Galatians1
1हम, पौलुस, अहाँसबके ई पत्र लिख रहल छी। हम अहाँसबके स्मरण करबैत छी जे परमेश्वरे हमरा प्रेरित होएबाक लेल बजओने छथि। आ एना एहिलेल नहि अछि जे लोकसबके एकटा समूह हमरा नियुक्त कएलनि, आ ई अहूलेल नहि अछि जे कोनो मनुष्य हमरा पठौलनि जे हम प्रेरित भ' जाइक। एहि ठाम, हम प्रेरित एहिलेल छी, किएकत' यीशु मसीह आ परमेश्वर पिता, हमरा नियुक्त क' क' पठौलथि जे हम प्रेरित भ' जाइक — हं, ओएह परमेश्वर पिताद्वारा, जे यीशु मसीहके मरि गेलाकबाद हुनका फेरुस' जीवित कएने रहथि!2सबटा संगी-विश्वासी जे एत हमरासंगे अछि, हम गलातिया प्रान्तमे रहनिहार मण्डलीसबके ई पत्र पठाबि रहल छी3अपनासबके परमेश्वर पिता आ अपनासबके प्रभु यीशु मसीह अहाँसबपर सदिखन दयालु बनल रहथि आ अहाँसबके शान्ति प्रदान करथि।4मसीह स्वयंके बलिदानके रुपमे एहिलेल चढ़ा देलथिन जे ओ अपनासब द्वारा कएल गेल पापी काजसबके दोषस' छुटकाराक' सकथि। ओ एना एहिलेल कएलथि जे ओ अपनासबके एहि युगके अधलाह काजसबके नहि करएमे सक्षम क' सकथि। ओ एना एहिलेल कएलथि जे परमेश्वर, जे अपनासबके पिता अछि, इहे चाहैत छलथि।5किएकत' ई बात सांच अछि एहिलेल, अपनासब सदिखन परमेश्वरके प्रशंसा करैत रही। आमीन!6हम बड़ निराश छी जे अहाँसब मसीहपर विश्वास कएलक बाद अहाँसब परमेश्वरस' बड़ जल्दी मुंह मोड़िलेने छी। परमेश्वर अहाँसबके एकटा एहन सम्बन्धमे जुटएलेल चुनने छथि जे मसीहक दयापर आधारित अछि। हम एहि कारणस' सेहो निराश छी जे अहाँसब एकटा दोसर सुसमाचारपर बड़ जल्दी विश्वास करए लागल छी जेकरा किछु लोक “सुसमाचार” कहैत अछि।7ओकर सुसमाचार ठीक सुसमाचार नहि अछि। भ' रहल बात ई अछि जे किछु विशेष लोक अहाँसबके मनके भ्रमित क' रहल अछि। ओ मसीहक सुसमाचारके विकृत करबाक इच्छा रखैत कोनो दोसरे सुसमाचार रचि रहल अछि।8जं हम प्रेरित वा स्वर्गके कोनो स्वर्गदूतो अहाँसबके कोनो एहन सुसमाचार सुनाबए जे ओहि सुसमाचारस अलग होइक जे हम अहाँसबके पहिने सुनौने रही, त' हम परमेश्वरस' प्रार्थना करैत छी जे ओ ओहन लोकके सदाके लेल दण्ड देथि।9जेना हम अहाँसबके पहिनहि कहि देने रही, आ आब हम अहाँसबके ई बात फेरुस' कहैत छी: जं कोनो व्यक्ति अहाँसबके एहन बात बताबए जेकरा ओसब सुसमाचार कहैत अछि, मुदा ओ सुसमाचार एहन अछि जे ओहि सुसमाचारस' अलग अछि जे हम अहाँसबके सुनएने रही। एहिलेल हम परमेश्वरस' प्रार्थना करैत छी जे ओ ओहि व्यक्तिके सदाके लेल दण्ड देथि।10हम ई एहिदुआरे कहलहुं किएकत' हम नहि चाहैत छी जे किछु लोकसब हमरा विषयमे जे बात कहने रहए ओकर उनटा लोक हमर अनुमोदन करए। ओ परमेश्वरे छथि जिनकास' हम अपन अनुमोदन चाहैत छी। विशेषरुपस', जे बातसब हम कहैत छी आ करैत छी ओसब मात्र लोकसबके प्रसन्न करबाक लेल नहि करए छी। यदि हम एखनो लोकसबके मात्र बुझएबाक प्रयास करैत छी, त' फेरु हम, ओ व्यक्ति नहि छी जे स्वेच्छास' आ पूर्ण रीतिस' मसीहक सेवक छी।11यौ हमर संगी-विश्वासीसब, हम चाहैत छी जे अहाँसब ई जानि जाउ जे हम जे सुसमाचार मसीहक विषयमे लोकसबके सुनबैत छी ओ केकरो रचलाहा नहि अछि।12ई सुसमाचार हमरा कोनो आदमीस' नहि देल गेल अछि, आ ने कोनो आदमी हमरा सिखऔने अछि। बल्कि, ओ परमेश्वरे छथि जे हमरापर यीशु मसीहके प्रगट कएलथि।13लोकसब जे अहाँसबके बतौने अछि जे जहिया हम यहूदी धर्मके पालन करैत रही त' हम केहन व्यवहार करैत छलहुं। ओसब अहाँके बतौने होएत जे हम परमेश्वरपर विश्वासीसबके समूहसबके बेर-बेर हानि पहुंचएलहुं, आ ओसब अहाँसबके बतौने होएत जे हम ओहि लोकसबके पूर्णरुपस' नाश करबाक प्रयास कएलहुं।14हमरे उमेरक कतेको यहूदीसबके तुलनामे हम यहूदी धर्मक पालन बड़ नीकस' क' रहल छलहुं। हम एहि विषयमे बड़ उत्साहपूर्वक ई प्रयास क' रहल छलहुं जे जाहि परम्परासबके पालन हमर पूर्वजसब कएने रहथि ओहिके पालन दोसरो लोकसब सेहो करए।15तथापि, हमर जन्म होअएस' पहिनहि परमेश्वर हमरा एकटा विशेष काजक लेल नियुक्त कएलथि आ ओ हमरापर अनुग्रह क' क' चुनलथि। जं परमेश्वर ई विचार कएलथि जे ई नीक बात अछि ,16त' ओ हमरा ई बात प्रगट कएलनि जे वास्तवमे हुनकर पुत्रके छथि। ओ एना एहिलेल कएलनि जे हम हुनकर पुत्रक सुसमाचार ओहि प्रान्तके सब दोसर जातिसबके सुनाबी जत गैर-यहूदी लोकसब रहैत अछि। हम तुरन्ते लेहू आ मासुलग ओहि सुसमाचारके बुझबाक लेल नहि गेलहुं।17संगहि हम एहिलेल दमिश्कस' यरूशलेम तुरन्त ओहि लोकसबलग नहि गेलहुं जे हमरास' पहिने यीशुके प्रेरित छलनि। बल्कि, हम अरब देश चलि गेलहुं जे एकटा निर्जन स्थान अछि। बादमे हम एकबेर फेरु दमिश्क शहर वापस आबि गेलहुं।18तखन परमेश्वर हमरा ई सुसमाचार प्रगट कएलाक तीन वर्षक बाद, हम कैफा स' भेट करबाक लेल यरूशलेम नगर गेलहुं। मुदा हम पन्द्रह दिन हुनकासंग मात्र रहलहुं।19हम अपनासबके प्रभु यीशुके भाइ आ प्रेरित, याकूबके सेहो देखलहुं, मुदा यीशुके आओर कोनो आन प्रेरितसबके नहि देखलहुं।20परमेश्वर जनैत छथि जे हम जे बात अहाँसबके लिख रहल छी से पूर्णरुपमे सत्य अछि!21यरूशलेमस' निकललाक बाद, हम सीरिया आ किलिकिया प्रान्तमे गेलहुं।22ओहि समय यहूदिया प्रान्तमे रहल मसीही मण्डलीके लोकसब हमरा व्यक्तिगत रुपस' नहि भेटल छल।23ओसब दोसर लोकसबके हमरा विषयमे लगातार ई कहैत सुनने छल, “पौलुस, जे पहिने अपनासबके हानि करैत रहनि, आब ओ ओहि सुसमाचारक प्रचार क' रहल छनि जे अपनासब विश्वास करैत छी आ ओ पहिने लोकसब हुनकापर विश्वास नहि करए से प्रयासमे रहनि!”24परमेश्वर हमराद्वारा जे कएने रहथि ताहिके लेल ओसब परमेश्वरके स्तुति करैत रहलनि, किएकत' ओएहसब हमरा यीशुपर विश्वास करबाक लेल प्रेरित कएलनि आ आब हम लोकसबके हुनकर सुसमाचार सुनाबि रहल छी।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.