Galatians3

1गलातियामे रहनिहार यौ हमर संगी-विश्वासीसब, अहाँसब मूर्खइ क' रहल छी! अहाँसबके के मति मारि लेलक! जे काज यीशु मसीह क्रूसपर मरला स' पूरा कएने छथि ओ हम अहाँसबके स्पष्टरुपस' समझा देने छल2एहिलेल हम अहाँसबके एकटा बात कहए चाहैत छी: जे परमेश्वर अहाँसबके अपन पवित्र आत्मा एहिलेल नहि देलथिन, कारण अहाँसब ओहि धर्म-नियमक पालन कएलहुं जे ओ मूसाद्वारा देने छलथि। अहाँसबके ई बुझब आवश्यक अछि जे ओ अहाँसबके अपन पवित्र आत्मा देने छथि किएकत' अहाँसब मसीहपर विश्वास कएलहुं जहिया अहाँसब हुनकर सुसमाचार सुनलहुं। 3की अहाँसब एतेक मूर्ख छी? की अहाँसब पवित्र आत्मामे शुरु क' क' आब अहाँ शरीर द्वारा समाप्त करब?4परमेश्वर अहाँसबके लेल जे कएने छथि, यदि ओ मसीहपर भरोसा करबाक कारण नहि आ बल्कि अहाँसब मूसाद्वारा देल गेल व्यवस्थाके पालन करबाक कारण छल, त', अहाँसब बेकारे बहुते बातमे दुख उठएलिऐ! हम निश्चितरुपस' ई आशा करैत छी जे अहाँसबके एतेक कष्ट व्यर्थमे नहि भोगए पड़ल होएत।5तएं जखन परमेश्वर जे आब अहाँसबके उदारतास' अपन आत्मा दैत छथि, आ अहाँसबहक बीच आश्चर्यजनक काज करैत छथि, तखन ई एहिलेल नहि होइत अछि जे अहाँसब ओहि व्यवस्थाके पालन करैत छी जे परमेश्वर मूसाके देलनि? निश्चितरुपस' अहाँसब जनैत छी जे ई एहिलेल अछि जे जखन अहाँसब मसीहक सुसमाचार सुनलहुं त' अहाँसब ओहिपर विश्वास कएलहुं!6अहाँसब जे अनुभव कएलहुं से ओहने अछि जे जे मूसा अब्राहमके विषयमे धर्मशास्त्रमे लिखने छलाह। ओ लिखने छलाह जे अब्राहम परमेश्वरपर भरोसा करैत छलाह, आ फलस्वरुप परमेश्वर अब्राहमके धर्मी मानैत छलथि। 7तएं अहाँसबके ई बुझबाक चाही जे मसीहक काजपर भरोसा करएबलासब अब्राहमके वंश जकां छथि किएकत' ओहोसब अब्राहम जकां परमेश्वरपर भरोसा करैत छनि।8संगहि परमेश्वर पहिनेस' योजना बनौने छलथि जे जं गैर-यहूदी हुनकापर भरोसा करतनि त' ओ ओकरासबके धर्मी मानि लेतथि। मूसा पवित्र शास्त्रमे ओ पहिनहि शुभ सन्देश लिखलनि जे परमेश्वर अब्राहमके घोषणा कएलथि: “अहींद्वारा हम सबजातिके आशीर्वाद देब।” 9एहिलेल हमसब ई निष्कर्ष निकालि सकैत छी जे परमेश्वर ओकरासबके आशीर्वाद दैत छथि जे मसीहक काजपर भरोसा करैत छनि, जेना ओ अब्राहमके संग कएने छलथि, जे हुनकापर बहुत पहिने भरोसा कएने छलनि।10अर्थात् परमेश्वर ओहि सबलोकके अनन्तकालधरि दण्डित करताह जे गलतीस' ई सोंचैत अछि जे परमेश्वर ओकरासबके धर्मी मानितथि, कारण ओ मूसाके देल गेल व्यवस्थाके पालन करबाक प्रयास करैत छनि। मूसा शास्त्रमे जे लिखलाह, ओ ई अछि जे परमेश्वर ओहि सबकेओके अनन्तकालके सजाय दितथि जे लगातार आ पूर्णरुपस' पूरा व्यवस्थाके पालन नहि करैत अछि जेकरा परमेश्वर मूसाके व्यवस्थाके पुस्तकमे लिखबाक निर्देश देलथिन। 11परमेश्वर मूसाके देने व्यवस्थाके पालन करबाक प्रयासके परिणाम स्वरुप कोनो व्यक्तिके धर्मी नहि मानैत छथि। ई स्पष्ट अछि कारण शास्त्रमे लिखल अछि, “प्रत्येक धर्मी व्यक्ति परमेश्वरपर अपन भरोसाक फलस्वरुप आत्मिकरुपस' जीवित अछि।” 12मुदा जखन परमेश्वर यहूदीसबके अपन धर्म-नियम द' देलथिन त' ओकरासबके परमेश्वरपर विश्वास करएबला केकरोपर निर्भर नहि कएलनि। बल्कि परमेश्वर कहलथि जे ई ओएह लोकसब अछि जे लगातार आ पूर्णरुपस' परमेश्वरक सम्पूर्ण नियमक पालन करैत अछि, ओ ओहि आदेशके पालन क' क' जीवित रहत। 13भलेहि हमसब परमेश्वरक नियमक पालन लगातार आ पूर्णरुपस' नहि मानलहुं, मुदा मसीह हमरासबके परमेश्वरक अनन्त दण्डस' उद्धार कएलनि। परमेश्वर हमरासबके दोष देबाक बदलामे मसीह हमरासबके ओ एहन व्यक्ति बनिक' बचा लेलथि, जिनका परमेश्वर दोषी ठहरौलथि। मूसा शास्त्रमे जे लिखने छथि से ई दर्शबैत अछि जे ई बात सत्य अछि। ओ लिखने छथि जे “परमेश्वर ओहि व्यक्तिके काठपर लटकाक' सराप देलनि जेकरा लोकसब मारि देलक ओकर अपराधके लेल, ओकर देहके क्रूसपर लटकाक मारि देलक।” 14मसीह यीशु हमरासबके एहिलेल बचौलथि जे ओ जे काज कएलनि, ओहिके कारण परमेश्वर गैर-यहूदीसबके ओहिना आशीर्वाद दितथि जेना परमेश्वर अब्राहमके आशीर्वाद देलथिन। एकर कारण ई अछि जे मसीहपर भरोसा करएके परिणाम स्वरुप, अपनासब ओ पवित्र आत्मा प्राप्त क' सकी जिनका देबएके प्रतिज्ञा परमेश्वर हमरा कएने छलथि।15यौ हमर संगी-विश्वासीसब, आब हम एहि बातसबके वर्णन मानवीय सम्बन्धके सन्दर्भमे करब। एकबेर कोनो समझौता पर दूगोटेके हस्ताक्षर भेल त' केओ ओकरा खारिज नहि क' सकैत अछि आ ने ओहिमे किछु बढ़ा सकैत अछि।16परमेश्वर जे अब्राहम आ हुनकर वंशके कहलथि जे ओ अब्राहमके आशीष देबाक प्रतिज्ञा क' रहल छथि। परमेश्वर जे वचन बजलथि ओ “अहाँक वंशसब” के नहि छल। ओ लोकसबके उल्लेख नहि क' रहल छलथि। बल्कि, ओ एकटा मनुष्यके उल्लेख क' रहल छलथि, जे मसीह छथि, किएकत परमेश्वर जे वचन बजलथि, ओ “अहाँके वंश” छल। 17हम त' ई कहैत छी: जे परमेश्वर अब्राहमसंगे एकटा करार कएलथि जाहिस' व्यवस्था ओ यहूदीसबके देलथिन ओ 430 वर्षक बाद रद्द नहि भेल। 18हम चाहैत छी जे अहाँसब ई जानि लिअ जे जं ई एहिलेल अछि जे हमसब ओहि व्यवस्थाके पालन करैत छी जे परमेश्वर यहूदीसबके देने छलथि, तखन ओ हमरासबके ठीक ओएह वस्तु प्रदान करैत छथि जे ओ देबाक प्रतिज्ञा कएने छलथि, आ ओ हमरासबके ओ वस्तु एहिलेल नहि दैत छथि जे ओ एहन करबाक प्रतिज्ञा कएने छलाह। तथापि, परमेश्वर दयापूर्वक अब्राहमके जे देबाक प्रतिज्ञा कएने छलाह, से देलनि, आ मात्र एहिलेल देलनि किएकत परमेश्वर वचन देने छलाह जे ओ ओकरा दितथि। तहिना ई एहिलेल नहि अछि किएकत हमसब परमेश्वरक नियमक पालन करैत छी जे परमेश्वर कृपापूर्वक हमरासबके ओसब दैत छथि जे ओ हमरासबके देबाक प्रतिज्ञा कएने छलाह।19एहिलेल जं केओ पुछैत अछि जे “परमेश्वर बादमे मूसाके अपन व्यवस्था किएक देलनि?” त' हम उत्तर देब जे ई एहिलेल भेल जे लोकके बुझल होबए जे ओ कतेक पापी अछि। यीशुक आगमन धरि ओ व्यवस्था मान्य छल। ओ ओएह वंश छथि जिनकर प्रतिज्ञा परमेश्वर अब्राहमस' कएने छलाह। परमेश्वर स्वर्गदूतसबके प्रेरित क' क' मूसाके अपन नियम देलथिन जे ओ हुनकास' बतिआकि। मूसा मध्यस्थ छलाह जे लोकसबके धर्म-नियम बुझबैत छलाह।20मुदा आब जखन कोनो मध्यस्थके काज करैत अछि त' एक व्यक्ति सोझे दोसरस' बात नहि क' रहल अछि। मुदा परमेश्वर स्वयं अपन प्रतिज्ञा सोझे अब्राहमस' कएलनि।21जं केओ पुछैत अछि, “जखन परमेश्वर अब्राहमके जे प्रतिज्ञा कएने छलाह, तेकर बहुत समयक बाद मूसाके अपन व्यवस्था देलनि, तखन की ओ अपन विचार बदलि लेलनि?” हम जबाब देब जे परमेश्वर निश्चितरुपस' अपन विचार नहि बदललथि जखन ओ ई काज कएलनि! जं परमेश्वर एहन नियम देने रहितथि जे लोकके अनन्त आ आत्मिकरुपस' जिअएमे सक्षम बना देत, तखन निश्चितरुपस' ओहि व्यवस्थाके पालन करएबला लोकक' कारण परमेश्वर लोकके धर्मी मानत।22मुदा, वास्तवमे, लोकसबके अनन्तकाल वा आत्मिक जीवन जिअएमे सक्षम बनएबाक व्यवस्थाके लेल असम्भव अछि। बल्कि, धर्मशास्त्रमे देल गेल व्यवस्थाके कारण सबलोकके अपन पापक सजायस' बचबाक लेल ओहिना असमर्थ भेल, जेना ओसब जहलमेस' भागमे असमर्थ छथि। परमेश्वर ई एहिलेल कएलनि जे ओ यीशु मसीहपर विश्वास करएबला लोकसबके ओ द' सकथि जेकर ओ प्रतिज्ञा कएने रहथि, आ मात्र एहिलेल देथि किएकत ओसब हुनकापर भरोसा करैत छथि।23एहिस' पहिने परमेश्वर जे मसीहपर विश्वास करबाक शुभ सन्देश प्रगट कएलथि, परमेश्वर जे व्यवस्था मूसाके देलथिन, ओ हमरासबके एना बन्दी बना रहल छल, जेना कोनो कैदीके जहलमे राखल जाइत अछि। ई ओहि समय धरि भेल जखन जाधरि हम मसीहक शुभ सन्देशपर विश्वास नहि कएने रही, अर्थात् ओ शुभ सन्देश जेकरा परमेश्वर प्रगट करएबला छलथि आ आब क' देने छथि।24जहिना पिता अपन अपरिपक्व बच्चाक देखभाल करबाक लेल एकटा सेवक नियुक्त करैत छथि, तहिना परमेश्वर मसीहक आगमन धरि अपन व्यवस्थाद्वारा हमरासबहक देखभाल क' रहल छलाह। ओ ई एहिलेल कएलथि जे आब ओ हमरासबके अपना समक्ष धर्मी ठहरा सकथि मात्र एहिलेल जे हमसब मसीहपर भरोसा करैत छी।25मुदा आब जखन परमेश्वर मसीहपर भरोसा करबाक सन्देश प्रगट क' देलथिन, त' परमेश्वर मूसाके देने व्यवस्था आब हमरासबहक देखभाल नहि करैत अछि।26आब अहाँसब यहूदी आ गैर-यहूदी परमेश्वरक सन्तान छी, किएकत' अहाँसब यीशु मसीहमे विश्वास करैत छी। अहाँसब एखन यीशु मसीहके संग आत्मिक घनिष्ट सम्बन्धमे छी कारण अहाँसब हुनकापर विश्वास करैत छी। 27अर्थात् जखन अहाँ बपतिस्मा लेलहुं, मसीहक संग सम्बन्ध स्थापित कएलहुं तखन अहाँसब स्वयंके मसीहक संग पहिचान कएलहुं।28जं अहाँसब मसीहमे विश्वास करैत छी त' परमेश्वरक लेल ई कोनो बात नहि अछि जे अहाँसब यहूदी छी वा गैर-यहूदी। दास होइक वा दास नहि होइक; चाहे पुरुष होए वा स्त्री, यीशु मसीहके साथ अपन सम्बन्धके कारण अहाँसब एकहि प्रकारके व्यक्ति छी।29संगहि, अहाँसब मसीहके छी, एहिलेल अहाँ अब्राहमके वंश जकां छी, किएकत' अहाँसब अब्राहम जकां परमेश्वरपर भरोसा करैत छी, आ अहाँसब ओहि वस्तुक अधिकारी होएब जेकर प्रतिज्ञा परमेश्वर अब्राहमस' कएने रहथि।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67