स' परमेश्वर प्रसन्न भेलाह।13तेसर दिनके सांझ आ भोर भेल।14तखन परमेश्वर कहलनि, “हम आकाशमे बहुते इजोत चमकबाक आज्ञा दैतछी। ओ दिन आ रातिमे भेद करत। अपन रुपरंगमे बदलाव स' ईसब विभिन्न उत्सव आ अन्य कामके समय संकेत देत जे लोक किछु खास समय आ किछु खास सालमे करत।15हम चाहैत छी जे आकाशस' ई इजोत धरतीपर नीचा चमकए।” आ ओहिना भेल।16परमेश्वर दूटा बहुत विशाल इजोत बनौलनि। सबस' नमहर, सूर्यके, दिनपर शासन करबाक लेल बनौलनि आ छोटका, चन्द्रमाके, रातिपर शासन करबाक लेल बनौलनि। तरेगनसबके सेहो बनौलनि।17परमेश्वर ओकरासबके आकाशमे राखि देलनि जे ओ पृथ्वीपर चमकए18दिन आ रातिपर शासन करए आ दिनक इजोत रातिके अन्हारस' अलग करए। परमेश्वर देखलनि जे ई नीक छल।19चारीम दिनके सांझ आ भोर भेल।20तखन परमेश्वर कहलनि, “पानिमे हमर बनाओल सब प्रकारक जीवजन्तु भरि जाइक, आ उपर आकाश चिड़ैसबस' भरि जाइक जे पृथ्वीस' उपर उड़ैक।”21परमेश्वर समुद्रमे रहनिहार बहुत नमहर नमहर प्राणीसबके निर्माण कएलनि आ आन सब जीवजन्तु जे पानिमे भेटैत अछि, तेकरो सबके सृष्टि कएलनि। ओसब प्रकारक चिड़ै चुनमुनके सेहो बनौलनि जेकरा पांखि होइत अछि। ईसब जीवजन्तु अपन बच्चा जन्मा सकैत छल। परमेश्वर देखलनि जे ईसब नीक छल।22तएं परमेश्वर ओकरासबके आशीष देलनि। आ ओ कहलनि, “बच्चा जन्मा आ संख्यामे बढ़ि जो। हम चाहैत छी जे पानिक जीवजन्तु सब ठामके पानिमे छिड़िया जाइक, आ चिड़ै-चुनमुनसब सेहो बहुत संख्यामे बढ़ि जाइक।”23पांचम दिनके सांझ आ भोर भेल।24तखन परमेश्वर कहलनि, “हम पृथ्वीके आज्ञा दैतछी जे रंग-बिरंगके जानबर उत्पन्न करए जे पृथ्वीपर रहबाक लेल स्वयं बच्चा जनमबैक। अनेको प्रकारक पालतू जानवरसब, जमीनपर घिसिआक' चलएबला जीवजन्तु, आ विशाल वनैया पशुसब सेहो होइक।” आ तहिना भेल। 25परमेश्वर सब प्रकारक जंगली जानबर आ पालतू जानबर आ जमीनपर घिसिआक' चलएबला सब प्रकारक जीवित प्राणीसबके बनौलनि। ओसब अपन प्रजातिके आओर जानबर जन्मा सकैत छल। परमेश्वर देखलनि जे ईसब नीक छल।26तखन परमेश्वर कहलनि, “हमसब मनुष्यके अपनेसब जकां बनाबी। हम चाहैत छी जे ओसब समुद्रके माछ पर, आकाशके चिड़ै पर, सबटा पालतू जानबर आ जमीनपर चलएवला आन सब जीवजन्तु पर शासन करथि।”27तएं परमेश्वर मनुष्यके बनौलनि जे कतेको तरहे हुनके जकां रहथि। ओ ओकरासबके अपने जकां बनौलनि। ओ ओकरासबके नर आ नारी सृष्टि कएलनि। 28परमेश्वर ओकरासबके आशीष द' क' कहलनि, “बहुत रास सन्तान उत्पादन करु, जे पूरे पृथ्वीपर रहए आ ओहिपर राज करए। हम चाहैत छी जे अहाँसब समुद्रमे माछ आ आकाशमे चिड़ै पर आ जमीनक सतहपर चलएबला सब जीवजन्तु पर अधिकार करु।”29परमेश्वर कहलनि, “देखू! हम अहाँसबके ओसब गाछ द' देने छी जे पूरा पृथ्वीपर बिआ उत्पादन करैत अछि आ सबटा गाछ-वृक्ष जे फल दैत अछि। ई सबटा अहाँसबके खाएलेल अछि।30सबटा जंगली जानबरक भोजनके लेल, आ चिड़ै-चुनमुन आ जमीनक सतहपर चलएवला सबटा जीवके भोजनके लेल अर्थात् सांस होएबलला ओहि सब जीवित प्राणीके लेल, हम सबटा हरियर गाछके दैतछी” आ ओहिना भेल।31परमेश्वर जे किछु बनौने रहथि से देखलनि। ई सबटा बहुत नीक छल। छठम दिनके सांझ आ भोर भेल।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67