Genesis14
1 चारिटा राजा छल जे मोर्चा बन्हने रहैक। ओसब शिनारके राजा अम्रापेल, एल्लासारक राजा अर्योक, एलामक राजा कदोर्लाओमर आ गोयीमका राजा तिदाल छल।2 ओसब पांच राजाके समूहपर आक्रमण करबाक लेल तैयार भेल: सदोमक राजा बेरा, गमोराक राजा बिर्शा, अदमाक राजा शिनाब, सबोयीमका राजा शेमेबेर आ बेलाक राजा, जेकरा आब सोअर कहल जाइत अछि।3ओ पांचो राजासब आ ओकर सेना सिद्दीम उपत्यकामे जौर भेल, जेकरा मृत सागरके घाटी सेहो कहल जाइत छै4बारह वर्ष धरि राजा कदोर्लाओमेर ओकरासबपर शासन कएने छल। मुदा तेरहम वर्षमे ओसब राजा कदोर्ला ओमेरके विरुद्ध विद्रोह कएलक आ ओकरा करएके पाइ देबएस' मनाक' देलक।5 दोसर साल राजा कदोर्लाओमेर आ हुनकरसंग रहनिहार आन राजासब अपन सेना जौर क' क' पांचो राजाक क्षेत्र दिस बढ़ए लगलाह। ओसब अश्तारोत्कनममे रपाईके लोकसब, हाममे जूजीके लोकसब आ शावे किर्यातैममे एमीसबके पराजीत कएलक।6ओसब अपन पहाड़ी इलाका सेईरमे मरुभूमिक लग एल्पारान धरि होरी लोकसबके सेहो पराजीत कएलक।7 तखन ओसब घुमिक' एन मिशपत गेल जेकरा आब कादेश कहल जाइत अछि। ओसब अमालेकी लोकसब आ एमोरी लोकसबके सबटा भूमिपर विजय प्राप्त क' लेलक जे हसासोन्तामारमे रहैत छल।8तखन सदोम, गमोरा, अदमा, सबोयीम आ बेला जे सोअर कहबैत छल तेकर राजासबके सेना सिद्दीम घाटीमे चारु राजाक सेनास' लड़बाकलेल निकलि गेल।9ओसब एलामक राजा कदोर्लाओमेर, गोयीमक राजा तिदाल, शिनारक राजा अम्रापेल आ एल्लासारक राजा अर्योकक सेनासबके संग लड़लनि। चारि राजाक सेना पांच राजाक सेनास' लड़ि रहल छल।10 सिद्दिमक घाटी अलकत्राक खधिया स' भरल छल। तएं जखन सदोम आ गमोराक राजासबके सेना भगबाक प्रयास कएलक त' बहुते आदमी एहि खधियामे खसि पड़ल। आनसब भागिक' पहाड़ दिस भागि गेल।11जखन ओसब भागि रहल छल त' ओकर शत्रुसब सदोम आ गमोराक सबटा अन्न-पानि सहित सबटा कीमती वस्तुसबपर कब्जा क' लेलक।12 ओसब अब्रामक भतिजा लूतके ओकर सम्पत्ति सहित ओकरा सेहो पकड़िक' ल गेल, किएक त' ओ ओहि समय सदोममे रहैत छल।13ओहि समयमे, अब्राम गमोर वंशके ममरेक बड़का झमटगर गाछीसबके लगमे रहैत छलाह, जे एमोरी कुलके छल। अब्राम ममरे आओर ओकर दूटा भाय एशकोल आओर आनेरके संग सहमती क' लेने छल जे कहूं युद्ध होएत त' दुनू एक-दोसरके मदति करत। युद्धस' बचल आदमीमेस' एक आदमी इब्रानी अब्रामके कहलक जे की भेल रहए आ दुश्मन ओकर भतीजा लूतके पकड़िक' ल' गेलैक। तखन अब्राम 318 आदमीके बजा लेलक जे ओकर नोकरसब छल, जे लोक जन्मस' अब्रामक संग छल आ जे योद्धा बनि लड़ए जनैत छल। ओसब एकसंग जा क अपन शत्रुसबके पाछु-पाछु दान नगर धरि रेबारलक।15रातिमे, अब्राम ओहि आदमीसबके समूह समूहमे बांटि देलनि आ ओसब अपन शत्रुसबपर विभिन्न दिसस' आक्रमण क' क' ओकरासबके पराजीत क' देलकनि। ओसब ओकरासबके होबा धरि रेबारैत गेल जे दमस्कस नगरके उत्तरमे छल।16अब्रामक आदमीसब जे समान ल' गेल छल से सब उपलब्ध क' लेलक। ओसब लूत आ ओकर सबटा सम्पत्ति आ ओहि स्त्रीगण आ आन लोकसबके सेहो बचा लेलक, जिनका शत्रुसब ल' गेल छल।17जखन अब्राम राजा कदोर्लाओमेरके सेना आ हुनकासंग लड़ल आन राजासबके सेनाके हराक' घर घुरैत छलाह तखन सदोमक राजा शावे घाटीमे हुनकास' भेट करबाक लेल उत्तर दिस गेलाह।18 शालेम नगरक राजा मल्कीसेदेक सर्वोच्च परमेश्वरक पुजारी सेहो छलथि। ओ अब्रामके लेल किछु रोटी आ दाखमद्य अनलनि।19तखन ओ अब्रामके आशीष द' क' कहलनि, “हम सर्वोच्च परमेश्वर, जे स्वर्ग आ पृथ्वीके सृष्टि कएनिहार परमेश्वर छथि, हुनकास' आग्रह करैत छी जे अहाँके आशीष देथिन।20 सर्वोच्च परमेश्वर स्तुति करैत छी, किएक त' ओ अहाँसबके शत्रुसबके पराजीत करएमे सक्षम बना देलनि।” तखन अब्राम अपन सब वस्तुक दसमा भाग मल्कीसेदेकके देलथिन।21सदोमके राजा अब्रामके कहलनि, “अहाँ जे धन सम्पत्तिसब प्राप्त कएलहुं से राखि सकैत छी। मात्र, हमरा अपन शहरके लोकसबके वापस क' दिअ।”22 मुदा अब्राम सदोमक राजाके कहलनि, “हम यहोवा सर्वोच्च परमेश्वर, जे स्वर्ग आ पृथ्वीके सृष्टि कएनिहार परमेश्वर छथि, हुनकास' गम्भीरतास' प्रतिज्ञा कएने छी,23जे हम कोनो चिउजमेस' एकटा सूत आ चप्पलके एकटा फितो धरि नहि लेब। जे अहाँके अछि। एहि कारण अहाँसब कहियो ई नहि कहि सकब, ‘हम ही सब अब्रामके धनीक बना देने छी।’24 हम मात्र ओहि भोजनके स्वीकार करब जे हमर लोकसब खएने अछि। मुदा आनेर, एशकोल आ मम्रे हमरासंग जा क' हमरा बगलमे लड़ल, तएं हमसब जे धन-सम्पत्ति वापस अनलहुं ताहिमे ओकरासबके हिस्सा भेटए।”
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.