Genesis13

1  तखन अब्राम आ सारै मिस्र छोड़िक दक्षिणी यहूदियाके जंगल दिस चलि गेलाह। ओसब अपन सब सम्पत्ति अपनासंगे ल' गेलथि आ लूत सेहो हुनकासबके संग चलि गेलनि।2अब्राम बहुत धनीक छलथि। हुनकालग बहुते मालजाल, चानी, आ सोना छलनि।3   ओसब दक्षिण यहूदियाके जंगलस' बेतेल दिस जाइत रहैक, बेतेल आ आई शहरके बीचमे पहिने ओसब जाहि ठाम ओसब डेरा लगएने रहए।4ओतहि अब्राम एकटा वेदी बनौने छलाह। ओतए ओ फेरु यहोवाक आराधना कएलनि।5  अब्राम संगे यात्रा करएबला लूत ल' भेंड़ बकरीके हेंड़ आ मालजालके हेंड़ रहए।6दुनूगोटेके एतेक बेसी जानबर छल जे ओसब एक इलाकामे नहि रहि सकलथि। एतेक जमीनो ने छल जे ओसब अपन पशुधनकेलेल पानि आ चराउरके व्यवस्थाके' सकैक।7ताहिमे अब्रामके मालजालके चरबाहसब लूतके मालजालके चरबाहसब संगे झगड़ा करए लागल। कनानी आ परिज्जी लोकसब सेहो ओहि इलाकामे रहैत रहए।8तब अब्राम लूतके कहलनि, “अपनासब दियाद छी, तएं अपनासबके झगड़ा करब नीक नहि अछि आ अहाँके पशुके चरबाहसब हमर पशुके चरबाह सबस' झगड़ा कएनाइ नीक नहि अछि।9अपना दुनू गोटेकेलेल बहुते जमीन अछि। तएं अपनासबके भिन्न भ' जएबाक चाही। अहाँ जे हिस्सा लेब से चुनि सकैत छी। जं अहाँके ओहिपारके इलाका चाही त' हम एतहि रहब। जं अहाँके ई इलाका चाही त' हम ओम्हर चलि जाएब।”10लूत सोअर दिस तकलनि आ देखलनि जे यरदन नदीक समस्त मैदानमे बहुते पानि अछि। ओहि मैदानमे रहल सदोम आ गमोराके यहोवा नाश करएस पहिने ई बात भेल रहए। मिस्रमे नील नदीक लगमे भेल जमीन जकां, ई ओहि समयमे यहोवाके फूलवारि जकां छल।11एहिलेल लूत यरदन नदीके मैदानके अपन देश चुनलनि। ओ अपन काका अब्रामके छोड़ि पूर्व भर चलि गेलाह।12अब्राम कनान देशमे रहलाह आ लूत यरदन नदीक मैदानमे नगरसबके लगमे रहए लगलाह आ सदोमक समीप अपन तम्बू ठाढ़ कएलनि।13सदोममे रहनिहार लोकसब एकदम्मे दुष्ट रहैक आ यहोवाके विरुद्ध घोर पाप कएलक।14अब्राम आ लूत अलग भेलाक बाद यहोवा अब्रामके कहलनि, “अहाँ जत' छी, एहि पूरा इलाकाके चारुकात देखू। उत्तर आ दक्षिण देखू, पूर्व आ पश्चिम देखू।15 अहाँके देखाइ देबएबला सबटा जमीन हम अहाँ आ अहाँके वंशजके द' देब; हम अहाँके सबदिनके लेल द' देब।16हम अहाँक वंशजके बालूकण जकां बेसी बना देब! जं कोनो मनुष्य बालूक कण गनबाक प्रयास करत, ई त' ओहिना होएत जेना ओ अहाँक वंशज गनबाक प्रयास करथि।17 देशके चारुकात चलू, किएक त' हम अहाँसबके ई सबटा देब जा रहल छी।”18   अब्राम अपन डेराके उखाड़िक' हेब्रोन चलि गेलाह आ मम्रेके बड़का झमटगर गाछ लग बैसि गेलाह। ओ ओत' पत्थलके वेदी बनौलनि जाहिस' यहोवाके लेल बलिदानक' सकए।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67