Galatians2

1चौदह वर्षके यरूशलेम गेलाके बाद, हम बरनबाससंगे फेरु यरूशलेम गेलहुं। आ तीतुसके सेहो हम अपनासंगे ल' गेलहुं।2जे किछु परमेश्वर हमरा ईश्वरीय प्रकाश प्रगट कएलनि, ओहिलेल हम ओतए गेल छलहुं। हम मण्डलीके अगुवासबके ओहि सुसमाचारके विषयमे कहलिएनि जे हम गैर-यहूदीसबके प्रचार करैत छी। मुदा हम ओहि लोकसबस' एसगरेमे बतिअएलहुं जिनका अहाँसबहक नव शिक्षकसब बेसी आदर करैत छनि, एहिलेल हम जे किछु क' रहल छी, आ हम जे कएलहुं से व्यर्थ नहि होइक। ई तखन भ' सकैत छल जं लोक हमर सुसमाचारके अस्वीकारक' दितैक किएकत' हुनकासबके बुझएतैक हम गलत सिखबैत छी, ई तखन भ' सकैत छल जं यरूशलेममे अगुवासब हमर सुसमाचारस' असहमत रहितथि।3मुदा ओ अगुवासब तीतुस, जे हमरासंग छलनि आ ओ बिना खतनाके आन जातिस' छल, ओसब ई नहि चाहलनि जे ओकर खतना कएल जाइक।4मुदा ई समस्या एहिलेल उत्पन्न भेल जे किछुगोटे झुट्ठा विश्वासीसब तीतुसके खतना करबाक मांग कएलकनि जं ओसब सफलतापूर्वक ई नाटक कएलनि जे ओसब सेहो संगी-विश्वासीसब छनि आ सांच विश्वासी सबहक संग जुड़ल छनि। ओसब सांच विश्वासी सबहक संग जुड़ल छलनि जाहिस' ओसब हमरासबके काजके नीक जकां देख सकैक किएकत' यीशु मसीहसंगे अपनासबके घनिष्ट सम्बन्धके कारण हमसब यहूदीसबके सब नियम आ रीति-रिवाजक पालन करएलेल स्वतन्त्र छी। ओसब हमरासबके ई बुझबए चाहैत छल जे हमसब मसीहपर मात्र भरोसा नहि क' सकैत अछि, बल्कि सबटा यहूदी व्यवस्था आ रीति-रिवाजक पालन सेहो करए पड़त आ ओसब हमरासबके ओहि रीति-रिवाजक दास बनाबए चाहैत छल।5मुदा खतनाके सम्बन्धमे जे ओसब चाहैत छल ताहिमेस, हमसब कनिको नहि कएलहुं। हम ओकरासबहक विरोध कएलहुं जाहिस' अहाँसबके सत्य, आ सही आ असंशोधित सुसमाचार भेटैत रहए आ अहाँसब स्थिर रहि सकी।6यरूशलेमके अगुवासब, जिनका अहाँसबके नव शिक्षकसब आदर करैत छथि, ओसब हमरा प्रचारमे किछु नहि जोड़लनि। आ हम इहो कहए चाहब जे ओहि अगुवासबके पदके कोनो प्रभाव हमरापर नहि पड़ल कारण परमेश्वर महत्वपूर्ण आ शक्तिशाली लोकके दोसरस' बेसी पसीन नहि करैत छथि। 7बल्कि ओ अगुवासब बुझि गेलनि जे परमेश्वर हमरा ओ सुसमाचार सोंपि देलनि जाहिस' हम बिना खतनाबलासबके प्रचार क' सकी, ठीक ओहिना जेना परमेश्वर पत्रुसके ओएह सुसमाचार देलनि जाहिस' ओ यहूदीसबसंगे प्रचार क' सकथि।8मुदा, जेना परमेश्वर पत्रुसके यीशुक प्रेरित बनबाक लेल अधिकार देलनि जे ओ खतना भेल यहूदीसबहक बीच परमेश्वरक सुसमाचार पहुंचा सकैक, तहिना ओ हमरा यीशुक प्रेरित बनबाक अधिकार आ सामर्थ्य देलनि जे हम परमेश्वरक सुसमाचार गैर-यहूदीसबके बीच पहुंचा सकी।9आ याकूब, पत्रुस आ यूहन्ना, जे अहाँसबके मण्डलीके खम्हा छनि तएं हुनका नव शिक्षकसबके रुपमे एहिलेल आदर करैत छनि, किएकत' ओसब विश्वासी सबहक अगुवा छथि, जे अनुग्रह हमरा देल गेल छह, ओहिके बुझिक' बरनबास हमर दहिना हाथ मित्रवत रुपमे मिलबैत संगतिमे स्वीकार कएलनि जे हमसब आन जातिसब लग सुसमाचार ल' क' जा सकी, आ ओसब खतना भेल यहूदीसबमे प्रचार करए जाइक।10ओ हमरासबके ई आग्रह कएलनि जे हम यरूशलेममे रहनिहार अपन संगी-साथी सबहक बीच गरीब सबहक मदति करब मन राखू। ई ठीक ओहे काज अछि जे हमहूं करबाक लेल उत्सुक रही।11मुदा बादमे पत्रुस गलत काज करबाक दोषी भ' गेलाह। ई तखन भेल जं ओ हमरासबस' भेट करएलेल अन्ताकिया नगरमे आएल छलाह। हम एहिलेल ओहि बातसबके हुनका मुंहेपर कहलिऐ।12एना भेल रहए जे पत्रुस गैर-यहूदी विश्वासीसबसंगे ओत भोजन क' रहल छलाह। मुदा तखने किछु लोकसब आबि गेलनि जे यरूशलेममे रहनिहार खतना भेल यहूदी विश्वासी सबहक समूहस' छल जे याकूब द्वारा नेतृत्व कएल गेल छल। ई लोकसब कहैत छल जे विश्वासीसबके यहूदी व्यवस्था पालन करबाक चाही। पत्रुस एहि बातस' डेरा गेलनि जे किछु लोक ई चाहैत अछि जे यहूदी विश्वासी यहूदी व्यवस्थाके पालन करए, ओसब की करत, आ एहिलेल ओ गैर-यहूदीस' दूर होएबाक शुरु कएलनि आ मात्र यहूदी विश्वासीसबहक संग भोजन करबाक शुरु क' देलनि। 13तहूमे, पत्रुसके संग अन्ताकियामे रहनिहार आन यहूदी विश्वासीसब, जखन ओसब गैर-यहूदी विश्वासीसबस' अलग भ' गेलाह, तखन ओसब एहन व्यवहार करैत छलाह जे ओसब ठीक नहि बुझति छलाह। परिणाम ई भेल जे ओसब बरनबासके सेहो कपटके कारणे गैर-यहूदी विश्वासी सबहक संगति छोड़ि देलकनि!14हम बुझि गेलहुं जे ओसब स्पष्ट आ मसीहक सुसमाचारक सत्य तथ्य आ शिक्षाके अनुसार काज नहि क' रहल छथि। तखन जं सब संगी-विश्वासीसब एकठाम जमा भ' गेलाह, हम पत्रुसके ई बातसब कहलिऐ: भलेहि अहाँ यहूदी छी, मुदा अहाँ प्राय गैर-यहूदी जकां जीवन जिऐत छी, भोजनक विषयमे यहूदी व्यवस्थाके अवहेलना करैत छिऐ। जखन अहाँ गैर-यहूदीसबके बीच छी, तखन अहाँसब यहूदी जकां एकदम नहि करैत छी। तें ई गलत अछि जे अहाँ गैर-यहूदीसबके ई सोंचएलेल विवश क' रहल छी जे ओकरासबके यहूदीसबके सबटा रीति-रिवाज आ परम्परा पालन करबाक चाही!15हमसब यहूदी भ' क' जन्म लेने छी, गैर-यहूदीके रुपमे नहि। हम यहूदीसब सदिखन गैर-यहूदीके “पापी” मानैत रहलहुं किएकत' ओ यहूदी रीति-रिवाज आ व्यवस्थाके पालन नहि करैत अछि।16मुदा आब हम यहूदी विश्वासीसब जनैत छी जे ई एहिलेल नहि अछि जे जं कोनो मनुष्य यहूदीसबके देल गेल व्यवस्था पालन करैत अछि तेकरा परमेश्वर धर्मी ठहरबैत छथि। परमेश्वर कोनो व्यक्तिके तखने धर्मी ठहरबैत छथि जखन ओ व्यक्ति यीशु मसीहपर विश्वास करैत अछि। एहिलेल हम यहूदीसब यीशु मसीहपर विश्वास कएलहुं। हम ई एहिलेल कएलहुं जे परमेश्वर हमरासबके अपन नजरिमे नीक घोषित करथि, कारण हमसब मसीहपर भरोसा करैत छी, आ एहिलेल नहि जे हमसब ओहि व्यवस्थाके पालन करबाक प्रयास करैत छी जे परमेश्वर मूसाके देलनि। हमसब ई एहिलेल कएलहुं जे परमेश्वर कहने छथि जे ओ केकरो अपन नजरिमे नीक नहि घोषित करताह, मात्र एहिलेल जे ओ ओहि व्यवस्थाके पालन करैत अछि। 17अहूस' बेसी, किएकत' हम यहूदी विश्वासी मसीहके साथ हमर सम्बन्धके कारण परमेश्वर हमरा धर्मी ठहराबएके इच्छा रखैत छलथि, एकर मतलब ई अछि जे हम अपने, गैर-यहूदीसन जेकरा हमसब पापी कहैत छल, ओ व्यवस्था आ रीति-रिवाजक उल्लंघन कएलनि, जे परमेश्वर मूसाके देने छलथि। मुदा हम ई निश्चितरुपस' ई निष्कर्ष नहि निकालि सकैत छी जे ओ मसीहे छथि जे हमरा पापके सेवक बनबैत छथि। नहि, मसीह निश्चितरुपस' केकरोस' पाप नहि करबैत छथि।18जं हम फेरुस' एहि बातपर विश्वास करैत छी, जे परमेश्वर हमरा धर्मी ठहरौताह, कारण हम मूसाके देल गेल व्यवस्थाके पालन कएलहुं, तखन हम ओहि आदमी जकां बनब जे ओ पुरना घरके फेरुस' बनबैत अछि जे ओ खसा देने रहए। जं हम ई काज करितहुं त' हम ई प्रगट करितहुं जे हम गलत काजक दोषी छी।19हम बुझि गेलहुं जे परमेश्वर हमरा धर्मी नहि मानताह, किएकत' हम ओहि धर्म-नियमक पालन करबाक प्रयास करैत छलहुं जे ओ मूसाके देलनि। तएं हम निर्णय कएने छी जे हम ओहि व्यवस्थाके मांगक ओहिना प्रतिक्रिया नहि देब, जेना कोनो मृत व्यक्ति कोनो बातक प्रतिक्रिया नहि दैत अछि। हम ई काज करबाक निर्णय लेलहुं जाहिस' आब हम परमेश्वरक सेवा करबाक लेल जीवित रहि सकी। ई एना अछि जेना हम ओहि समय मसीहक संगमे छलहुं जखन ओ क्रूसपर मरि गेलाह।20जहियास' हम मसीहपर विश्वास करए लगलहुं तहियास' हमर पुरना जीवनशैली समाप्त भ' गेल। आ हम आब अपन आचरणके ओहिना नहि निर्देशित करैत छी जेना हम मसीहपर विश्वास करएस पहिने कएने रही। आब मसीह एसगरे ई निर्धारीत करैत छथि जे हमरा कोना व्यवहार करबाक चाही। आ आब जे किछु हम अपन पार्थिव शरीरमे करैत छी, से परमेश्वरक पुत्रपर विश्वासक' क' करैत छी। ओएह छथि जे हमरास' प्रेम कएलनि आ हमरालेल स्वयंके बलिदान देलनि।21जे परमेश्वर दयापूर्वक हमरालेल जे कएलनि, ताहिके हम व्यर्थ मानिक अस्वीकार नहि करैत छी जेना हमर विरोधीसब क' रहल अछि। जं परमेश्वर लोकसबके एहिलेल धर्मी मानैत छथि जे ओ मूसाके देने रहथि व्यवस्थाके पालन करैत छथि, त' मसीह व्यर्थमे मरि गेलाह!

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67