Genesis15

1  किछु समयक बाद अब्रामके एकटा दर्शन भेटलनि जाहिमे यहोवा हुनकास' बतिअएलनि आ कहलनि, “कोनो बातस' नहि डेराउ, हम अहाँक रक्षा करब आ हम एकटा विशाल इनाम देब।”2मुदा अब्राम उत्तर देलनि, “यौ प्रभु यहोवा, अहाँ हमरा जे चाही से कोना द' सकैत छी, किएक त' हमरा कोनो सन्तान नहि अछि, हमरसब सम्पत्तिक उत्तराधिकारी बनत से हमर सेवक एलीएजरे अछि, जे दमिश्कके अछि!”3  अब्राम आओर कहलनि, “अहाँ हमरा कोनो सन्तान नहि देलहुं, तएं हमर घरक कोनो नोकरेके हमर सबकिछुके उत्तराधिकार मिलतैक!”4यहोवा उत्तर देलथिन, “नहि! ओ व्यक्ति एकर उत्तराधिकारी नहि होएत। बल्कि अहाँ स्वयं ओहि व्यक्तिके पिता बनब जे अहाँके सबकिछुके उत्तराधिकारी बनत।”5  तखन यहोवा अब्रामके अपन डेराक बाहर ल' जा क' कहलनि, “आकाश दिस देखू! तरेगन गनि सकैत छी? नहि, अहाँ ओकरासबके नहि गनि सकैत छी, कारण ओसब एतेक बेसी अछि, तहिना अहाँके वंशज तरेगन जकां बेसी होएत।”6 अब्रामके विश्वास छलनि जे यहोवा जे कहने छथि से भ' जाएत। ताहि कारणे यहोवा हुनका नीक मानैत छलाह।7 यहोवा हुनका इहो कहलनि, “हम यहोवा छी। हमहीं अहाँके कसदी सबके देश ऊर स' अनने छी। हम अहाँके एत' अनने छी जे अहाँके ई जमीनक कब्जा करबाक लेल द' दी।”8मुदा अब्राम उत्तर देलथिन, “प्रभु यहोवा, हम कोना पक्का बुझि सकब जे ई देश हमर होएत?”9परमेश्वर हुनका कहलनि, “हमरालेल तीन सालक एकटा बाछी, तीन सालक एकटा बकरी, तीन सालक एकटा भेंड़ा, एकटा पेउरकी, आ एकटा पड़वाके बच्चा आनू।”10अब्राम सबटा अनलनि। ओ ओकरासबके मारि देलक आ प्रत्येक जानबरके बिचो बीच काटि देलक। प्रत्येकके आधा भाग, काते कात व्यवस्थित कएलनि। मुदा परबा आ कबूतरके आधा नहि कटलक।11मरल जानबर खाएबला चिड़ैसब शव खाएलेल उतरिगेल, मुदा अब्राम ओकरासबके भगा देलक।12सूर्यास्त होइते अब्रामके एकदम निन आबि गेलनि आ अचानक हुनकर चारुकात सबकिछु अन्हार आ भयावह भ' गेलै।13तखन यहोवा अब्रामके कहलनि, “हम चाहैत छी जे अहाँ ई जानि लिअ जे अहाँके वंशज ओहि देशमे रहनिहार विदेशी बनि जाएत जे ओकरासबके नहि अछि। ओहि देशके मालिकके गुलाम बनि जएताह। जमीनक मालिक चारि सय साल धरि दुर्व्यवहार करत।14 मुदा तखन हम ओहि देशके जातिसबके सजाय देब जत' ओसब दास जकां सेवा करत। तखन अहाँक वंशज अपना संग अनेक सम्पत्ति ल' क' ओहि देशके छोड़ि देत।15 जत धरि अहाँके बात अछि, अहाँ शान्तिपूर्वक मरि जाएब आ बहुत बूढ़ भेलापर दफनाएल जाएब।16 अहाँक वंशज चारि सय वर्ष धरि गुलाम रहलाक बाद ओसब एत' घुरिक' आबि जाएत। ओसब एहि भूमिपर अपन अधिकारमे क' लेत आ एमोरी लोकके पराजीत करत। ओहि समयस' पहिने एहन नहि होएत, कारण एमोरी लोकके एखनधरि एतेक पाप नहि भेल अछि जे हम ओकरासबके एहिलेल एहन सजाय देब।”17जखन सूर्यास्त भेल आ अन्हार भ' गेल तखन अप्रत्याशित रुपस' एकटा धधकैत मशाल आ माटिक वर्तन जाहिमे जरैत कोइला छल, जाहिमेस' धुआ निकलि रहल छल, से प्रगट भ' गेल आ जानबरसबके आधा भागके बीच चलि गेल।18 ओहि दिन यहोवा अब्राम स' करार बन्हलनि। यहोवा हुनका कहलनि, “हम अहाँक वंशजके ओहि नदीके बीचमे भेल सबटा जमीन द' देब जे दक्षिणमे मिस्रके पूर्व सीमापर अछि आ उत्तरमे यूफ्रेटिस नदीधरि अछि।19ओ देश अछि जत' केनीसब, कनिज्जीसब, कदमोनीसब।20हित्तिसब, परिज्जीसब, रपाईसब,21एमोरीसब, कनानीसब, गिर्गाशीसब आ यबूसीसब रहैत अछि।”

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67