2 Corinthians13
1 पवित्र शास्त्रमे लिखल अछि, “ई बात सत्यपर विश्वास करबास' पहिने कमस' कम दू वा तीन गवाह एकहि बात कहैत छथि।” केकरो विषयमे अगिला बेर जखन हम अहाँस' भेट करए आएब तखन तेसर बेर होएत जे हम अहाँके काजक गवाह बनब।2जखन हम दोसर बेर अहाँसबस' भेट करएलेल आएल रही तखन अहाँसबके चेता देलहुं जे अहाँसबमेस' जे पाप कएने अछि, ओकरासबके हम सजाय देब जा' रहल छी। आ आब हम अहाँस' दूर रहितो फेरुस' चेतावनी द' रहल छी। जखन हम एहि तेसर बेर अहाँ लग आबि जाएब तखन पाप करएबलासबके दण्ड देब।3हम ई बात एहिलेल कहैत छी जे जखन हम अहाँसबस' बात कएलहुं तखन अहाँ हमरा ई सिद्ध करबाक लेल कहलहुं जे मसीह अहाँसबस' बात करैत छथि। अहाँसबके ई बात तखन बुझल होएत जखन ओ अहाँसबके अनुशासित करत। ओ अहाँसबके संग कमजोर नहि होएत, बल्कि अहाँसबके बीच ओ शक्तिशाली काज करताह।4अहाँ देखैत छी जे जखन लोक मसीहके क्रूसपर चढ़ाक मारि देलक तखन ओ स्वयंके कमजोर होबए देलकनि। मुदा परमेश्वर सामर्थी छथि, आ ओ हुनका जीवित क' देलनि। जेना ओ छलाह, हमहूंसब कमजोर मनुष्य छी। मुदा परमेश्वर सेहो हमरासबमे सामर्थी भ' क' काज करैत छथि जाहिस' हमसब मसीह जकां जीबि सकब, तएं हमसब अहाँसबके बीच सामर्थ्यवान भ' क' काज करब।5अहाँसबमेस' प्रत्येकके अपनेस' पुछबाक चाही, “की हम मसीहपर भरोसा क' रहल छी आओर हुनकर निर्देशन अनुसार जीबि रहल छी?” अहाँसबमेस' प्रत्येक गोटे स्वयंके एहि तरहें मूल्यांकन करु। तखन अहाँके पता चलत जे अहाँ वास्तवमे यीशु मसीहक संग जीवित छी। ओना त ई बात ताधरि सही अछि जाधरि अहाँ परीक्षामे असफल नहि भ' जाइत छी।6जत धरि हमरासबके बात अछि त' हमरा आशा अछि जे अहाँसब बुझब जे हमसब ओहि परीक्षामे लग भ' गेलहुं।7हम परमेश्वरस' प्रार्थना करैत छी जे अहाँ कोनो गलत काज नहि करु। हमसब एहिलेल नहि प्रार्थना करैत छी जे हम चाहैत छी जे लोक ई बुझए जे हमसब अहाँसबके अनुशासित करबामे सफल भेलहुं, बल्कि एहिलेल जे अहाँ नीक काज क' रहल छी। हम अहाँक लेल इएह चाहैत छी, भलेहि एकर माने ई होअए जे लोक सोंचत जे हमसब असफल भ' गेलहुं, कारण हमरासबके अहाँके जरुरति नहि छल।8हम चाहैत छी जे अहाँ नीक काज करु भलेहि हम अहाँके अनुशासित नहि क' सकब आ मजगूत नहि देखाबी किएकत' हमरासबके परमेश्वरक सत्य सन्देशके पालन करबाक चाही। हमसब एहन कोनो काज नहि क' सकैत छी जे परमेश्वरके सत्य सन्देशके उनटा होअए।9जखन लोक सोंचैत अछि जे हमसब कमजोर छी, तखन हमसब एहिलेल आनन्दित होइत छी जे हमरासबके दिसस' अनुशासनके आवश्यकताके बिना अहाँसब परमेश्वरक आज्ञाक पालन करबामे मजगूत छी। हमसब इएह प्रार्थना करैत छी, जाहिस' अहाँसब परमेश्वरपर पूरा भरोसा करबाक आ हुनकर आज्ञा मानबाक निर्णय क' सकब।10एहिलेल हम चाहैत छी जे अहाँ परमेश्वरपर पूरा भरोसा क' क' हुनकर आज्ञाके पालन करी, एहिलेल हम अहाँसबस' अलग होएबाक क्रममे अहाँसबके ईसब बातक विषयमे लिख रहल छी। जखन हम अहाँ लग आबि जाएब तखन हमरा अहाँके कठोर अनुशासन नहि देब पड़त। प्रभु हमरा हुनकर प्रतिनिधित्व करबाक अधिकार नहि देलनि जाहिस' हम अहाँके परमेश्वरपर भरोसा करबास' हतोत्साहित क' सकब, मुदा ओ एहन कएलनि जाहिस' हम अहाँके प्रोत्साहित क' सकब आ अहाँके मजगूत क' सकब परमेश्वरपर बेसी भरोसा करब।11यौ हमर विश्वासी भाइसब, ई सब अन्तिम बात अछि जे हम अहाँसबके कहए चाहैत छी। खुश रहू! अपन जीवन ओहिना जीबू जेना परमेश्वर चाहैत छथि। हम जे बात अहाँसबके कहलहुं से अहाँसबके परमेश्वरपर बेसी भरोसा करबाक लेल प्रोत्साहित करबाक चाही। एक दोसरास' सहमत होउ महत्वपूर्ण बातक विषयमे। एक-दोसरसंग शान्ति बनाक रहब। अहाँ ई सब काज करब तखन परमेश्वर अहाँके संग रहताह। ओ ओएह छथि जे अहाँके दोसरस' प्रेम करए आ शान्तिस' रहएमे सक्षम बनबैत छथि।12एक-दोसर प्रति स्नेह भावस' पवित्र अभिवादन करु जे परमेश्वरक परिवारक सदस्यके लेल उचित होअए।13प्रभु यीशु मसीह अहाँसबपर प्रेम करथि, परमेश्वर अहाँसबस' प्रेम करथि, आ पवित्र आत्माके संगति अहाँसबहक संग रहथि, आ अहाँसबके एकसंग राखथि।14परमेश्वरके सबलोक जे एत रहैत छथि अहाँसबके प्रणाम पठबैत छथि।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.